झंझारपुर, समदिया
झंझारपुर अनुमंडल मे कथित फर्जी नर्सिंग होमक विरुद्ध स्वास्थ्य विभाग कारबाइ शुरू कए देने अछि। शुक्रदिन भैरवस्थान थाना क्षेत्र मे स्वास्थ्य विभागक टीम तीन अस्पताल पर छापामारी कयलक। टीमक पहुंचबाक सूचना भेटिते एक अस्पतालक संचालक मुख्य गेट मे ताला लगा कए फरार भए गेल, जखन कि दोसर-दो अस्पताल मे जांचक दौरान वैध कागजात नहि भेटल। जांच टीम मे झंझारपुर पीएचसी प्रभारी डॉ. मुकेश कुमार, डॉ. फिरदौस अंसारी आ स्वास्थ्यकर्मी अर्जुन मंडल शामिल छलाह। टीम सभ सं पहिने मेहथ-मधुबनी एसएच-527 मुख्य सड़कक कात भराम गांव लग स्थित मैक्स हॉस्पिटल पहुंचल। टीमक पहुंचबाक भनक लगिते संचालक मुख्य गेट मे ताला लगा कए फरार भए गेल। अस्पतालक बैनर पर डॉ. डीके तिवारी (जनरल फिजिशियन) आ डॉ. कुमारी (स्त्री एवं प्रसूति रोग विशेषज्ञ) केर नाम लिखल छल। बैनर पर मशीन सं पित्ताशयक ऑपरेशन, एलएससीएस ऑपरेशन, हड्डीक ऑपरेशन आ सामान्य प्रसव सहित कतेको सुविधा उपलब्ध रहबाक दावा कयल गेल छल। मुदा जांचक दौरान ओतय एकोटा डॉॅक्टर मौजूद नहि छलाह। एकर बाद टीम नारायणपुर चौक स्थित वैष्णवी क्लिनिक पहुंचल। क्लिनिक खुजल छल, मुदा डॉ क्टर गायब छलाह। ओतय एक युवक आ एक युवती भेटलाह, जिनका डॉ क्टरक नाम आ मोबाइल नंबर तकक जानकारी नहि छलनि। तेसर छापामारी नारायणपुर स्थित सिद्धि विनायक हेल्थ केयर मे कयल गेल। ओतय ब्रेन ट्यूमर सं पीड़ित एक महिला रोगी भर्ती भेटलीह। हुनकर पहचान मनीगाछी थाना क्षेत्रक परौल गांव निवासी राधा देवीक रूप मे भेल। मरीजक पिता आ भैरवस्थान थाना क्षेत्रक भरौल गांव निवासी रामदेव मुखियाक कहब छलनि जे हुनकर बेटीक इलाज मुंबई मे चलि रहल छल। आर्थिक तंगीके कारण ओ बेटी कें घरे लए अनलनि। मुदा स्थिति बिगड़लापर बृहस्पतिदिन दुपहर करीब 12:30 बजे एहि अस्पताल मे भर्ती करौलनि। रामदेव मुखियाक आरोप छलनि जे भर्ती करेलाक बाद एकोटा डॉ क्टर रोगी कें देखय तक नहि अयलाह। प्रैक्टिशनर आ संचालक रामनंदन कुमार मरीजक देखरेख कए रहल छलाह।
अस्पतालक बोर्ड पर डॉ. संजय कुमार (एमबीबीएस, एमडी), जनरल फिजिशियन आ छाती रोग विशेषज्ञ डॉ. एसके सिंह, जनरल फिजिशियन; आ डॉ. शोभा कुमारी (बीएएमएस), स्त्री एवं प्रसूति रोग विशेषज्ञक नाम लिखल छल। मुदा जांचक दौरान 24 घंटा मे एकोटा डॉक्टर ओतय मौजूद नहि भेटलाह। जांच पदाधिकारी सह झंझारपुर पीएचसी प्रभारी डॉ. मुकेश कुमार कहलनि जे तीनू संस्थाक स्थिति संदिग्ध प्रतीत होइत अछि। तीनू अस्पताल संचालक कें शनिदिन सांझ 4 बजे तक अपन-अपन अस्पताल आ नर्सिंग होमक वैध कागजात झंझारपुर पीएचसी मे जमा करबाक निर्देश देल गेल अछि। कागजात जमा नहि करय पर सभ संस्था कें सील कयल जा सकैत अछि। स्वास्थ्य विभागक एहि कारबाइ सं क्षेत्र मे कथित फर्जी नर्सिंग होम चलाबयवला संचालक सभ मे हड़कंप मचल अछि।