राज्यस्तरीय प्रतियोगिताक लेल सेहो मधुबनीक कतेको खेलाड़ी चयनित
मधुबनी, समदिया
दरभंगा जिला मे आयोजित प्रमंडलस्तरीय विद्यालय खेल प्रतियोगिता 2026-27 मे मधुबनी जिलाक खेलाड़ी सभ शानदार प्रदर्शन कए जिलाक मान बढ़ौलनि। प्रतियोगिताक समापन दिवस पर अंडर-14, अंडर-17 आ अंडर-19 बालक-बालिका वर्गक विभिन्न स्पर्धा मे खेलाड़ी सभ अपन खेल कौशल आ प्रतिभाक प्रदर्शन करैत कतेको पदक जीतलनि। कबड्डी, फुटबॉल, हैंडबॉल आ अन्य खेल मे नीक प्रदर्शन करयवला कतेको प्रतिभागीक चयन राज्यस्तरीय विद्यालय खेल प्रतियोगिताक लेल सेहो भेल अछि। वुशू प्रतियोगिता मे मधुबनीक खेलाड़ी विशेष उपलब्धि हासिल कयलनि। अंडर-19 बालिका वर्ग मे मनीषा कुमारी (70 किलोग्राम), लक्ष्मी कुमारी (56 किलोग्राम) आ कन्या कुमारी (48 किलोग्राम) स्वर्ण पदक जीतलनि। एहि वर्ग मे प्रीति कुमारी (45 किलोग्राम) रजत पदक प्राप्त कयलनि। अंडर-19 बालक वर्ग मे सतीश कुमार (48 किलोग्राम), रूपेश कुमार (52 किलोग्राम) आ मंजय कुमार (60 किलोग्राम) रजत पदक जीतलनि।
फुटबॉलक अंडर-14 बालक वर्ग मे मधुबनीक टीम रजत पदक हासिल कयलक। योग प्रतियोगिताक अंडर-17 बालक वर्ग मे माधव कुमार स्वर्ण पदक, जखन कि अंडर-14 बालिका वर्ग मे निशा भारती रजत पदक जीतलीह। जिला खेल पदाधिकारी नीतीश कुमार पदक विजेता खेलाड़ी सभ कें बधाई दैत कहलनि जे ई उपलब्धि खेलाड़ी सभक मेहनत, लगन, अनुशासन आ निरंतर अभ्यासक परिणाम अछि। ओ कहलनि जे जिला मे खेल प्रतिभा कें प्रोत्साहित करबाक संग नीक प्रशिक्षण आ अवसर उपलब्ध करयबाक प्रयास कयल जा रहल अछि। राज्यस्तरीय प्रतियोगिताक लेल चयनित खेलाड़ी सभ कें शुभकामना दैत ओ आशा व्यक्त कयलनि जे ओ आगू सेहो उत्कृष्ट प्रदर्शन करताह।