अभियंता चंद्रशेखरक 4 स्थान पर छापा, पत्नीक नाम भेटल करोड़क जमीन
- आय सं बेसी संपत्ति अर्जित करबाक आरोप, निगरानी अन्वेषण ब्यूरो केलक कारबाइ
पटना, समदिया
ग्रामीण कार्य विभागक कार्यपालक अभियंता चंद्रशेखर सिंहक चारि स्थान पर निगरानी अन्वेषण ब्यूरो बृहस्पति कें एकहि संग छापेमारी शुरू कयलक। आय सं करीब 1.10 करोड़ टाका बेसी संपत्ति अर्जित करबाक आरोप मे पटना, छपरा, कटिहार आ पश्चिम बंगालक दार्जिलिंग मे तलाशी लेल गेल अछि। चंद्रशेखर सिंह छपरा मे गुणवत्ता परीक्षण पद पर तैनात छथि। हुनकर छपरा स्थित कार्यालय, पटनाक सरयुग वामिका अपार्टमेंट स्थित फ्लैट, कटिहारक लोहिया नगर स्थित पैतृक आवास आ दार्जिलिंग जिलाक फांसीदेवा थाना क्षेत्रक एक ठाम पर छापेमारी कयल गेल।
जांचक क्रम मे अभियंताक पत्नी श्वेता कुमारीक नाम पर दार्जिलिंग मे 92 डिसमिल अर्थात करीब 31 कट्ठा जमीनक जानकारी भेटल अछि। ई जमीन 2021 मे राष्ट्रीय राजमार्गक लग किनल गेल छल। एकर बाजार मूल्य करोड़ो टाका होयबाक अनुमान अछि। हालांकि, वास्तविक मूल्यक सत्यापन एखन बांकी अछि।
घर सं नकद आ गहना बरामद
निगरानी टीमक अनुसार, पटना स्थित आवास सं करीब 3 लाख टाका आ कटिहार स्थित घर सं करीब 2 लाख टाका नकद बरामद भेल अछि। कटिहारक घर सं करीब 250 ग्राम सोना-चानीक गहना सेहो भेटल अछि। कटिहारक लोहिया नगर स्थित पैतृक आवास मे तीनू भाइ अपन परिवारक संग रहैत छथि। तलाशीक क्रम मे बंद अलमारी आ दूटा अटैचीक ताला तोड़ल गेल। स्थानीय पुलिसक सहयोग सं कारीगर बजा ताला खुलबाओल गेल। निगरानी टीम घरक सामानक बारीकी सं जांच कएलक।