सहरसा हवाई अड्डा पर जल्दिये शुरू होयत रनवे निर्माणक काज, दू कंपनी लगौलक बोली
- 42.52 करोड़ टाकाक योजना, 15 मास मे पूरा होयत निर्माण
सहरसा, समदिया
सहरसा हवाई अड्डाक विकास आ आधुनिकीकरण लेल भारतीय विमानपत्तन प्राधिकरण (एएआइ) 42.52 करोड़ टाकाक निविदा निकालने अछि। एहि काज लेल एलके बिल्डर्स आ एनएससी प्रोजेक्ट्स प्राइवेट लिमिटेड बोली लगौने अछि। परियोजना अंतर्गत रनवे, टैक्सीवे, एप्रन आ अन्य आधारभूत संरचनाक निर्माण कयल जायत। काज पूरा करबाक लेल 15 मासक समय निर्धारित कयल गेल अछि, जाहि मे बरखाक 2 मास सेहो शामिल अछि।
योजनाक अनुसार, सहरसा हवाई अड्डाक कोड-2बी श्रेणीक छोट विमानक संचालन योग्य बनाओल जायत। एकर विकास भेलाक बाद एकहि समय दू विमानक संचालन संभव होयत। 8 सितंबर कें निविदा जारी कयल गेल छल। 28 अक्टूबर कें तकनीकी बोली खोलल जायत, तकर बाद निर्माण एजेंसीक चयन होयत।
1 किलोमीटर लंबा होयत रनवे
हवाई अड्डाक वर्तमान रनवेक किछु हिस्सा तोड़ि नव निर्माण कयल जायत। नव रनवे 1000 मीटर लंबा आ 30 मीटर चौड़ा होयत। रनवे स्ट्रिपक कुल लंबाइ 1120 मीटर राखल जायत। दुनू छोर पर सुरक्षा क्षेत्र बनाओल जायत। एकर अतिरिक्त परिधीय सड़क, आपातकालीन पहुंच पथ आ अन्य सुविधा विकसित कयल जायत। वर्तमान हवाई अड्डा लग लगभग 60 एकड़ जमीन अछि। छोट विमानक संचालन लेल 15 एकड़ अतिरिक्त जमीनक आवश्यकता अछि। राज्य सरकार 12 एकड़ जमीन उपलब्ध करा रहल अछि। जमीन अधिग्रहण पर करीब 147 करोड़ टाका खर्च होयत, जे राज्य सरकार वहन करत।
एहि वर्ष 22 अप्रैल कें सेहो एएआइ निविदा निकालने छल। ओहि निविदा मे चारि एजेंसी भाग लेने छल, जाहि मे न्यूनतम बोली 24.95 करोड़ टाका छल। मुदा एखन धरि एजेंसीक चयन नहि भेल अछि। तकर बाद सितंबर मे दोसर निविदा जारी कयल गेल।