Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

कार्यपालक अभियंता नारद कुमारक पांच स्थान पर ईओयूक छापा, सासुर सं 52 लाख नगद बरामद

Avatar
By Samadiya Mithila
October 8, 2026 3 Min Read
0

 

  • मुंगेरक किरायाक घर मे भेटल गहनाक खजाना, मंगाबय पड़ल इलेक्ट्रिक तराजू

 

भागलपुर/मुंगेर/मुजफ्फरपुर, समदिया

आय सं अधिक संपत्तिक मामिला मे आर्थिक अपराध इकाई (ईओयू) बृहस्पति कें योजना आ विकास विभागक कार्यपालक अभियंता तथा भागलपुर निवासी नारद कुमार दासक पांच स्थान पर एकहि संग छापामारी केलक। ई कारबाइ भागलपुर, मुंगेर, मुजफ्फरपुर आ पटना स्थित स्थान सभ पर कएल गेल। ईओयू केर प्रारंभिक जांच मे नारद कुमार दासक ज्ञात आ वैध आयक तुलना मे 83 लाख 53 हजार 200 रुपैयाक अधिक संपत्ति होयबाक प्रथमदृष्टया प्रमाण भेटबाक बात कहल गेल अछि। ई राशि हुनकर ज्ञात आय सं करीब 64.93 प्रतिशत अधिक बताओल गेल अछि।

भोर 4.30 बजे भागलपुरक आवास पर पहुंचल टीम

बृहस्पतिक भोर पुलिस उपाधीक्षक स्तरक पदाधिकारी सभक नेतृत्व मे ईओयूक अलग-अलग टीम एकहि समय पर छापामारी शुरू केलक। भागलपुरक तिलकामांझी स्थित हनुमान पथक आवास पर भोर करीब 4.30 बजे सं तलाशी शुरू भेल। टीम आवास मे राखल दस्तावेज, संपत्ति सं संबंधित कागजात आ अन्य महत्वपूर्ण साक्ष्यक जांच-पड़ताल केलक।

मुजफ्फरपुर स्थित नारद कुमार दासक सासुर मे ईओयूक टीम भोर करीब सात बजे राधिका अपार्टमेंटक फ्लैट संख्या 2एफ मे छापेमारी शुरू केलक। कहल गेल अछि जे एहि फ्लैट मे हुनकर सासु-ससुर आ सार रहैत छथि तथा नारद कुमार दास अपन पत्नी संग समय-समय पर एतय अबैत-जाइत छथि। तलाशीक क्रम मे करीब 52 लाख रुपैया नगद बरामद होयबाक जानकारी अछि। नगदीक मात्रा बेसी होयबाक कारण नोट गिनबाक लेल मशीन मंगाबय पड़ल। जांच एजेंसी कें कथित रूप सं सूचना भेटल छल जे आय सं अर्जित रकमक एकटा हिस्सा सासुर मे राखल गेल अछि। एहि स्थान पर करीब छह घंटा धरि तलाशी चलल।

मुंगेरक किरायाक मकान पर सेहो छापा

नारद कुमार दास वर्तमान मे मुंगेर मे पदस्थापित छथि। ओ कासिम बाजार थाना क्षेत्रक बेलन बाजार, बंगाली टोला स्थित एकटा किरायाक मकान मे रहैत छथि। ईओयू केर टीम बृहस्पतिक भोर हुनकर ड्यूटी पर जाए सं पहिने ओतय पहुंचि गेल आ तलाशी शुरू कए देलक। सूत्रक अनुसार, तलाशी मे पैघ मात्रा मे गहना भेटबाक बात सामने आयल अछि। एकरा बाद स्थानीय पुलिस एकटा आभूषण कारोबारी कें इलेक्ट्रिक तराजू सहित घटनास्थल पर बजौलक। गहनाक वजन आ अन्य विवरणक जांच कएल जा रहल अछि। सुरक्षा व्यवस्था लेल मकानक बाहर पैघ संख्या मे पुलिसक जवान तैनात कएल गेल छल।

सरकारी कार्यालय मे चारि घंटा धरि जांच

मुंगेर स्थित नारद कुमार दासक सरकारी कार्यालय मे सेहो ईओयूक टीम करीब चारि घंटा धरि तलाशी लेलक। एहि दौरान किछु महत्वपूर्ण दस्तावेज जब्त कए टीम अपन संग लए गेल। दस्तावेज सभक विस्तृत जांच कएल जाएत। कार्यालय सं बरामद सामग्रीक संबंध मे एखन विस्तृत जानकारी सामने नहि आयल अछि। ईओयूक वरिष्ठ डीएसपी संजय पांडेयक अनुसार, जांचक क्रम मे आय सं अधिक संपत्तिक मामिला सामने आयल छल। जांच मे इहो जानकारी भेटल जे किछु टाका सासुर मे राखल गेल होयबाक आशंका अछि। एहि आधार पर तलाशी अभियान चलाओल गेल।

सर्च वारंटक बाद भेल कारबाइ

ईओयूक अनुसार, नारद कुमार दासक ज्ञात कानूनी आय आ संपत्तिक प्रारंभिक जांच मे 83.53 लाख रुपैया आय सं अधिक संपत्ति होयबाक प्रथमदृष्टया प्रमाण भेटल। एहि आधार पर आर्थिक अपराध इकाई तलाशी लेल पटना स्थित विशेष न्यायालय (निगरानी) सं सर्च वारंट प्राप्त केने छल। पांचो ठिकाना पर तलाशी मे भेटल नगदी, गहना, दस्तावेज आ अन्य साक्ष्यक सत्यापनक प्रक्रिया जारी अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

ज्ञानेश कुमारक विरुद्ध विपक्षक लगातार तेसर दिन प्रदर्शन,  राहुल-प्रियंका राजघाट पर बापू कें श्रद्धांजलि देलनि

Next

बैरिकेड पर चढ़ि कए ताकति देखौलनि तेजस्वी, हथकड़ी लगा प्रदर्शन केलनि राजेश राम

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech