जितियाक नहाय-खाय पर खूब बिकायल माछ आ मरुआक आटा
शहर सं गाम धरि बजार मे रहल चहल-पहल, बढ़ल माछक दाम
सहरसा, समदिया
जितिया पर्व कें लए कए शुक्रदिन जिलाक विभिन्न माछ बजार मे जबरदस्त रौनक देखल गेल। नहाय-खाय परंपराक अंतर्गत माछ आ मरुआक रोटी खेनाइ कें लए कए भोरे सं माछ खरीदय लेल बजार सभ मे लोकक भीड़ उमड़ैत रहल। शहरक रिफ्यूजी कॉलोनी, कचहरी ढाला, वीर कुंवर सिंह चौक, सहरसा बस्ती, पूरब बाजार सहित आसपासक ग्रामीण क्षेत्रक बजार सभ मे दिनभरि माछक खरीद-बिक्री होइत रहल। पर्व कें लए कए माछक मांग अनचोके बढ़ला सं दाम मे सेहो तेजी देखल गेल। सामान्य दिन मे जाहि दाम पर विभिन्न प्रजातिक माछ उपलब्ध रहैत छल, जितिया पर्वक अवसर पर ओकर दाम अपेक्षाकृत बेसी रहल। मुदा पर्वक परंपरा आ मान्यता कें ध्यान मे रखैत लोक अपन-अपन पसिनक माछ जमि कए कीनलनि। ओतहि बजार सभ मे मरुआक आटाक मांग सेहो बढ़ल रहल। कतेको दोकान पर माछ आ मरुआक आटा खरीदय लेल लोकक भीड़ लागल रहल। स्थानीय कारोबारी सभक अनुसार जितिया पर्वक कारण एहि बेर सामान्य दिनक तुलना मे माछक बिक्री मे बहुत वृद्धि भेल। ग्रामीण क्षेत्र सं सेहो पैघ संख्या मे लोक शहरक बजार मे खरीदारी करय लेल पहुंचलाह। एहि कारण बजार सभ मे देर धरि चहल-पहल बनल रहल। जिला मत्स्य पदाधिकारी जय प्रकाश सिंह कहलनि जे कोसी क्षेत्रक लोक माछक बहुत शौकीन छथि। जितिया पर्वक अवसर पर विभिन्न प्रजातिक माछक खूब खरीदारी भेल अछि। पर्व कें लए कए माछक बिक्री मे वृद्धि भेल अछि। संगहि प्रतिबंधित माछक बिक्री पर विभाग आ टीमक सक्रियता बनल रहल आ लगातार निगरानी कएल गेल।