राष्ट्रपिता महात्मा गांधी आ पूर्व प्रधानमंत्री शास्त्रीक जयंती पर कांग्रेस कार्यालय मे श्रद्धांजलि सभा
सीतामढ़ी, समदिया
सत्य, अहिंसा आ शांतिक पुजारी राष्ट्रपिता महात्मा गांधीजी आ पूर्व प्रधानमंत्री लाल बहादुर शास्त्रीजीक जयंतीक अवसर पर जिला कांग्रेस कमिटी कार्यालय, ललित आश्रम गांधी मैदान मे जिलाध्यक्ष अमित कुमार टुन्नाक अध्यक्षता मे श्रद्धांजलि सभा सह विचार गोष्ठीक आयोजन कएल गेल। एहि अवसर पर कांग्रेसक कार्यकर्ता सभ महापुरुषद्वयक तैलचित्र पर पुष्पांजलि अर्पित कए भावपूर्ण श्रद्धांजलि देलनि आ हुनक आदर्श आ विचार कें आत्मसात करबाक संकल्प लेलनि। जिलाध्यक्ष अमित कुमार टुन्ना कहलनि जे सत्य, अहिंसा, शांति, सद्भाव आ मानवताक गांधीजीक संदेश कें अपन जीवन मे आत्मसात कए समाज आ राष्ट्र मे सकारात्मक परिवर्तन आनल जा सकैत अछि। ओ कहलनि जे पूर्व प्रधानमंत्री लाल बहादुर शास्त्री स्वाधीनता संग्राम मे अग्रणी भूमिका निभौने छलाह। स्वतंत्र भारत कें अपन सरल, दृढ़ आ यशस्वी नेतृत्व सं ओ नव दिशा देबाक काज केलनि। एहि अवसर पर प्रदेश कांग्रेस प्रतिनिधि रकटू प्रसाद, मो. अफाक खान, सीताराम झा, प्रमोद कुमार नील, संजय कुमार बिररख, डॉ. राजीव कुमार काजू, रितेश रमण सिंह, मो. शम्स शाहनवाज, मनोज कुमार सिंह, आफताब अंजुम बिहारी सहित अन्य कांग्रेसजन गांधीजी आ शास्त्रीजी कें श्रद्धा-सुमन अर्पित केलनि। उपस्थित सभ लोक लोकतंत्र, संविधान आ मातृभूमिक रक्षा लेल अपन संकल्प दोहरौलनि।