Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

राज्य मे बाढ़ि सं 10 हजार करोड़क नोकसान

Avatar
By Samadiya Mithila
October 10, 2026 3 Min Read
0

 

 रिकॉर्ड जलस्तर तोड़लक पुरान रिकॉर्ड

 

पटना। गंगा, गंडक, सोन आ कोसी सहित बिहारक प्रमुख नदी सभ मे कतेको वर्षक बाद रिकॉर्ड जलस्तर पहुंचबाक कारण राज्य के 10,000 करोड़ रुपैया सं बेसी नोकसान भेल अछि। एहि मे आधा सं बेसी क्षति जल संसाधन विभागक तटबंध टूटबाक आ क्षतिग्रस्त होयबाक कारण भेल अछि।

हालांकि, ई नुकसानक प्रारंभिक आकलन अछि। कतेको विभागक आखरी रिपोर्ट एखन भेटब बाकी अछि। एहन स्थिति मे आखरी आकलनक बाद नुकसानक आंकड़ा आओर बढ़बाक आशंका अछि।

बाढ़िक कहर दू चरण मे देखबा लेल भेटल। पहिल चरण मे 26 अगस्त सं 10 सितंबरक बीच बिहारक नदी सभक राज्य सं बाहर स्थित जलग्रहण क्षेत्र सभ मे भारी बरखा भेल। एहि दौरान 30 रेनगेज स्थल पर औसतन 225 मिलीमीटर सं बेसी बरखा दर्ज कयल गेल।

एकर कारण गंगा नदी दानापुर, गांधीघाट, बंकाघाट, पंडारक, सुल्तानगंज आ एकचारी मे अपन पुरान उच्चतम जलस्तरक रिकॉर्ड तोड़ि देलक। दरधा नदीक कोल्हाचक मे सेहो जलस्तरक नव रिकॉर्ड बनल।

दोसर चरण मे 24 सं 30 सितंबरक बीच नेपाल आ उत्तर प्रदेश मे भेल भारी बरखा सं गंडक नदी मे पानिक दबाव बहुत बढ़ि गेल। एहि दौरान 13 घंटा धरि 5 लाख क्यूसेक आ 32 घंटा धरि 4 लाख क्यूसेक पानिक बहाव दर्ज कयल गेल।

गंडक नदी बगहा, डुमरियाघाट, रेवाघाट आ लालगंज मे उच्चतम जलस्तरक नव रिकॉर्ड बनौलक। पानिक भारी दबावक कारण नदीक छह स्थान पर तटबंध क्षतिग्रस्त भए गेल।

पहिल चरणक बाढ़ि सं 9,617 करोड़क नोकसान

पहिल चरणक बाढ़ि सं 9,617 करोड़ रुपैयाक नुकसानक आकलन कयल गेल अछि। एहि मे जल संसाधन विभाग तटबंध क्षतिग्रस्त होयबाक कारण 5,472 करोड़ रुपैयाक क्षति बतौने अछि।

आपदा प्रबंधन विभाग 2,710 करोड़, ग्रामीण कार्य विभाग 1,062 करोड़, कृषि विभाग 270 करोड़, पथ निर्माण विभाग 76 करोड़ आ लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण विभाग 27 करोड़ रुपैयाक नुकसानक सूचना देने अछि।

ओतहि, दोसर चरणक बाढ़ि सं 1,054 करोड़ रुपैयाक नुकसानक आकलन भेल अछि। एहि मे जल संसाधन विभाग दिस सं 1,027.34 करोड़ आ लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण विभाग दिस सं 26.81 करोड़ रुपैयाक क्षति बताओल गेल अछि। दुनू चरणक विभागीय आकलन जोड़ला पर नुकसानक राशि 10,671 करोड़ रुपैया होइत अछि।

गंडकक तटबंध क्षतिग्रस्त भेला सं कतेको प्रखंड प्रभावित

गंडक नदीक तटबंध क्षतिग्रस्त होयबाक कारण पश्चिम चंपारणक बगहा-एक, बैरिया आ योगापट्टी, गोपालगंजक बैकुंठपुर तथा सारणक मकेर आ पानापुर प्रखंड प्रभावित भेल।

जल संसाधन विभाग क्षतिग्रस्त तटबंध सभक मरम्मति लेल 28 करोड़ 65 लाख रुपैया, चंपारण, तिरहुत आ दोसर तटबंध सभक मजबूतीकरण लेल 973 करोड़ 69 लाख रुपैया आ बाढ़ि सं पहिने मरम्मति लेल 25 करोड़ रुपैयाक मांग कयने अछि।

11 जिला मे 82 हजार हेक्टेयर सं बेसी फसल बर्बाद

बाढ़ि सं कृषि क्षेत्र के सेहो भारी नोकसान पहुंचल अछि। कृषि विभाग 11 जिला मे 82,186 हेक्टेयर जमीन पर फसल बर्बाद होयबाक अनुमान लगौने अछि।

खेत सभ मे पानि भरि जेबाक आ फसल डूबि जेबाक कारण किसान सभके आर्थिक नोकसान भेल अछि। फसल क्षतिक आखरी आकलन भेलाक बाद प्रभावित किसान सभके भेटय बला सहायता राशि आ ओकर दायरा स्पष्ट होयत।

बाढ़ि मे 26 लोकक मृत्यु, सारण मे सब सं बेसी 15 मृत्यु

दुनू चरणक बाढ़ि मे राज्य मे कुल 26 लोकक मृत्यु भेल अछि। पहिल चरण मे 8 आ दोसर चरण मे 18 लोकक जान गेल। सारण मे सब सं बेसी 15 लोकक मृत्यु भेल अछि।

एकर अतिरिक्त, पश्चिम चंपारण मे 3, मुंगेर मे 4, भोजपुर मे 2 आ भागलपुर मे 2 लोकक मृत्यु भेल अछि। राज्य सरकार मृतक सभक परिजन के 4-4 लाख रुपैया अनुग्रह अनुदान दए रहल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

पटना मे जेडी वीमेंस कॉलेजक बाहर प्रदर्शन

Next

गुजरात सं बिहार लौटि रहल छथि हजारो मजदूर, कहलनि, छुट्‌टी मंगलहुं तं सेठ नोकरी सं निकालि देलक

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech