Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

दरभंगाक भावना कंठ बनलीह देशक पहिल महिला ‘टॉप गन’ ,आब लड़ाकू मिशनक करतीह लीड

Avatar
By Samadiya Mithila
August 7, 2026 3 Min Read
0

2016 मे बनल छलीह पहिल महिला फाइटर पायलट बैचक हिस्सा

शुरुआती पढ़ाइ डीएवी पब्लिक स्कूल, बरौनी रिफाइनरी सं केलीह

फोटो 103

पटना। दरभंगा जिलाक एकटा छोट गाम सं निकलल स्क्वाड्रन लीडर भावना कंठ भारतीय वायुसेनाक इतिहास मे नव अध्याय जोड़ि देलनि अछि। ओ फाइटर कॉम्बैट लीडर  कोर्स पूरा कएनिहार देशक पहिल महिला फाइटर पायलट बनि गेल छथि। एहि उपलब्धिक बाद हुनका भारतीय वायुसेनाक सबसं प्रशिक्षित लड़ाकू पायलट सभक श्रेणी मे शामिल कएल गेल अछि। आब ओ हवाई युद्ध अभियान सभक अगुआई सेहो कए सकत छथि।

भारतीय वायुसेनाक लेल ई ऐतिहासिक उपलब्धि मानल जा रहल अछि। स्क्वाड्रन लीडर भावना कंठ ग्वालियर स्थित टैक्टिक्स एंड एयर कॉम्बैट डेवलपमेंट एस्टैब्लिशमेंट क प्रतिष्ठित फाइटर कॉम्बैट लीडर कोर्स पूरा कएलनि अछि। एहि कोर्सक समापनक बाद हुनका ‘टॉप गन’क पहचान भेटल अछि।

ई कोर्स मात्र ओहि फाइटर पायलट सभक लेल होइत अछि, जे उड़ान, रणनीति आ युद्ध कौशल मे अत्यंत उच्च स्तरक प्रदर्शन करैत छथि। एहि कोर्स के पूरा कएनिहार पायलट आगू चलि कए हवाई अभियान सभक योजना बनबैत छथि, दोसर पायलट सभक प्रशिक्षण दैत छथि आ ऑपरेशनक नेतृत्व करैत छथि।

भावना कंठ दरभंगा जिलाक घनश्यामपुर प्रखंडक बाउर गामक निवासी छथि। हुनकर पैतृक गाम बाउर अछि। जखनकि हुनकर बचपन बेगूसरायक बरौनी रिफाइनरी टाउनशिप मे बीतल। हुनकर पिता तेज नारायण कंठ इंडियन ऑयल कॉर्पोरेशन मे इलेक्ट्रिकल इंजीनियर रहि चुकल छथि, जखनकि माता राधा कंठ गृहिणी छथि।

भावना अपन शुरुआती पढ़ाइ डीएवी पब्लिक स्कूल, बरौनी रिफाइनरी सं कएलनि। एकर बाद ओ इंजीनियरिंगक पढ़ाइक लेल बेंगलुरु गेलीह। ओ बीएमएस कॉलेज ऑफ इंजीनियरिंग सं मेडिकल इलेक्ट्रॉनिक्स मे बीई डिग्री हासिल कएलनि। किछु समय धरि नौकरीक विकल्प सेहो छल, मुदा हुनकर सपना वायुसेना मे जेबाक छल। ओ एयर फोर्स कॉमन एडमिशन टेस्ट पास कएलनि आ अंततः भारतीय वायुसेनाक हिस्सा बनि गेलीह।

वर्ष 2015 मे केंद्र सरकार पहिल बेर महिला सभक लेल फाइटर स्ट्रीम खोलबाक निर्णय लेल गेल छल। एकर बाद जून 2016 मे भावना कंठ, अवनी चतुर्वेदी आ मोहना सिंह भारतीय वायुसेनाक पहिल महिला फाइटर पायलट बैचक हिस्सा बनलीह।

तीनू गोटे ओहि समय इतिहास रचलनि। एकर बाद भावना लगातार नव उपलब्धि हासिल करैत रहलीह। मार्च 2018 मे ओ मिग-21 बाइसन विमानक सोलो उड़ान भरलनि। एहन कएनिहार ओ देशक दोसर महिला फाइटर पायलट बनलीह।

2019 मे पहिल बेर भेटल छल कॉम्बैट मिशन उड़ाबैक मंजूरी

मई 2019 मे भावना कंठ एकटा आओर कीर्तिमान स्थापित कएलनि। ओ मिग-21 बाइसन पर ‘डे ऑपरेशनल सिलेबस’ पूरा कएलनि आ दिनक समय लड़ाकू मिशन उड़ाबैक अनुमति प्राप्त कएनिहार देशक पहिल महिला फाइटर पायलट बनलीह।

ओहि समय भारतीय वायुसेना कहलक जे भावना अपन मेहनत, अनुशासन आ निरंतर अभ्यासक बल पर ई मोकाम हासिल कएलनि अछि। एकर बाद हुनकर नाम देशक सबसं सक्षम महिला फाइटर पायलट सभ मे शामिल भए गेल।

‘टॉप गन’ बननाइ किएक मानल जाइत अछि पैघ उपलब्धि

फाइटर कॉम्बैट लीडर कोर्स भारतीय वायुसेनाक सबसं कठिन कोर्स सभ मे गिनल जाइत अछि। सामान्य भाषामे एकरा ‘टॉप गन’ कोर्स सेहो कहल जाइत अछि।

एहि मे मात्र अनुभवी फाइटर पायलट सभक चयन होइत अछि। हुनका हवाई युद्धक रणनीति, शत्रुक विरुद्ध अभियान, टीम नेतृत्व, आधुनिक हथियार सभक उपयोग आ जटिल युद्ध परिस्थिति सभ सं निपटबाक प्रशिक्षण देल जाइत अछि।

कोर्स पूरा कएनिहार पायलट सभ मात्र विमान उड़ाबए धरि सीमित नहि रहैत छथि। ओ पूरा मिशनक योजना बनबैत छथि, दोसर पायलट सभक प्रशिक्षण दैत छथि आ युद्धक दौरान महत्वपूर्ण निर्णय लेनिहार टीमक हिस्सा बनैत छथि। एहि कारण भारतीय वायुसेना मे ‘टॉप गन’क पहचान अत्यंत प्रतिष्ठित मानल जाइत अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

bhawana kanth
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ईपेपर

Next

 सड़क दुर्घटना मे युवकक मृत्यु पर हंगामा,  बस सहित 10 गाड़ी फूंकल गेल

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech