Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

 सड़क दुर्घटना मे युवकक मृत्यु पर हंगामा,  बस सहित 10 गाड़ी फूंकल गेल

Avatar
By Samadiya Mithila
August 7, 2026 3 Min Read
0

 

ट्रैफिक पुलिस चौकी जराओल गेल, हाईवे केलक जाम

पटनाक अगमकुआं थाना क्षेत्रक जीरो माइल लग भेल घटना

पटना। पटना मे सड़क दुर्घटना मे एक युवकक मृत्युक बाद स्थिति बेकाबू भए गेल। ई घटना अगमकुआं थाना क्षेत्रक जीरो माइल लग शुक्र भोरक अछि, जतय तेज गति बसक चपेट मे एला सं युवकक घटनास्थले पर मृत्यु भए गेल। घटनाक बाद आक्रोशित लोक सभ ओहि बस मे आगि लगा देलक।

फायर ब्रिगेडक टीम घटनास्थल पर पहुंचल, मुदा भीड़ हुनका रोकि देलक। एकर बाद स्थिति आरो बिगड़ैत गेल। पुलिस सेहो घटनास्थल पर पहुंचल, मुदा तनाव बढ़ि गेल।

आक्रोशित भीड़ 2टा पुलिस गाड़ी, बस आ बाइक सहित करीब 10टा वाहन मे आगि लगा देलक। ट्रैफिक पुलिस पोस्ट जरा देल गेल। नेशनल हाईवे-30 पर जाम लगा देल गेल। पत्रकार सभ सं मारिपीट कएल गेल। घटनास्थल पर 9 थानाक पुलिस बल तैनात कएल गेल ।

पुलिस प्रदर्शन कएनिहार लोक सभ कें खीहाड़ि देलक अछि। ट्रैफिक व्यवस्था पुनः बहाल कए देल गेल अछि। आब प्रशासन आसपास लागल सीसीटीवी फुटेजक आधार पर उपद्रवी सभक पहचान करबा मे जुटल अछि। पुलिसक कहब अछि जे तोड़फोड़ आ आगजनी मे शामिल लोक सभ पर कानूनी कारबाइ कएल जाएत।

26 वर्षीय मनीष पटना मे फ्लेक्स लगाबैक काज करैत छल। ओ अपन गाम सं प्रतिदिन पटना अबैत-जाइत छल। मनीष तीन भाई-बहिन मे सबसं पैघ छल। ओ रोज जकां शुक्र भोर 7 बजे काज पर निकलल छल।

जानकारीक अनुसार पुल नहि रहबाक कारण लोक सभ सड़क पार करैत अछि। एहि कारण एतए अक्सर सड़क दुर्घटना होइत रहैत अछि। गामक लोक सभ किसान छथि आ मजदूरी करबा लेल जाइत छथि, ताहि लेल सड़क पार करनाइ आवश्यक होइत अछि।

पटना सिटीक एसडीपीओ राज किशोर सिंह कहलनि जे सड़क दुर्घटना मे एक व्यक्तिक मृत्यु भए गेल। एहि सं आक्रोशित लोक सभ सड़क पर गाड़ी सभ मे तोड़फोड़ कएलक। पुलिसक गाड़ी मे सेहो आगि लगा देल गेल। फिलहाल स्थिति नियंत्रण मे अछि। उपद्रवी सभक पहचान कए कारबाइ कएल जाएत।

पटना सिटीक एसडीओ सत्यम सहाय कहलनि जे एकटा बस सड़क पार करैत युवक कें पीचि देलक, जाहि सं हुनकर मृत्यु भए गेल। आक्रोशित लोक सभ ओहि बस मे आगि लगा देलक। फायर ब्रिगेडक टीम आगि पर काबू पाबि लेलक। फिलहाल स्थिति नियंत्रण मे अछि आ मामिलाक जांच कएल जा रहल अछि।

घटनाक बाद स्थानीय लोक सभ सड़क जाम कए देलक। पुलिस लोक सभ कें बुझाबए प्रयास कएलक, मुदा लोक शांत नहि भेल। एकर बाद पुलिस हल्का बल प्रयोग कए लोक सभ कें घटनास्थल सं हटा देलक।

सिटी एसपी (पूर्वी) शैलजा घटनास्थल पर पहुंचि स्थितिक जायजा लेलनि। हुनकर कहब अछि जे उपद्रवी सभक पहचान कएल जा रहल अछि, तत्पश्चात कारबाइ कएल जाएत।

लोक सभक हंगामाक कारण जीरो माइल चौक करीब 3 घंटा धरि जाम रहल। एहि कारण पटना-फतुहा मुख्य सड़क, बख्तियारपुर दिस जाएबला सड़क आ बिहटा दिस जाएबला मार्ग पर वाहन सभक लंबा कतार लागि गेल। एकटा ट्रैफिक पुलिस चेक पोस्ट मे आगि लगा देल गेल, जखनकि दोसर चेक पोस्ट मे लूटपाट कएल गेल।

मृतकक पिता उमेंद्र महतो मुआवजाक मांग राखलनि अछि। हुनकर कहब अछि जे घटनाक समय ओ स्वयं काज पर छलाह। भोर 7 बजे घटनाक जानकारी भेटल। हुनकर बेटा फ्लेक्स लगाबैक काज करैत छल आ काज पर जाएबाक क्रम मे दुर्घटनाक शिकार भए गेल।

जाहि बस सं दुर्घटना भेल, ओ पश्चिम बंगाल सं आबि रहल छल। बस मे यात्री सभ सेहो सवार छलाह। आगजनी सं पूर्व यात्री सभ अपन जान बचा कए बाहर निकलि गेलाह। फायर ब्रिगेडक गाड़ी आगि पर काबू पाबए मे जुटल रहल।

एएसपी राज कुमार सिंह कहलनि जे सड़क पार करबाक क्रम मे मनीष कुमार बसक चपेट मे आबि गेलाह। भीड़ मे किछु उपद्रवी तत्व सेहो शामिल भए गेल आ उत्पात मचाबए लागल। बस आ पुलिस गाड़ी सहित कतेको वाहन जरा देल गेल। पुलिस बल घटनास्थल पर पहुंचि गेल अछि आ स्थिति नियंत्रण मे अछि। तनाव कें देखैत पैघ संख्या मे पुलिस बल तैनात कएल गेल अछि। शव कें कब्जा मे लए पोस्टमार्टम लेल पठा देल गेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

दरभंगाक भावना कंठ बनलीह देशक पहिल महिला ‘टॉप गन’ ,आब लड़ाकू मिशनक करतीह लीड

Next

बिहार मे खुजत 400 नव डिग्री कॉलेज आ भागलपुर मे एआई विश्वविद्यालय

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech