कोसी पर बनत हाई डैम, केंद्रीय वित्त मंत्री डीपीआर तैयार करबाक देलनि निर्देश
- मुख्यमंत्री शुक्रदिन नई दिल्ली मे वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण आ विदेश मंत्री एस. जयशंकर सं भेंट केलनि
पटना, समदिया
कोसी नदी पर हाई डैम (उच्च स्तरीय बांध) परियोजनाक काज मे तेजी आबि गेल अछि। एहि परियोजनाक डीपीआर शीघ्र तैयार कएल जाएत आ परियोजनाक काज आगू बढ़ाओल जाएत। बिहारक मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक आग्रह पर केंद्रीय वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण एहि संबंध मे संबंधित पदाधिकारी सभ कें आवश्यक निर्देश देलनि। मुख्यमंत्री शुक्रदिन नई दिल्ली मे वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण आ विदेश मंत्री एस. जयशंकर सं भेंट कयलनि। एहि दौरान बिहारक विकास सं जुड़ल कतेको महत्वपूर्ण विषय पर विस्तार सं विचार-विमर्श भेल। बैठकक दौरान मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कोसी-मेची अंतःराज्यीय नदी जोड़ परियोजनाक पहिल चरण लेल आवश्यक राशि उपलब्ध करेबाक आग्रह कयलनि। ओतहि, परियोजनाक दोसर चरणक तकनीकी स्वीकृति सेहो शीघ्र देबाक विषय पर चर्चा भेल। केंद्रीय वित्त मंत्री एहि संबंध मे नेशनल वाटर डेवलपमेंट एजेंसी आ जल शक्ति मंत्रालय कें आवश्यक कारबाइ करबाक निर्देश देलनि।
मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कहलनि जे एहि परियोजनाक आगू बढ़ला सं बिहारक पूर्वी मिथिला क्षेत्र मे सिंचाइ, कृषि आ जल प्रबंधनक क्षेत्र मे महत्वपूर्ण लाभ होएत। सप्त कोसी परियोजनाक संबंध मे सेहो बैठक मे चर्चा भेल। एहि दौरान ई सुनिश्चित करबाक लेल सहमति बनल जे संयुक्त तकनीकी विशेषज्ञ समिति मे बिहारक एक सदस्य अवश्य शामिल रहताह। एहि सं परियोजना सं जुड़ल तकनीकी विषय मे बिहारक हित कें प्रभावी ढंग सं राखल जा सकत। मुख्यमंत्री बिहारक विकास लेल केंद्र सं अपेक्षित सहयोग देबाक आ लंबित विषय सभ पर शीघ्र कारबाइ करबाक आग्रह कयलनि।
विक्रमशिला विश्वविद्यालयक काज शीघ्र शुरू करबाक आग्रह
बैठक मे विक्रमशिला विश्वविद्यालयक स्थापना सं जुड़ल विषय पर सेहो विचार-विमर्श भेल। मुख्यमंत्री कहलनि जे भागलपुर मे एहि विश्वविद्यालयक स्थापना लेल बिहार सरकार 219 एकड़ भूमि उपलब्ध करा देने अछि। तहिना, हाजीपुर मे निफ्टेमक स्थापना लेल सेहो राज्य सरकार 100 एकड़ भूमि उपलब्ध करा चुकल अछि। सम्राट चौधरी केंद्र सरकार सं दुनू संस्थानक काज शीघ्र शुरू करबाक आग्रह कयलनि।
बैठक मे बिहार कें एनएसए एंड स्पर्शक माध्यम सं बेसी केंद्रीय सहायता उपलब्ध करेबाक उद्देश्य सं एकरा 30 सितंबर धरि लागू करबाक विषय पर सेहो चर्चा भेल। तहिना, रिफॉर्म बेस्ड इन्सेंटिव कें प्रभावी ढंग सं लागू करबाक विषय पर विचार कएल गेल। मुख्यमंत्री कहलनि जे एहि सं राज्य कें विकास योजनाक लेल अतिरिक्त वित्तीय संसाधन उपलब्ध करय मे सहायता भेटत।
बैठक सकारात्मक रहल : मुख्यमंत्री
सम्राट चौधरी कहलनि जे बैठक अत्यंत सकारात्मक रहल। बिहारक विकास सं जुड़ल महत्वपूर्ण विषय सभ पर केंद्र सरकारक दिस सं सकारात्मक सहयोग आ आवश्यक कारबाइक आश्वासन भेटल अछि। सोन-फल्गु रिवर लिंक परियोजना, महाबोधि कॉरिडोर आ विष्णुपद मंदिर कॉरिडोरक काज सेहो शीघ्र शुरू करबाक विषय पर चर्चा भेल।
मुख्यमंत्री कहलनि जे बिहारक समग्र विकास, आधारभूत संरचनाक विस्तार आ राज्य लेल बेसी सं बेसी केंद्रीय संसाधन उपलब्ध करयबाक उद्देश्य सं केंद्र आ राज्य सरकार मिलि कय तेजी सं काज कए रहल अछि। बैठक मे भारत-नेपाल जल आ बांध परियोजना, बजट सं जुड़ल विषय, पर्यटनक विकास आ बिहारक हित सं संबंधित अन्य महत्वपूर्ण विषय पर सेहो विस्तार सं चर्चा भेल। बैठक मे उपमुख्यमंत्री विजय कुमार चौधरी, राज्यसभा सांसद संजय झा, बिहारक मुख्य सचिव प्रत्यय अमृत सहित अन्य अधिकारी उपस्थित छलाह।