Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

खेल

अंडर 20 कुश्ती चैंपियनशिप : काजल बनलीह वर्ल्ड चैंपियन, लगातार दोसर बेर जीतली गोल्ड मेडल

Avatar
By Samadiya Mithila
August 21, 2026 2 Min Read
0

स्लोवाकिया। भारतीय महिला पहलवान काजल ढोचक ग्लोबल मंच पर अपन शानदार प्रदर्शन जारी रखैत स्लोवाकिया मे अंडर 20 कुश्ती विश्व चैंपियनशिपक 76 किलोग्राम वर्ग मे गोल्ड मेडल अपन नाम कएलनि। काजलक एहि ऐतिहासिक जीतक संग महिला कुश्तीक रोमांचक दिन मे भारत तनु शर्मा आ सविताक माध्यम सं दूटा महत्वपूर्ण सिल्वर मेडल सेहो जीतल।

18 वर्षीय काजल 76 किलोग्राम चैंपियनशिप मोकाबला मे हिस्सा लेलनि। ओ चीनक जिंगरू सनक विरुद्ध शानदार प्रदर्शन करैत 7-0 सं जीत दर्ज कए विश्व खिताब अपन नाम कएलनि। एहि जीतक संग भारतक होनहार युवा खेलाड़ी सभ मे हुनकर पहचान आरो मजबूत भेल अछि। काजलक शानदार रिकॉर्ड मे पहिनहि 2024 अंडर 17 विश्व चैंपियनशिपक 69 किलोग्राम आ 2025 अंडर 20 विश्व चैंपियनशिपक 72 किलोग्रामक खिताब शामिल अछि।

2025 मे 72 किलोग्राम वर्ग मे गोल्ड मेडल जीतलाक बाद एहि वर्ष काजल अपन भार वर्ग बदलैत 76 किलोग्राम मे मोकाबला कएलनि। ओ लगातार दोसर बेर अंडर 20 विश्व चैंपियन बनलीह। ओ भारतक दोसर एहन पहलवान छथि, जे एहि स्तर पर दू बेर गोल्ड मेडल जीतने छथि।

पूरा टूर्नामेंट मे काजल बिना एकटा अंक गंवौने खिताब अपन नाम कएलनि। फाइनल मे ओ चीनक जिंगरू सन कें 7-0 सं पराजित कएलनि। ई मोकाबला अंडर 20 एशियाई चैंपियनशिपक शुरुआती दौरक मोकाबला जकां छल, जतय काजल जीत हासिल केने छलीह।

2026 मे ई काजलक लगातार पांचम गोल्ड मेडल अछि। एहि वर्ष ओ तिराना रैंकिंग सीरीज आ एशियाई चैंपियनशिप मे सातम स्थान सेहो प्राप्त केने छलिह। एकर बाद काजल अंडर 23 एशियाई चैंपियनशिप, उलानबटार रैंकिंग सीरीज, अंडर 20 एशियाई चैंपियनशिप, बुडापेस्ट रैंकिंग सीरीज आ गुरुदिन अंडर 20 विश्व चैंपियनशिप मे गोल्ड मेडल जीतलनि।

काजल जापानक मियू ताकायामा केर विरुद्ध टूर्नामेंटक शुरुआत कएलनि आ हुनका पिन कए पराजित कएलनि। तकर बाद ओ तुर्कीक एल्मिरा यासिन कें 14-0 सं आ सेमीफाइनल मे अमेरिकाक पाइपर फाउलर कें 6-0 सं हरौलनि।

फाइनल मे काजलक लगातार दबावक कारण जिंगरू सन शुरुआत सं पाछू रहलिह। काजल पहिल ‘स्टेप-आउट’ करैत 1-0 केर बढ़त बनौलनि। तकर बाद ‘डबल-लेग अटैक’ सं दू अंकक ‘टेकडाउन’ हासिल कएलनि आ ब्रेक धरि 3-0 केर बढ़त बना लेलनि।

दोसर चरण मे ‘ओपन हैंड्स’ लेल जिंगरू सन कें चेतावनी देल गेल, जाहि सं काजलक स्कोर मे एकटा आरो अंक जुड़ि गेल। थाकल जिंगरू सन मैटक बीच मे रहबाक प्रयास कएलनि, मुदा काजल हुनका बाहर धकेलबाक संग ‘टेकडाउन’ करबा मे सफल रहलीह। एहि सं हुनकर बढ़त 7-0 भए गेल आ इएह जीतक आखरी स्कोर रहल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

अंडर 20 कुश्ती चैंपियनशिप
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

सुपौल मे ट्रेन सं खसि कए 40 वर्षीय मजदूरक मृत्यु: थुमहा मे रेलवे पुलक नीचा भेटल शव

Next

कोसी पर बनत हाई डैम, केंद्रीय वित्त मंत्री डीपीआर तैयार करबाक देलनि निर्देश

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • कोचिंग जा रहल 17 वर्षीय छात्रा कें अज्ञात वाहन पीचलक, घटनास्थल पर मृत्यु
  • टूटि गेल महागठबंधन! आठो सीट पर एमएलसी उम्मीदवार उतारत कांग्रेस
  • ब्रिक्सक साझा घोषणापत्र मे पहलगाम हमलाक निंदा, टेरर फंडिंग रोकबा पर देल गेल जोर
  • सीतामढ़ीमे पार्षद पतिक हत्या मामिला मे पैघ कारबाइ, थानाध्यक्ष मुकेश कुमार निलंबित

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • कोचिंग जा रहल 17 वर्षीय छात्रा कें अज्ञात वाहन पीचलक, घटनास्थल पर मृत्यु
  • टूटि गेल महागठबंधन! आठो सीट पर एमएलसी उम्मीदवार उतारत कांग्रेस
  • ब्रिक्सक साझा घोषणापत्र मे पहलगाम हमलाक निंदा, टेरर फंडिंग रोकबा पर देल गेल जोर
  • सीतामढ़ीमे पार्षद पतिक हत्या मामिला मे पैघ कारबाइ, थानाध्यक्ष मुकेश कुमार निलंबित

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech