ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे खेल कोचिंगक नव पाठ्यक्रम, बीसीए-एमसीए मे गणितक अनिवार्यता समाप्त
दरभंगा। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय खेलकूद कें बढ़ावा देबाक लेल फुटबॉल, वॉलीबॉल आ कबड्डी कोचिंगक तीन नव प्रमाणपत्र पाठ्यक्रम शुरू करबाक निर्णय लेने अछि। एकर संगहि बीसीए-एमसीए मे गणितक अनिवार्यता सेहो समाप्त कए देल गेल अछि।
ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति प्रो. संजय कुमार चौधरीक अध्यक्षता मे बुधदिन ऑनलाइन माध्यम सं विद्वत परिषदक बैठक भेल। कुलपति आवासीय कार्यालयक सभाकक्ष मे भेल एहि बैठक मे विश्वविद्यालयक शैक्षणिक स्तर कें बेहतर बनेबाक, नव रोजगारपरक पाठ्यक्रम कें स्वीकृति देबाक आ छात्र सभक सुविधा लेल कतेको महत्वपूर्ण निर्णय लेल गेल।
विश्वविद्यालय प्रशासन खेलकूद आ शारीरिक शिक्षा क्षेत्र मे युवाकें बेहतर अवसर उपलब्ध कराबय लेल महत्वपूर्ण निर्णय लेने अछि। विश्वविद्यालयक खेल एवं शारीरिक शिक्षा निदेशालयक दिस सं शैक्षणिक सत्र 2026-27 सं छह मासक तीन नव प्रमाणपत्र पाठ्यक्रम संचालित करबाक अनुमति देल गेल अछि।
एहि मे ‘सर्टिफिकेट कोर्स इन फुटबॉल कोचिंग’, ‘सर्टिफिकेट कोर्स इन वॉलीबॉल कोचिंग’ आ ‘सर्टिफिकेट कोर्स इन कबड्डी कोचिंग’ शामिल अछि।
एहि पाठ्यक्रम सभक शुरुआत सं खेल क्षेत्र मे रुचि रखनिहार युवाकें पेशेवर कोचिंगक ज्ञान आ प्रमाणपत्र भेटि सकत। बैठकक संचालन प्रो. अशोक कुमार मेहता कएलनि, जखनकि धन्यवाद ज्ञापन कुलसचिव डॉ. दिव्या रानी हंसदा कएलनि।
बैठक मे प्रो. दिलीप कुमार चौधरी, प्रो. सिद्धार्थ शंकर सिंह, प्रो. मो. नौशाद आलम, प्रो. संजय झा, डॉ. अनिल कुमार चौधरी, डॉ. कृष्णकान्त झा सहित कतेको संकायाध्यक्ष, विभागाध्यक्ष आ विशेष आमंत्रित सदस्य उपस्थित छलाह।
व्यावसायिक शिक्षा कें बेसी सहज बनेबाक उद्देश्य सं विद्वत परिषद बैचलर ऑफ कंप्यूटर एप्लीकेशन आ मास्टर ऑफ कंप्यूटर एप्लीकेशन पाठ्यक्रमक नामांकन नियम मे संशोधन कएलक।
बिहार लोकभवन दिस सं जारी आदेशक अनुरूप आब एहि पाठ्यक्रम मे प्रवेश लेल 12म स्तर पर गणित विषयक अनिवार्यता समाप्त कए देल गेल अछि। एहन छात्र जिनकर 12म मे गणित विषय नहि छल, ओ सभ सेहो आब बीसीए अथवा एमसीए मे नामांकन लए सकताह।
हालांकि, एहन छात्र सभ लेल विश्वविद्यालय दिस सं अनिवार्य ‘ब्रिज कोर्स’ कराओल जाएत, जाहि सं ओ कंप्यूटर साइंसक गणितीय आधार कें बुझि सकथि।
बैठकक दौरान राष्ट्रीय शिक्षा नीति केर तहत चारि वर्षीय स्नातक पाठ्यक्रमक 31 प्रमुख विषयक संशोधित पाठ्यक्रम कें सेहो विद्वत परिषद स्वीकृति देलक।
संगहि, सेल्फ-फाइनेंस मोड केर तहत एमएससी बायोटेक्नोलॉजी कार्यक्रम शुरू करबाक लेल तैयार विनियम आ अध्यादेश कें मंजूरी देल गेल। अप्रेंटिसशिप एम्बेडेड डिग्री कार्यक्रमक संशोधित अध्यादेश आ ‘संबंधन एवं नव शिक्षण कार्यक्रम समिति’ केर बैठक मे लेल गेल निर्णयक सेहो अनुमोदन कएल गेल।