Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

सुपौल पहुंचलाह सीएम सम्राट,  केलनि पूर्व मुख्यमंत्री डॉ. जगन्नाथ मिश्रक प्रतिमाक अनावरण

Avatar
By Samadiya Mithila
August 19, 2026 2 Min Read
0

 

 

  • मुख्यमंत्री निर्माणाधीन कोसी-मेची अंतरराज्यीय लिंक परियोजनाक केलनि निरीक्षण

 

फोटो : सीएम

सुपौल, समदिया

मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी बुधदिन सुपौल जिलाक बलुआ बाजार पहुंचलाह। पूर्व मुख्यमंत्री डॉ. जगन्नाथ मिश्रक पुण्यतिथिक अवसर पर ओतय हुनकर प्रतिमाक अनावरण कएलनि। एहि अवसर पर प्रतिमा पर माल्यार्पण कए श्रद्धांजलि सेहो अर्पित कएलनि। मुख्यमंत्रीक कार्यक्रमक दोसर चरण मे निर्माणाधीन कोसी-मेची अंतरराज्यीय लिंक परियोजनाक स्थल निरीक्षण कएल गेल। एहि दौरान मुख्यमंत्री संबंधित अधिकारी सभक संग परियोजनाक प्रगतिक समीक्षा कएलनि। निरीक्षणक बाद ओ पटना लेल प्रस्थान कए गेलाह।

मुख्यमंत्रीक आगमन कें लए कए जिला प्रशासन द्वारा सुरक्षा सहित अन्य व्यवस्था कड़ा कए देल गेल छल। बलुआ बाजारक मध्य विद्यालय परिसर मे मुख्यमंत्रीक हेलीकॉप्टर उतरबाक लेल हेलीपैड तैयार कएल गेल छल। कार्यक्रम स्थल पर पार्किंग, यातायात नियंत्रण आ सुरक्षा व्यवस्थाक सेहो विशेष प्रबंध कएल गेल।

प्रतिमा अनावरण कार्यक्रम मे उपमुख्यमंत्री विजय कुमार चौधरी, नगर विकास एवं आवास मंत्री नीतीश मिश्र, विधायक नीरज कुमार बबलू सहित अन्य जनप्रतिनिधि उपस्थित छलाह। मुख्यमंत्रीक सचिव लोकेश कुमार सिंह, जिलाधिकारी सावन कुमार, पुलिस अधीक्षक शरथ आर.एस. सहित कतेको अधिकारी आ स्थानीय लोक कार्यक्रम मे सहभागी भेलाह। मुख्यमंत्रीक आगमनक एक दिन पहिने प्रशासनिक तैयारी पूरा कए लेल गेल छल। जिलाधिकारी सावन कुमार पछिला किछु दिन मे तीन बेर बलुआ पहुंचि कार्यक्रम स्थलक निरीक्षण केने छलाह।

बलुआ कें प्रखंडक दर्जा देबाक मांग

मुख्यमंत्रीक आगमनक दौरान स्थानीय लोक बलुआ बाजार कें प्रखंडक दर्जा देबाक पुरान मांग फेर हुनका समक्ष रखलनि। लोक सभ कें आशा अछि जे सरकार एहि मांग पर सकारात्मक पहल करत।

तीन बेर मुख्यमंत्री रहलाह डॉ. जगन्नाथ मिश्र

डॉ. जगन्नाथ मिश्रक जन्म 24 जून 1937 कें सुपौल जिलाक बलुआ बाजार मे भेल छल। ओ अर्थशास्त्र मे उच्च शिक्षा आ पीएचडी प्राप्त केने छलाह। बाद मे बिहार विश्वविद्यालयक एलएस कॉलेज मे अर्थशास्त्रक प्राध्यापकक रूप मे सेवा देलनि।

छात्र जीवन सं कांग्रेस सं जुड़ल डॉ. मिश्र बाद मे सक्रिय राजनीति मे एलाह। ओ तीन बेर बिहारक मुख्यमंत्री रहलाह। हुनकर पहिल कार्यकाल 1975 सं 1977, दोसर 1980 सं 1983 आ तेसर 1989 सं 1990 धरि रहल। केंद्र सरकार मे ओ ग्रामीण विकास आ कृषि मंत्रीक दायित्व सेहो सम्हारने छलाह। शैक्षणिक आ राजनीतिक योगदानक कारण हुनका डॉक्टर साहबक नाम सं सेहो जानल जाइत छल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

डॉ. जगन्नाथ मिश्रबलुआ बाजारसुपौल
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे खेल कोचिंगक नव पाठ्यक्रम, बीसीए-एमसीए मे गणितक अनिवार्यता समाप्त

Next

मधेपुराक रेल कारखाना रचलक रिकॉर्ड: बिहारक जीडीडीपी मे 4.6% हिस्सेदारी, देशक अर्थव्यवस्था कें देलक 60 हजार करोड़

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech