मधुबनी जिला कांग्रेस मनौलक राजीव गांधीक जयंती
मधुबनी। मधुबनी जिला कांग्रेस कार्यालय ललित भवन मे भारत रत्न, आधुनिक भारतक निर्माता आ पूर्व प्रधानमंत्री स्वर्गीय राजीव गांधीक जयंती श्रद्धा, सादगी आ गरिमापूर्ण वातावरण मे मनाओल गेल। जयंती समारोहक सफल नेतृत्व जिला कांग्रेस पश्चिमी केर अध्यक्षा मीना देवी कुशवाहा कएलनि। समारोहक शुरुआत मे उपस्थित सभ वरिष्ठ कांग्रेस नेता आ कार्यकर्ता सभ स्वर्गीय राजीव गांधी केर चित्र पर पुष्पांजलि अर्पित कए हुनका भावभीनी श्रद्धांजलि अर्पित कएलनि।
श्रद्धांजलि सभा कें संबोधित करैत जिलाध्यक्ष मीना देवी कुशवाहा कहलनि जे देश मे आइ जे तकनीकी प्रगति, विकासक अविरल धारा आ आधुनिकताक झलक देखाइ रहल अछि, से स्वर्गीय राजीव गांधीक दूरदर्शी सोच आ प्रगतिशील विचारक प्रत्यक्ष परिणाम अछि।
ओ रेखांकित कएलनि जे देश मे पंचायती राज व्यवस्था कें मजबूत बनाबय सं लए कए सूचना प्रौद्योगिकी आ दूरसंचार क्रांतिक मजबूत नींव रखबा मे हुनकर योगदान अद्वितीय आ अतुलनीय रहल अछि। स्वर्गीय राजीव गांधी देशक विकासक जे अमिट लकीर खींचने छलाह, ओहि बाट पर चलैत आइ भारत सशक्त आ विकसित राष्ट्र बनेबाक दिस तीव्र गति सं आगू बढ़ि रहल अछि।
समारोह मे स्वर्गीय राजीव गांधीक बताओल बाट पर चलबाक आ पार्टी कें मजबूत करबाक संकल्प लेल गेल।
एहि अवसर पर वरिष्ठ कांग्रेस नेता परमेश्वर मेहरा, पंकज कुमार यादव उर्फ फौजी, जिला किसान कांग्रेस अध्यक्ष अशोक चौरसिया, मुकेश कुमार झा पप्पू, सतेंद्र पासवान, आनंद कुमार झा, अकील अंजुम, श्रवण कुमार ठाकुर, वकार अहमद, रामकुमार ठाकुर, मोहम्मद जैदी, मुकेश कश्यप, संतोष कुमार, वासुदेव, युवा नेता राजकमल कुशवाहा, धनेश्वर ठाकुर, महेश चंद्र झा सहित कतेको प्रखंड अध्यक्ष आ पैघ संख्या मे कांग्रेस कार्यकर्ता सभ उपस्थित छलाह।