Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

पाबनि सं पहिने महंगाइक डबल झटका: चीनी 70 तं प्याज 50 रुपैया किलो

Avatar
By Samadiya Mithila
August 20, 2026 2 Min Read
0

 

आटा सेहो बढ़ेलक चिंता

 

पटना। त्योहारी मौसिम शुरू होय सं पहिने महंगाई आम परिवारक चिंता बढ़ा देने अछि। राजधानी पटना मे चीनीक दाम बढ़लाक बाद आब प्याजक कीमत सेहो तेजी सं बढ़ल अछि। खुदरा बाजार मे चीनी 65 सं 70 रुपैया आ प्याज 45 सं 50 रुपैया किलो धरि पहुंचि गेल अछि।

 

खुदरा दुकानदार महासंघक महासचिव रमेश तलरेजा केर अनुसार, पटना मे चीनीक करीब 25 प्रतिशत आपूर्ति चंपारण सं होइत अछि। जखनकि 60 सं 65 प्रतिशत चीनी उत्तर प्रदेश आ महाराष्ट्र सं अबैत अछि। मांग आ आपूर्ति मे भेदक असर आब सीधा बाजार भाव पर देखाइ पड़ि रहल अछि।

 

चीनी आ प्याजक संग आटाक कीमत सेहो घरेलू बजट कें प्रभावित कए रहल अछि। आटाक दाम मे 5 सं 10 रुपैया प्रति किलो धरि बढ़ोतरी बताओल जा रहल अछि। एखन 5 किलो आटाक पैकेट करीब 250 रुपैया मे बिकि रहल अछि।

 

त्योहारक दौरान मिठाइक मांग बढ़बाक संभावना अछि। कारोबारी सभक अनुसार, चीनी महंग होयबाक सीधा असर मिठाइ बनेबाक लागत पर पड़ि सकैत अछि। जं कच्चा मालक कीमत मे कमी नहि भेल तं रक्षाबंधनक दौरान ग्राहक सभ कें मिठाइ लेल बेसी कीमत चुकाबय पड़ि सकैत अछि।

 

आलू-प्याज कारोबारी सभक अनुसार, पटना मे एखन प्याजक मुख्य आवक नासिक सं भए रहल अछि। आवक घटलाक कारण थोक भाव मे तेजी आयल अछि। मंगलदिन प्याज करीब 4,400 रुपैया प्रति क्विंटल धरि पहुंचि गेल छल, जखनकि गुरुदिन भाव करीब 4,000 रुपैया प्रति क्विंटल रहल।

 

कारोबारी सभक कहब अछि जे बाहर सं प्याजक आवक बढ़ला पर कीमत मे नरमी आबि सकैत अछि। मुदा एखन चीनी आ प्याजक बढ़ल भाव त्योहार सं पहिने आम परिवारक बजट बिगाड़ि देने अछि।

 

आबयबला दिन मे मांग बढ़लाक बाद खाद्य सामग्रीक कीमत पर आरो दबाव पड़बाक आशंका अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

आटाक कीमतचीनी 70 रुपया किलोपटना चीनी कीमतपटना प्याज कीमतपटना महंगाई समाचारप्याज 50 रुपया किलोबिहार खाद्य सामग्री महंगाईबिहार महंगाई
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

मधुबनी जिला कांग्रेस मनौलक राजीव गांधीक जयंती

Next

दुबई मे पूर्णिया आ किशनगंजक सात युवक बनल बंधक

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech