दुबई मे पूर्णिया आ किशनगंजक सात युवक बनल बंधक
- पासपोर्ट सेहो राखि लेल गेल, रोजगारक लेल गेल छल सातो युवक
पूर्णिया, समदिया
मिथिलाक सात युवक दुबई मे बंधक बनल छथि। हुनका सभक गोहारि अछि जे हुनका सभ कें सकुशल मुक्त कराओल जाय। जानकारीक अनुसार रोजगारक नाम पर पूर्णिया आ किशनगंजक सात युवक एजेंटक माध्यम सं दुबई गेल छलाह। मुदा ओतय रोजगार नहि भेटल, उल्टे हुनका सभक पासपोर्ट सेहो राखि लेल गेल।
पूर्णियाक रौटा थाना क्षेत्रक तीन आ किशनगंजक कोचाधामनक चारि युवक दुबई मे फंसल छथि। कोचाधामनक पूर्व विधायक मास्टर मुजाहिद सं वीडियो कॉल पर युवक सभ अपन व्यथा सुनौने छथि। पूर्व विधायक वीडियो जारी कए कहलनि जे युवक सभ कें मुक्त करय लेल प्रयास कयल जा रहल अछि।
सामने आएल वीडियो मे युवक सभ कहैत छथि जे हुनका सभ कें जमीन पर सुतय पड़ैत अछि। हुनका सभक स्थिति बहुत खराब अछि। एक युवक हाथ जोड़ि कए कहलनि जे हुनका सभ कें कोनो काज नहि भेटल आ हुनका सभ कें आजाद कराओल जाय। वीडियो मे युवक सभ कें कानैत सेहो देखल जा रहल अछि।
मीडिया रिपोर्टक अनुसार बंधक बनल युवक सभ मे दिलफरोज आलम, नासिर आलम आ रब्बान सहित अन्य युवक शामिल छथि। कहल जा रहल अछि जे सभ 5 अगस्त कें दुबई पहुंचल छलाह। युवक सभक आरोप अछि जे हुनका भोजन सेहो नहि देल जा रहल अछि आ सड़कक कात राति गुजारय पड़ैत अछि।
युवक सभक दावा अछि जे एजेंट मोजाक फैक्ट्री मे नोकरी देबाक भरोसा दए कए प्रत्येक सं करीब डेढ़ लाख टका लेने छल। मुदा नोकरी नहि भेटल आ सभ ओतय फंसि गेल। हुनकर आरोप अछि जे एजेंट नाहिद गनी आब धमकी सेहो दैत अछि। एहि बीच कंपनीक लोक हुनका सभक पासपोर्ट राखि लेने अछि आ माइरपीट सेहो कयल गेल अछि।