इएह सब नीतीश कुमार कें फंसौलनि… इएह सब अमित शाहक चेला छथि : तेजस्वी
- जदयूक राज्यसभा सदस्य संजय झा पर बरसलाह तेजस्वी यादव
पटना, समदिया
नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव बृहस्पति कें मधुबनीक यात्रा केलनि। मधुबनीक बेनीपट्टी मे ओ रोशन यादवक परिजन सं भेंट कएलनि। एहि सं पहिने पटना मे पत्रकार सभ सं बात करैत तेजस्वी यादव एनडीए सरकार पर निशाना सधलनि। एहि क्रम मे ओ जेडीयूक सांसद संजय झाक ओहि आरोप पर पलटवार कयलनि, जाहि मे संजय झा कहलनि जे आरजेडी कें बचेबा लेल तेजस्वी बुधदिन लोकभवन मार्च कयलनि।
तेजस्वी कहलनि जे पहिने संजय झा अपन पद बचाबथि। हुनकर पार्टी मे हुनका विरुद्ध कतेक विरोध अछि, से देखथि। तेजस्वीक आरोप छल जे इएह लोक सभ नीतीश कुमार कें फंसा देलनि। हुनका राज्यसभा पठा देलनि। ई सभ अमित शाहक चेला छथि।
रोशन यादवक परिजन सं भेंट केलनि तेजस्वी
तेजस्वी यादव कहलनि जे मधुबनी मे एकटा पैघ घटना भेल अछि। जेल मे रोशन यादवक हत्या भए गेल। एहि मामिला मे प्रशासन सं पैघ सवाल पूछल जा रहल अछि। हुनकर अनुसार 19 वर्षक एकटा युवकक जेल मे निर्मम हत्या कए देल गेल। तेजस्वीक आरोप छल जे पुलिस ओकरा जबरदस्ती पकड़ि कतेको दिन धरि परिजन कें जानकारी नहि दए जेल मे रखने छल। पूर्व उपमुख्यमंत्री कहलनि जे एक सप्ताह पहिने प्रतिष्ठित ठेकेदार रामनरेश राय कें गोली मारि हत्या कए देल गेल छल। तेजस्वी कहलनि जे हम पहिने सं कहैत आबि रहल छी जे बिहार कें पुलिस स्टेट बनाओल जा रहल अछि। पुलिस ओहि युवक कें बहुत अमानवीय ढंग सं पीटने छल। सम्राट चौधरी बिहार कें पुलिसिया स्टेट बनाबय चाहैत छथि आ हम एकरा कहियो नहि होमय देब।
जेल मे भेल छल रोशन यादवक मृत्यु
गत 27 मई कें मधुबनीक रहिका थाना पुलिस रोशन यादव कें गिरफ्तार कयने छल। 31 मई कें ओकरा छोड़ि देल गेल, मुदा करीब आधा घंटा बाद आर्म्स एक्टक मामिला मे फेर गिरफ्तार कए लेल गेल। 10 अगस्त कें जेल मे ओकर मृत्यु भए गेल। जेल प्रशासन एकरा आत्महत्या बतौलक, जखन कि परिजनक आरोप अछि जे हिरासत मे पीटि-पीटि कए ओकर हत्या कयल गेल। विवाद बढ़लाक बाद जिलाधिकारी न्यायिक जांचक आदेश देने छथि।
बाक्स
गैर-मुद्दा कें मुद्दा बना रहल छथि तेजस्वी
एहि सं पहिने जेडीयूक राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष आ राज्यसभा सांसद संजय झा तेजस्वी यादवक मार्च पर प्रतिक्रिया दैत कहलनि छल जे छात्र आंदोलनक मामिला पहिनहि सोझरा गेल अछि, मुदा तेजस्वी एकरा राजनीतिक लाभ लेल उपयोग करबाक प्रयास कए रहल छथि। संजय झाक कहब छल जे तेजस्वी गैर-मुद्दा कें मुद्दा बनेबाक प्रयास करैत छथि। हुनकर अनुसार विपक्षी नेता कें मजबूत रहि राज्यक उचित मुद्दा उठेबाक चाही, मुदा तेजस्वी एहि मे लगातार असफल रहल छथि।
ओ तेजस्वी कें अपन पार्टी पर ध्यान देबाक सलाह सेहो देलनि। संजय झा कहलनि जे आरजेडीक विधायक सभ कें सेहो लगैत अछि जे पार्टी मे जाहि प्रकारक राजनीति भए रहल अछि, ताहि मे हुनकर कोनो भविष्य नहि अछि। तें, संजय झाक अनुसार बिहार सरकार जाहि प्रकारें मामिलाक समाधान कयलक आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जाहि तरहें स्थिति पर नजरि राखि कारबाइ कयलनि, से प्रशंसनीय अछि।