Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

जंतर-मंतर प्रदर्शन मे लाठीचार्ज पर सुप्रीम कोर्टक कारबाइ, बनौलक उच्चस्तरीय जांच समिति

Avatar
By Samadiya Mithila
August 20, 2026 3 Min Read
0

 

 

  • सुप्रीम कोर्टक पूर्व न्यायाधीश न्यायमूर्ति आर. सुभाष रेड्डी करताह समितिक अध्यक्षता

  • सीबीआइक पूर्व निदेशक आ मेघालयक पूर्व डीजीपी सेहो रहताह समिति मे

 

नई दिल्ली, एजेंसी

सुप्रीम कोर्ट प्रदर्शनकारी सभक विरुद्ध पुलिस, अर्धसैनिक बल आ अन्य सुरक्षाकर्मी द्वारा जरूरत सं बेसी बल प्रयोगक आरोपक जांच लेल पांच सदस्यीय उच्चस्तरीय जांच समितिक गठन कयलक अछि। एहि समितिक अध्यक्षता सुप्रीम कोर्टक पूर्व न्यायाधीश न्यायमूर्ति आर. सुभाष रेड्डी करताह। समितिक अन्य सदस्य मे पंजाब आ हरियाणा हाई कोर्टक पूर्व मुख्य न्यायाधीश रवि शंकर झा, दिल्ली हाई कोर्टक पूर्व न्यायाधीश न्यायमूर्ति शालिंदर कौर, सीबीआईक पूर्व निदेशक ऋषि कुमार शुक्ला आ मेघालयक सेवानिवृत्त पुलिस महानिदेशक डॉ. एल.आर. बिश्नोई शामिल छथि।

सुप्रीम कोर्ट द्वारा गठित ई समिति प्रदर्शनक दौरान लगाओल गेल कतेको आरोपक जांच करत। एहि मे पैलेट गन, इलेक्ट्रिक बैटन, लाठीचार्ज आ टीयर गैसक जरूरत सं बेसी प्रयोग, महिला प्रदर्शनकारी सभक संग कथित हिंसा, पुलिसक निगरानी, भीड़ कें नियंत्रित करबाक तरीका उचित छल कि नहि आ पीड़ित सभ कें चिकित्सकीय सहायता तथा मुआवजा देल गेल कि नहि, एहि सभ मुद्दाक जांच शामिल अछि।

एकर संगहि पुलिसकर्मी सभक संग हिंसा आ सार्वजनिक संपत्तिक क्षति संबंधी अधिकारी सभ द्वारा लगाओल गेल आरोपक सेहो समिति जांच करत।

एहि सं पहिने मंगलदिन भारतक मुख्य न्यायाधीश सूर्यकांतक अध्यक्षता मे न्यायमूर्ति जॉयमाल्य बागची आ न्यायमूर्ति वी. मोहना सम्मिलित पीठ कहब छल जे प्रस्तावित समिति मे हाई कोर्टक एक पूर्व न्यायाधीश आ सेवानिवृत्त पुलिस महानिदेशक कें सेहो शामिल कयल जायत। मुख्य न्यायाधीश कहलनि जे सीबीआईक एक पूर्व निदेशक आ एक पूर्व डीजीपीक सहमति लेल जा चुकल अछि। दुनू मे सं कोनो अधिकारी एहि मामिला सं संबंधित राज्य सभक नहि छथि। सुप्रीम कोर्ट कहलनि जे समिति गठन आ ओकर कार्यप्रणाली सं जुड़ल सभ पहलू पर विचार कयलाक बाद औपचारिक आदेश जारी कयल जायत।

मुख्य न्यायाधीशक निर्देश अनुसार समिति मे पंजाब, दिल्ली आ हरियाणा हाई कोर्टक पूर्व मुख्य न्यायाधीश कें शामिल कयल गेल अछि।

कोन-कोन मुद्दाक होयत जांच?

समिति देशक विभिन्न भाग मे परीक्षा प्रश्नपत्र लीक होयबाक आरोप कें लए कए भेल छात्र प्रदर्शन सं जुड़ल विभिन्न मुद्दाक जांच करत। एहि मे पुलिसक जबरदस्ती, सुरक्षाकर्मी सभक विरुद्ध हिंसा आ महिला प्रदर्शनकारीक यौन उत्पीड़नक आरोप शामिल अछि। पीठ कहलक जे चेहरा चिन्हबाक तकनीक (फेशियल रिकग्निशन टेक्नोलॉजी)क प्रयोग, निगरानी, निजता आ संविधानक अनुच्छेद 21 अंतर्गत जीवन आ व्यक्तिगत स्वतंत्रताक मौलिक अधिकार सं संबंधित मुद्दा पर आखरी निर्णय सुप्रीम कोर्ट कें लेबाक अछि।

छात्र सभक विरुद्ध दर्ज एफआइआर होयत रद्द?

सुप्रीम कोर्ट परीक्षा प्रश्नपत्र लीकक विरोध मे भेल प्रदर्शनक सिलसिला मे छात्र प्रदर्शनकारी सभक विरुद्ध दर्ज एफआईआर रद्द करबाक संभावना पर सेहो विचार करबाक इच्छा जतौलक। पीठ संकेत देलक जे एहन मामिला कें समाप्त करबाक लेल संविधानक अनुच्छेद 142 अंतर्गत अपन विशेष अधिकारक प्रयोग पर विचार कयल जा सकैत अछि। मुदा गंभीर आपराधिक अभिलेख बला लोक सं संबंधित मामिला पर अलग सं विचार कयल जा सकैत अछि।

20 जुलाई कें देशक राजधानी दिल्ली मे हजारो छात्र सीजेपी द्वारा आयोजित संसद मार्च मे शामिल भेल छलाह। प्रदर्शनकारी परीक्षा प्रश्नपत्र लीक होयबाक आरोपक बीच केंद्रीय शिक्षा मंत्री धर्मेंद्र प्रधानक इस्तीफाक मांग कयने छलाह। एकर संगहि परीक्षा व्यवस्था मे पैघ सुधारक मांग सेहो उठाओल गेल छल। जखन प्रदर्शनकारी मध्य दिल्ली मे संसद दिस बढ़बाक आ पुलिसक बैरिकेड तोड़बाक प्रयास कयलनि, तखन सुरक्षाकर्मी सभ हुनका तितर-बितर करबाक लेल टीयर गैसक प्रयोग कयलनि आ लाठीचार्ज सेहो कयल गेल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

अध्यक्षताआर. सुभाष रेड्डीपूर्व न्यायाधीश न्यायमूर्तिसमितिसुप्रीम कोर्ट
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

इएह सब नीतीश कुमार कें फंसौलनि… इएह सब अमित शाहक चेला छथि : तेजस्वी

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech