मधुबनी मे उत्पाद विभागक छापेमारी, 9 गिरफ्तार : 102 स्थान पर कारबाइ मे 350 लीटर देसी शराब जब्त
मधुबनी। मधुबनी उत्पाद विभाग बृहस्पति दिन जिलाभरि मे शराबक अवैध कारोबार आ सेवनक विरुद्ध विशेष अभियान चलौलक। एहि दौरान 102 अलग-अलग स्थान पर छापेमारी कएल गेल, जाहि मे कुल 9 गोटे कें गिरफ्तार कएल गेल। गिरफ्तार लोक सभ मे 4 शराब तस्कर आ 5 शराब सेवन कएनिहार शामिल छथि। विभागक टीम घटनास्थल सं 350 लीटर देसी शराब, 1.110 लीटर विदेशी शराब आ 2 टा वाहन जब्त कएलक।
मधुबनी उत्पाद अधीक्षक विजयकांत ठाकुर शुक्र दिन दिउस लगभग 3 बजे एहि कारबाइक जानकारी देलनि। हुनका अनुसार शराबक अवैध निर्माण, भंडारण, परिवहन आ सेवनक विरुद्ध विभाग द्वारा निरंतर विशेष अभियान चलाओल जा रहल अछि। एहि अभियानक अंतर्गत बृहस्पति दिन जिलाक विभिन्न थाना क्षेत्र मे उत्पाद विभागक टीम सभ एक संग कारबाइ कएलक।
अभियानक दौरान भैरवस्थान थाना क्षेत्रक निर्भापुर आ झंझारपुर थाना क्षेत्रक मझौरा मे ड्रोन टीम द्वारा विशेष निगरानी कएल गेल। ड्रोनक माध्यम सं संदिग्ध स्थान सभ पर नजरि राखैत अवैध रूप सं शराब बनेबाक लेल राखल 305 किलोग्राम अर्धनिर्मित शराब बरामद कए घटनास्थल परहि नष्ट कए देल गेल। एकरा अतिरिक्त ड्रोन टीम 85 लीटर तैयार शराब सेहो जब्त कएलक।
उत्पाद अधीक्षक बतौलनि जे जिला मे शराबक अवैध निर्माण आ तस्करी पर प्रभावी नियंत्रण लेल ड्रोनक उपयोग कए निरंतर निगरानी कएल जा रहल अछि। विशेष रूप सं ओहि क्षेत्र सभक पहचान कए कारबाइ कएल जा रहल अछि जतय अवैध शराब निर्माणक आशंका बेसी रहैत अछि।
गिरफ्तार सभ अभियुक्तक विरुद्ध उत्पाद अधिनियमक अंतर्गत आगूक कानूनी कारबाइ कएल जा रहल अछि। विभाग स्पष्ट कएलक जे शराबक अवैध कारोबारक विरुद्ध ई अभियान भविष्य मे सेहो जारी रहत। उत्पाद विभागक एहि व्यापक कारबाइक बाद अवैध शराब कारोबार सभ मे हड़कंप मचि गेल अछि।