Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

दरभंगा तारामंडल मे अंतरिक्ष विज्ञानक नवाचार केंद्रक स्थापना लेल अंतरिक्ष आयोगक सहमति

Avatar
By Samadiya Mithila
August 14, 2026 2 Min Read
0

दरभंगा। दरभंगाक प्राचीन शैक्षणिक गरिमा आ ज्ञान परंपराक विरासत कें जीवंत करबाक लेल केंद्रक मोदी सरकार प्रतिबद्ध अछि। दरभंगा तारामंडल मे अंतरिक्ष गैलरी आ अंतरिक्ष नवाचार केंद्रक स्थापना लेल भारतीय अंतरिक्ष आयोग द्वारा सहमति प्रदान कएल गेल अछि। आब आगूक औपचारिकता पूरा करबाक लेल आयोगक दिस सं आवश्यक पहल शुरू कए देल गेल अछि।

स्थानीय सांसद सह लोकसभा मे भाजपा सचेतक डॉ. गोपालजी ठाकुर भारतीय अंतरिक्ष आयोगक अध्यक्ष डॉ. वी. नारायण द्वारा पठाओल गेल पत्रक आलोक मे ई जानकारी देलनि। ओ कहलनि जे एहि प्रस्ताव पर पूर्व मे सेहो सहमति देबाक आग्रह कएल गेल छल आ 27 जुलाई कें पत्रक माध्यम सं आयोगक ध्यान एहि दिस आकृष्ट कएल गेल छल, जाहिक सकारात्मक परिणाम आब सामने आएल अछि।

सांसद डॉ. ठाकुर दरभंगा सं अंतरिक्ष विज्ञानक नव उड़ान लेल इसरोक दिस सं देखाओल गेल सकारात्मक प्रतिबद्धता पर प्रसन्नता व्यक्त करैत कहलनि जे एहि पहल सं मिथिलाक धरती पर विज्ञान, नवाचार आ विकसित भारतक संकल्प कें नव गति भेटत। संगहि क्षेत्रक युवा सभक लेल आधुनिक विज्ञानक अध्ययनक नव अवसर सेहो बढ़त।

ओ अंतरिक्ष विज्ञान विभागक एहि महत्वाकांक्षी पहलक सराहना करैत कहलनि जे एकर क्रियान्वयन लेल आवश्यक तकनीकी मार्गदर्शन उपलब्ध कराबयक प्रक्रिया शुरू कए देल गेल अछि। आगूक तकनीकी समन्वय लेल इसरो मुख्यालयक निदेशक जी. हरिकृष्णन कें संपर्क अधिकारी नामित कएल गेल अछि।

डॉ. ठाकुर एहि पहल कें मिथिला क्षेत्र लेल ऐतिहासिक उपलब्धि बतबैत कहलनि जे ई मात्र एकटा गैलरीक स्थापना नहि, बल्कि मिथिलाक युवा सभकें अंतरिक्ष विज्ञान, आधुनिक तकनीक, नवाचार आ अनुसंधान सं जोड़बाक दिशा मे दूरगामी कदम अछि।

ओ कहलनि जे अगिला चरण मे इसरोक संग तकनीकी समन्वय, स्थल निरीक्षण आ विस्तृत कार्ययोजना पर काज आगू बढ़ाओल जाएत, जाहि सं दरभंगा तारामंडल कें आधुनिक स्पेस साइंस एंड इनोवेशन सेंटर केर रूप मे विकसित कएल जा सकय।

सांसदक अनुसार दरभंगाक लेल केंद्र सरकारक ई पहल प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक नेतृत्व मे विकसित भारतक वैज्ञानिक शक्ति कें मिथिलाक धरती धरि पहुंचेबाक मजबूत संकल्पक प्रतीक अछि। ओ कहलनि जे मिथिलाक प्रतिभाशाली बच्चा सभक सपना कें आकाश सं जोड़बाक आ दरभंगा कें विज्ञान आ नवाचारक क्षेत्र मे नव पहचान देबाक लेल केंद्रक एनडीए सरकार प्रतिबद्ध अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

ISROअंतरिक्ष गैलरीअंतरिक्ष नवाचार केंद्रअंतरिक्ष विज्ञानइसरोडॉ गोपालजी ठाकुरदरभंगा तारामंडलदरभंगा समाचारनरेंद्र मोदी सरकारभारतीय अंतरिक्ष आयोगमिथिला युवामिथिला समाचारविज्ञान नवाचारविज्ञान शिक्षास्पेस साइंस सेंटर
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

मधुबनी मे उत्पाद विभागक छापेमारी, 9 गिरफ्तार : 102 स्थान पर कारबाइ मे 350 लीटर देसी शराब जब्त

Next

उत्तराखंडक भाजपा सरकारक विरोध मे कांग्रेसकर्मी सभक शहीद स्मारक पर प्रदर्शन

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech