उत्तराखंडक भाजपा सरकारक विरोध मे कांग्रेसकर्मी सभक शहीद स्मारक पर प्रदर्शन
सीतामढ़ी, समदिया
हल्द्वानीक रामलीला मैदान मे कांग्रेसक राष्ट्रीय अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खरगेक रैलीक बाद भाजपा समर्थित संगठन द्वारा गंगाजल सं शुद्धीकरण कार्यक्रम कें लए कए विवाद गहींर भए गेल अछि। सीतामढ़ी जिला कांग्रेस कमिटीक अध्यक्ष अमित कुमार टुन्नाक निर्देश पर कांग्रेस कार्यकर्ता सभ शुक्रदिन एहि घटना कें दलित विरोधी मानसिकता सं जोड़ैत गांधी मैदान स्थित शहीद स्मारक पर सत्याग्रह सह विरोध प्रदर्शन कएलनि। शुद्धीकरणक एहि कृत्यक घोर निंदा करैत कांग्रेसकर्मी सभ उत्तराखंडक भाजपा सरकारक विरोध मे जोरदार नारेबाजी कएलनि। प्रदर्शनकारी सभ भाजपा शर्म करो, दलित समाजक अपमान बंद करो, दलित समाजक अपमान नहि सहत हिंदुस्तान आदि नारा लगा रहल छलाह।
प्रदेश कांग्रेस प्रतिनिधि मो. अफाक खान, सीताराम झा, डॉ. राजीव कुमार काजू, रितेश रमण सिंह, मो. शम्स शाहनवाज, आलोक सिंह राठौर, संपूर्णानंद झा, प्रो. राम प्रवेश कुशवाहा आ यूथ कांग्रेस जिलाध्यक्ष डॉ. रोहन कुमार आरोप लगौलनि जे हल्द्वानी मे मल्लिकार्जुन खरगेक ऐतिहासिक रैली सं घबराएल भाजपा समर्थित कार्यकर्ता सभ रैली स्थल कें गंगाजल सं धो कए शुद्धीकरण कएलनि। ई घटना भाजपा समर्थित कार्यकर्ता सभक हताशा आ दलित विरोधी मानसिकता कें दर्शबैत अछि।
कांग्रेसकर्मी सभ कहलनि जे राष्ट्रीय अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खरगे दलित समाजक प्रमुख नेता होयबाक संग बाबा साहेब डॉ. भीमराव आंबेडकर द्वारा निर्मित भारतीय संविधानक संरक्षक छथि। हुनकर अपमान देशक दलित समाजक अपमान अछि, जे एहि देश आ कांग्रेस पार्टी कहियो बर्दाश्त नहि करत। मौका पर नगर अध्यक्ष संजय शर्मा, इरशाद खान कैप्टन, बिकाऊ बैठा, ऋतु ठाकुर, एनएसयूआई अध्यक्ष सक्षम कुमार, वीरेंद्र कुशवाहा, राहुल रमेश, सुमित्रा देवी, उमा कुमारी, सुरेंद्र सिंह, आदित्य सिंह, प्रिंस कुमार, अख्तर रजा खान, नीरज कुमार यादव सहित कतेको कांग्रेस कार्यकर्ता उपस्थित छलाह।