Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

एमएलसी चुनाव कें लए नितिन नवीन कएलनि समीक्षा: बैठक मे संगठनक मजबूती पर जोर

Avatar
By Samadiya Mithila
October 6, 2026 2 Min Read
0

 

बांकीपुरक कार्यकर्ता सभ सं भेटि कए सक्रियता बढ़ेबाक कहलनि

पटना। बिहार विधान परिषदक 8 सीट पर होमय बला चुनावकें लए राजनीतिक सरगर्मी तेज भ’ गेल अछि। भारतीय जनता पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष नितिन नवीन मंगल पटना पहुंचलाह। चुनावक घोषणा भेलाक बाद ई हुनकर पहिल बिहार दौरा अछि।

पटना पहुंचितहि ओ पार्टीक नेता, पदाधिकारी आ प्रत्याशीसभक संग बैठकक दौर शुरू कएलनि। एहि बैठकसभ मे मुख्य रूप सं विधान परिषद चुनाव मे एनडीएक रणनीति, प्रत्याशीसभक बीच बेहतर समन्वय आ जमीनी स्तर पर चुनावी तैयारीकें लए मंथन कएल गेल।

मंडल अध्यक्ष सभकें संगठन मजबूत करबाक निर्देश

नितिन नवीन मंडल अध्यक्षसभक संग बैठकक दौरान संगठनकें मजबूत रखबाक पर जोर देलनि। ओ मंडल अध्यक्षसभ सं कहलनि जे संगठनकें बचा कए राखबाक अछि, जुड़ल राखबाक अछि आ लोककें जोड़ि कए राखबाक अछि। ओ कहलनि जे मंडल अध्यक्षसभक अंतर्गत जे सभ बूथ अबैत अछि, ओतय लोकक बीच जा कए काज करबाक अछि। बूथ स्तर पर कार्यकर्ता आ आमलोक सं लगातार संपर्क बनाए रखबाक पर सेहो ओ जोर देलनि।

ओ मंडल अध्यक्षसभ सं कहलनि जे संगठनक असली ताकत बूथ स्तर पर अछि। एहि लेल अपन-अपन क्षेत्रक बूथ पर लगातार सक्रिय रहू आ लोक सं जुड़ि कए हुनकर बात बुझू। पार्टीक कार्यक्रम आ सरकारक काजक जानकारी सेहो लोक धरि पहुंचेबाक निर्देश देल गेल।

एमएलसी चुनाव कें लए सेहो भेल चर्चा

नितिन नवीनक पटना दौरा मे बिहार विधान परिषदक 8 सीट पर होमय बला चुनावक तैयारीक समीक्षा सेहो प्रमुख उद्देश्य रहल। ओ भाजपा आ एनडीएक नेतासभक संग चुनावी रणनीतिपर चर्चा कएलनि। बैठक मे संबंधित निर्वाचन क्षेत्र मे संगठनक स्थिति, मतदातासभ सं संपर्क आ गठबंधनक सहयोगी दलक संग बेहतर तालमेलकें लए सेहो चर्चा भेल।

पटना स्नातक सहित सभ सीट पर एनडीएक स्थिति मजबूत करबाक लेल जमीनी स्तर पर काज करबाक पर जोर देल गेल। पार्टीक नेता आ कार्यकर्तासभकें अपन-अपन क्षेत्र मे सक्रिय रहबाक आ मतदातासभ सं लगातार संपर्क बनाए रखबाक कहल गेल।

बांकीपुरक कार्यकर्तासभ सं सेहो संवाद

नितिन नवीन अपन पटना प्रवासक दौरान बांकीपुर विधानसभा क्षेत्रक कार्यकर्तासभ सं सेहो भेंट कएलनि। एहि दौरान ओ कार्यकर्तासभ सं क्षेत्रक स्थिति आ लोक सं भेटि रहल फीडबैकक जानकारी लेलनि। ओ कार्यकर्तासभकें संगठनक संग मजबूती सं जुड़ल रहबाक आ बूथ स्तर पर सक्रियता बढ़ेबाक संदेश देलनि।

7 अक्टूबर कें मिलर हाई स्कूल मैदान मे कार्यक्रम

नितिन नवीनक पटना दौराक दौरान 7 अक्टूबरकें होमय बला कार्यक्रमक तैयारीपर सेहो चर्चा भेल। पटना स्थित मिलर हाई स्कूल मैदान मे भोर 9:30 बजे ‘विकसित भारत संकल्प सभा’ आयोजित होयत। एहि मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ भाजपा राष्ट्रीय अध्यक्ष नितिन नवीन वीडियो कॉन्फ्रेंसिंगक माध्यम सं संबोधित करताह।

सभा समाप्त भेलाक बाद पटना मे ‘सेवा ज्योति यात्रा’ निकालल जायत। ई यात्रा सेवा ज्योति चौक सं शुरू भ’ कए तारामंडल, गांधी मैदान, इस्कॉन टेंपल आ आर ब्लॉक होइत गुजरत। कार्यक्रम मे मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी सहित भाजपा आ एनडीएक कई वरिष्ठ नेता आ मंत्री उपस्थित रहताह।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNewsबिहार राजनीति
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

नाइजीरियाई वायुसेनाक एटीआर-42 विमान क्रैश, 32 लोकक मृत्यु, राष्ट्रपति घोषित कएलनि 3 दिनक राष्ट्रीय शोक

Next

ज्ञानेश कुमार आ एसआईआरक विरोध मे धरना पर राहुल-प्रियंका, पुलिस लेलक हिरासत मे

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17.10.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • आजुक ई पेपर
  • सुपौल मे आगि लगला सं 30 घर जरल: पुल नहि रहबाक कारण दमकल कें 22 किलोमीटर घुमि कए जाय पड़ल, 40 लाखक नोकसान
  • कटिहार मे पप्पू यादव कें आयल चक्कर: दुर्गापूजा कार्यक्रमक उद्घाटन करय पहुंचल छलाह, तबीयत बिगड़लाक बाद कार्यक्रम छोड़ि पूर्णिया लौटला
  • बिहार एमएलसी चुनाव मे प्रचारक आखरी दिन समाप्त: 8 सीट पर एनडीए, महागठबंधन आ जन सुराजक बीच मोकाबला, 23 अक्टूबर कें होयत मतदान

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech