पटना मे छात्र सभक मार्चक दौरान हंगामा, पुलिस आ प्रदर्शनकारीक बीच भेल झड़प
पटना। पटना मे छात्र सभक ‘मुख्यमंत्री आवास घेराव’ मार्चक दौरान हंगामा भए गेल। पुलिस आ प्रदर्शनकारी छात्रक बीच झड़प सेहो भेल। प्रदर्शनकारी छात्र 70म बीपीएससी परीक्षा रद्द करबाक मांग कए रहल छथि।
एहि मांगकें लए छात्र सभ गांधी मैदान सं राजभवन धरि मार्च करबाक घोषणा कएने छलाह। राजभवनक दिस बढ़ैत छात्र सभ पुलिस द्वारा लगाओल गेल बैरिकेड तोड़ि देलनि। एकर बाद पुलिस आ छात्रक बीच झड़प भए गेल।
पुलिस छात्र सभकें राजभवन धरि जाए सं रोकि रहल अछि, मुदा छात्र सभ पाछाँ हटबाक लेल तैयार नहि छथि। प्रदर्शनकारी लगातार आगू बढ़बाक प्रयास कए रहल छथि। छात्र सभ 70म बीपीएससी परीक्षा रद्द करबाक संग कतेको दोसर मांग कें लए मुख्यमंत्री आवासक घेराव करए चाहैत छथि।
एहि पूरा मामलापर डीएसपी कामाख्या नारायण सिंह कहलनि, “हम सभ हुनका रोकब। हुनका आगू नहि बढ़ए देब।”
डीएसपी कहलनि जे बातचीत सकारात्मक रहल अछि आ उम्मीद अछि जे छात्र सभ मानि जेताह। प्रदर्शनकारी सभ वरिष्ठ अधिकारीक समक्ष कतेको मुद्दा उठौने छथि आ बातचीतक परिणाम सकारात्मक रहल अछि। एहि कारण उम्मीद अछि जे भीड़ कम होयत आ छात्र सभ मानि जेताह।
ओ कहलनि जे जँ छात्र सभ नहि मानलनि त’ हुनका ओतहि रोकि देल जाएत। प्रतिबंधित क्षेत्र मे प्रवेश नहि करए देल जाएत।
सरकार सं सकारात्मक बातचीतक बावजूद आंदोलनकारी छात्र सभ सोमदिन पटना मे मुख्यमंत्री आवास घेरावक घोषणा कएने छथि। छात्र सभ पछिला कतेको दिन सं गर्दनीबाग मे धरना पर बैसल छथि।
प्रदर्शनकारी 70म बीपीएससी परीक्षा रद्द करबाक संग शिक्षक नियुक्ति लेल होयबला टीआरई-4 परीक्षा मे पीटी आ मेंस परीक्षा सं नेगेटिव मार्किंग हटेबाक मांग पर सेहो अड़ल छथि।
सरकारक दिस सं छात्र सभक कतेको मांग पूरा करबाक आश्वासन देल गेल अछि। मुदा एहि आश्वासनक बावजूद छात्र सभ पटना सड़क पर उतरि सरकारक विरुद्ध प्रदर्शन कए रहल छथि।