शिविर मे ग्रामीण कें देल गेल डिजिटल बैंकिंग आ ऋण योजनाक जानकारी
सीतामढ़ी। दि सेंट्रल को-ऑपरेटिव बैंक लिमिटेडक मेहसौल शाखा विस्तार पटल आ नाबार्डक सहयोग सं रीगा प्रखंडक साखी गांव मे एक दिवसीय फ्लैप कैंप आ निःशुल्क स्वास्थ्य जांच शिविरक आयोजन कएल गेल। कार्यक्रमक नेतृत्व शाखा प्रबंधक रूपेश कुमार केलनि। ओ कहलनि जे कार्यक्रमक मुख्य उद्देश्य ग्रामीण क्षेत्रक लोक कें बैंकिंग सेवा प्रति जागरूक करब आ हुनका स्वास्थ्य सुविधा उपलब्ध करेनाइ छल।
शिविरक उद्घाटन मुख्य अतिथि चिकित्सक डॉ. दिवाकर आ शाखा प्रबंधक रूपेश कुमार संयुक्त रूप सं दीप प्रज्वलित कए केलनि। शाखा प्रबंधक ग्रामीण सभ कें बैंक द्वारा संचालित विभिन्न ऋण योजना, जमा योजना आ डिजिटल बैंकिंग सेवाक विस्तृत जानकारी देलनि। ओ नाबार्डक सहयोग सं भेटयवला लाभक संबंध मे सेहो जानकारी देलनि आ लोक सभ सं एहि योजनाक बेसी सं बेसी लाभ उठेबाक अपील केलनि।
शिविरक दौरान निःशुल्क स्वास्थ्य जांच शिविर सेहो आयोजित कएल गेल। एहि मे चिकित्सक डॉ. दिवाकर शिविर मे पहुंचल दर्जनौं ग्रामीण रोगी, बैंकक खाताधारक आ स्थानीय नागरिकक निःशुल्क स्वास्थ्य जांच कए चिकित्सकीय परामर्श आ दवा देलनि।
ग्रामीण सभ शाखा प्रबंधक रूपेश कुमारक एहि जनहितकारी प्रयासक भूरि-भूरि प्रशंसा केलनि। सफल आयोजन मे बैंकक अन्य कर्मी सभक सराहनीय सहयोग रहल।