यूथक आवाज अनदेखा नहि करूं, तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कें लिखलनि पत्र
राखलनि 9 मांग
पटना। राष्ट्रीय जनता दलक नेता तेजस्वी यादव बिहारक मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कें पत्र लिखि टीआरई-4 कें लए छात्र सभक आंदोलन, हुनकर मांग आ अन्य मुद्दापर पहल करबाक अपील केलनि अछि। ओ कहलनि जे आंदोलन करि रहल युवा सभक आवाजि कें अनदेखा नहि कएल जाय।
तेजस्वी यादव पत्र मे लिखलनि जे राज्य मे सरकारी नौकरीक प्रतीक्षा करि रहल लाखों योग्य अभ्यर्थी सभक बीच विभिन्न भर्ती परीक्षा मे अत्यधिक विलंब, बेर-बेर प्रश्नपत्र लीक होयब, परीक्षा रद्द होयब आ परिणाम जारी करय मे भ’ रहल देरी कें लए गहींर असंतोष आ चिंता अछि।
तेजस्वी पत्र मे कहलनि जे हालहि मे ओ पटना कें गर्दनीबाग धरना स्थल पर आंदोलनरत छात्र-अभ्यर्थी सभ सं भेंट कए हुनकर मांग सुनलनि। युवा सभक भविष्य आ राज्यक शैक्षणिक आ प्रशासनिक व्यवस्था कें मजबूत करबाक लेल मुख्यमंत्री सं किछु विषय पर शीघ्र आ ठोस कार्रवाईक अपेक्षा अछि।
तेजस्वी यादव मुख्यमंत्रीक समक्ष राखलनि 9 मांग
तेजस्वी यादव कहलनि जे बीएसएससी इंटरमीडिएट, सीजीएल, एएसओ, बीएसओ, लाइब्रेरियन आ लेखपाल सहित सभ लंबित परीक्षाक तिथि शीघ्र घोषित कएल जाय आ पूरी भर्ती प्रक्रिया कें समयबद्ध कएल जाय।
ओ मांग केलनि जे सभ परीक्षा लेल अनिवार्य रूप सं वार्षिक परीक्षा कैलेंडर जारी कएल जाय, जाहि सं अभ्यर्थी सभ कें परीक्षा आ भर्ती प्रक्रियाक स्पष्ट जानकारी समय पर भेटि सकय।
पत्र मे राज्यक विश्वविद्यालय सभक स्वायत्तता सुनिश्चित करबाक आ शैक्षणिक सत्र कें नियमित करबाक मांग सेहो कएल गेल अछि। तेजस्वी यादवक कहब अछि जे शैक्षणिक आ भर्ती व्यवस्था मे समयबद्धता आ पारदर्शिता सुनिश्चित करब युवा सभक भविष्य लेल आवश्यक अछि।