Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

विद्यार्थीक समस्याक 30 दिन मे होयत समाधान, हर मास लागत ‘विद्यार्थी सहयोग शिविर’: सम्राट चौधरी

Avatar
By Samadiya Mithila
August 25, 2026 2 Min Read
0

पटना। बिहारक मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी मंगलदिन बिहार कॉलेज ऑफ इंजीनियरिंग, बिदुपुर मे ‘सात निश्चय-3’क तहत ‘सभक सम्मान, जीवन आसान’ अभियान अंतर्गत ‘विद्यार्थी सहयोग शिविर’क शुभारंभ केलनि। एहि पहलाक उद्देश्य शिक्षण संस्थान मे पढ़ि रहल विद्यार्थी सभक समस्या, शिकायत आ सुझावक प्रभावी आ समयबद्ध समाधान सुनिश्चित करब अछि। सरकार शिकायतक अधिकतम 30 दिनक भीतर अंतिम निराकरण सुनिश्चित करबाक निर्देश देलक अछि।

मुख्यमंत्री कहलनि जे विद्यार्थी सभक समस्याक समाधान सरकारक प्राथमिकता अछि। ‘विद्यार्थी सहयोग शिविर’क माध्यम सं छात्र-छात्रा अपन समस्या सीधे संबंधित अधिकारीक समक्ष राखि सकताह। ओ अधिकारी सभ कें निर्देश देलनि जे विद्यार्थी सभ कें शिकायतक समाधान लेल अनावश्यक रूप सं कार्यालयक चक्कर नहि लगाबय पड़य आ निर्धारित समय-सीमा मे समस्याक समाधान सुनिश्चित कएल जाय।

मुख्यमंत्री कहलनि जे प्रत्येक मासक चारिम मंगलदिन बिहारक शिक्षण संस्थान मे ‘विद्यार्थी सहयोग शिविर’ आयोजित कएल जाएत। एहि मे शैक्षणिक व्यवस्था, परीक्षा, छात्रावास, पेयजल, शौचालय, कैंटीन सहित विद्यार्थी सभ सं जुड़ल अन्य समस्या आ सुविधा संबंधी शिकायत आ सुझाव सुनल जाएत। विद्यार्थी सभक सुविधा लेल ‘विद्यार्थी सहयोग पोर्टल’ आ हेल्पलाइन नंबर 1100क माध्यम सं ऑनलाइन शिकायत आ सुझाव दर्ज करबाक व्यवस्था कएल गेल अछि। विद्यार्थी अपन शिकायतक स्थिति सेहो ऑनलाइन जानि सकताह।

मुख्यमंत्री बिहार कॉलेज ऑफ इंजीनियरिंग, बिदुपुरक छात्र-छात्रा सभ सं सीधा संवाद कए हुनकर समस्या, शिकायत आ सुझाव सुनलनि आ ओकर समाधानक भरोसा देलनि। ओ अधिकारी सभ कें राजकीय अभियंत्रण महाविद्यालय, वैशाली मे बेहतर इंटरनेट कनेक्टिविटी आ निर्बाध बिजली उपलब्ध करयबाक निर्देश देलनि। स्थायी छात्रावासक व्यवस्था होय धरि विद्यार्थी सभ लेल वैकल्पिक व्यवस्था सुनिश्चित करबाक लेल सेहो कहलनि।

ओ कहलनि जे बिहार एहन अनोखा राज्य अछि, जतय मात्र 10 टका मे अभियंत्रणक पढ़ाइ कराओल जा रहल अछि। राज्य सरकार अभियंत्रण महाविद्यालय मे विद्यार्थी सभ कें बेसी सं बेसी सुविधा उपलब्ध करयबाक लेल हरसंभव प्रयास कए रहल अछि। विद्यार्थी सभक आग्रह पर ओ अधिकारी सभ कें अभियंत्रण महाविद्यालयक आसपास प्रधानमंत्री जन औषधि केंद्र खोलबाक लेल उपयुक्त स्थल चयन करबाक निर्देश देलनि। ओ कहलनि जे बिहारक सभ अभियंत्रण महाविद्यालय, पॉलिटेक्निक संस्थान आ आंबेडकर छात्रावास मे जन औषधि केंद्र खोलबाक दिशा मे सेहो काज कएल जाएत।

मुख्यमंत्री कहलनि जे विद्यार्थी सभक सुझाव सरकार लेल महत्वपूर्ण अछि आ एहि सं नीति निर्माण मे सेहो सुविधा होयत। छात्र-छात्रा द्वारा तैयार कएल जा रहल परियोजना मे नव आ उपयोगी नवाचार कें स्टार्टअप सं जोड़बाक दिशा मे पहल कएल जाएत। विद्यार्थी सभ कें नव विचार आ नवाचार लेल प्रोत्साहित कएल जाएत।

एहि दौरान मुख्यमंत्री प्रशासनिक-सह-शैक्षणिक भवन मे सूचना-सहायता काउंटर, विभिन्न विभागक स्टॉल, कक्षा, संगीत कक्ष, सेमिनार हॉल, स्टार्टअप सेल, उद्यमिता सेल आ प्रयोगशालाक निरीक्षण केलनि आ विद्यार्थी सभ सं बातचीत केलनि। ओ मां सरस्वतीक प्रतिमा पर माल्यार्पण कए हुनका नमन सेहो केलनि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

छात्रावास समस्याबिहार इंजीनियरिंग कॉलेजबिहार छात्र समस्या समाधानविद्यार्थी शिकायत पोर्टलविद्यार्थी सभक समस्याविद्यार्थी सहयोग पोर्टलविद्यार्थी सहयोग शिविरसम्राट चौधरीसात निश्चय 3हेल्पलाइन 1100
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

दरभंगा मे उच्च शिक्षा आ विधि शिक्षाक होयत कायाकल्प :  डॉ. गोपाल जी ठाकुर

Next

यूथक आवाज अनदेखा नहि करूं, तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कें लिखलनि पत्र

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • समस्तीपुर मे डबल मर्डर : चक्कू घोपि कए पति-पत्नीक हत्या
  • यूथक आवाज अनदेखा नहि करूं, तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कें लिखलनि पत्र
  • विद्यार्थीक समस्याक 30 दिन मे होयत समाधान, हर मास लागत ‘विद्यार्थी सहयोग शिविर’: सम्राट चौधरी
  • दरभंगा मे उच्च शिक्षा आ विधि शिक्षाक होयत कायाकल्प :  डॉ. गोपाल जी ठाकुर

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • समस्तीपुर मे डबल मर्डर : चक्कू घोपि कए पति-पत्नीक हत्या
  • यूथक आवाज अनदेखा नहि करूं, तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कें लिखलनि पत्र
  • विद्यार्थीक समस्याक 30 दिन मे होयत समाधान, हर मास लागत ‘विद्यार्थी सहयोग शिविर’: सम्राट चौधरी
  • दरभंगा मे उच्च शिक्षा आ विधि शिक्षाक होयत कायाकल्प :  डॉ. गोपाल जी ठाकुर

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech