Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

दरभंगा मे उच्च शिक्षा आ विधि शिक्षाक होयत कायाकल्प :  डॉ. गोपाल जी ठाकुर

Avatar
By Samadiya Mithila
August 25, 2026 2 Min Read
0

 

उच्च शिक्षा मंत्री सं भेंट कए सांसद केलनि विस्तार सं चर्चा

सांसद उच्च शिक्षा मंत्री कें सम्मानित कए जतौलनि आभार

 

 

दरभंगा, समदिया

दरभंगाक ज्ञान परंपराक प्राचीन गरिमा कें फेर वापस अनबाक लेल केंद्र आ राज्यक एनडीए सरकार द्वारा ठोस पहल शुरू कए देल गेल अछि। दरभंगा कें उच्च शिक्षा संगहि तकनीकी शिक्षा, विधि शिक्षा आ शोधक क्षेत्र मे प्रमुख केंद्र बनेबाक लेल लगातार प्रयास कएल जा रहल अछि। स्थानीय सांसद सह लोकसभा मे भाजपा सचेतक डॉ. गोपाल जी ठाकुर मंगलदिन बिहार सरकारक विधि एवं उच्च शिक्षा मंत्री संजय सिंह टाइगर सं भेल भेटक बाद उक्त जानकारी देलनि। सांसद डॉ. ठाकुर विधि एवं उच्च शिक्षा मंत्री संजय सिंह टाइगर सं भेटक दौरान दरभंगा मे उच्च शिक्षा आ विधि शिक्षा सं जुड़ल वर्तमान मे चलि रहल विकास कार्य, निर्माणाधीन परियोजना, संस्थान सभक स्थिति आ भविष्यक आवश्यकतापर विस्तार सं चर्चा केलनि। सांसद डॉ. ठाकुर दरभंगा कें शैक्षणिक रूप सं उत्तर बिहारक केंद्र बनेबाक मुद्दापर ध्यान आकृष्ट करबैत कहलनि जे दरभंगा बिहारक प्रमुख उच्च शिक्षा केंद्र सभ मे सं एक अछि। जिला मे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय आ कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय जेहन महत्वपूर्ण विश्वविद्यालय कार्यरत अछि। एहि विश्वविद्यालय सभक अंतर्गत दरभंगा मे 17 अंगीभूत डिग्री कॉलेज, 26 संबद्ध डिग्री कॉलेज आ 5 संस्कृत कॉलेज अछि। एकर अतिरिक्त इंजीनियरिंग, पॉलिटेक्निक, महिला प्रौद्योगिकी संस्थान सहित अन्य उच्च आ तकनीकी शिक्षण संस्थान सेहो संचालित अछि। एहि संस्थान सभ मे आधारभूत संरचना, शैक्षणिक व्यवस्था तथा नवाचार कें मजबूत करबाक संग तकनीकी आ व्यावसायिक शिक्षा सं जोड़बाक दिशा मे पहल शुरू करबाक आवश्यकता अछि।

सांसद डॉ. ठाकुर मंत्रीक संग दरभंगा कॉलेज ऑफ इंजीनियरिंग, महिला अभियंत्रण महाविद्यालय, राजकीय पॉलिटेक्निक आ आईटीआई जेहन तकनीकी संस्थान मे गुणवत्तापूर्ण शिक्षा, आधुनिक पाठ्यक्रम, रोजगारपरक प्रशिक्षण आ उद्योग सभ सं नीक समन्वय लेल क्षेत्र आ राज्यक एनडीए सरकार द्वारा कएल गेल पहल कें रेखांकित केलनि। ओ कहलनि जे पीएम ऊषा योजना सं एमएनएमयू कें शोध विश्वविद्यालयक दर्जा आ 100 करोड़ टकाक वित्तीय सहायता भेटब तथा पीएम सेतु योजना अंतर्गत रामनगर आईटीआई आ बहेरी आईटीआईक क्लस्टरक रूप मे चयन होयब ऐतिहासिक उपलब्धि अछि, जे आगू चलि वरदान साबित होयत। सांसद डॉ. ठाकुर मंत्री संजय सिंह टाइगर सं बार काउंसिल ऑफ इंडिया सं अनुमोदित दरभंगा स्थित चंद्रधारी मिथिला विधि महाविद्यालयक आधारभूत संरचनाक विकास आ छात्रावास लेल शीघ्र पहल करबाक आग्रह केलनि। ओ जिलाक न्यायिक व्यवस्था सं जुड़ल मामिला सभक संचालन लेल संस्थागत व्यवस्थाक उन्नयन दिस सेहो ध्यान आकृष्ट करौलनि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

चंद्रधारी मिथिला विधि महाविद्यालयडॉ. गोपाल जी ठाकुरदरभंगा उच्च शिक्षादरभंगा कॉलेज ऑफ इंजीनियरिंगदरभंगा विधि शिक्षादरभंगा विश्वविद्यालयदरभंगा शिक्षा विकासपीएम ऊषा योजनापीएम सेतु योजनासंजय सिंह टाइगर
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

ग्रामीण सभ लेल सात दिवसीय मत्स्य पालन प्रशिक्षण कार्यक्रमक समापन

Next

विद्यार्थीक समस्याक 30 दिन मे होयत समाधान, हर मास लागत ‘विद्यार्थी सहयोग शिविर’: सम्राट चौधरी

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • समस्तीपुर मे डबल मर्डर : चक्कू घोपि कए पति-पत्नीक हत्या
  • यूथक आवाज अनदेखा नहि करूं, तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कें लिखलनि पत्र
  • विद्यार्थीक समस्याक 30 दिन मे होयत समाधान, हर मास लागत ‘विद्यार्थी सहयोग शिविर’: सम्राट चौधरी
  • दरभंगा मे उच्च शिक्षा आ विधि शिक्षाक होयत कायाकल्प :  डॉ. गोपाल जी ठाकुर

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • समस्तीपुर मे डबल मर्डर : चक्कू घोपि कए पति-पत्नीक हत्या
  • यूथक आवाज अनदेखा नहि करूं, तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कें लिखलनि पत्र
  • विद्यार्थीक समस्याक 30 दिन मे होयत समाधान, हर मास लागत ‘विद्यार्थी सहयोग शिविर’: सम्राट चौधरी
  • दरभंगा मे उच्च शिक्षा आ विधि शिक्षाक होयत कायाकल्प :  डॉ. गोपाल जी ठाकुर

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech