ग्रामीण सभ लेल सात दिवसीय मत्स्य पालन प्रशिक्षण कार्यक्रमक समापन
जयनगर, समदिया
48म वाहिनी, सशस्त्र सीमा बल, जयनगर द्वारा नागरिक कल्याण कार्यक्रमक अंतर्गत सीमावर्ती आ जीवंत ग्रामक ग्रामीण सभ कें स्वरोजगार आ आत्मनिर्भरताक दिशा मे आगू बढ़ेबाक उद्देश्य सं सीमा चौकी उसराही मे आयोजित सात दिवसीय मत्स्य पालन प्रशिक्षण कार्यक्रमक समापन समारोह आइ संपन्न भेल। प्रशिक्षण कार्यक्रम 17 अगस्त सं 23 अगस्त 2026 धरि आयोजित कएल गेल, जाहि मे 16 प्रतिभागी सफलतापूर्वक प्रशिक्षण पूरा केलनि।
प्रशिक्षण कार्यक्रमक आयोजन रमा फाउंडेशनक सहयोग सं कएल गेल। प्रशिक्षणक दौरान प्रतिभागी सभ कें मत्स्य पालन सं संबंधित बुनियादी जानकारी, वैज्ञानिक तकनीक आ व्यावसायिक पक्ष सं अवगत कराओल गेल। प्रतिभागी सभ कें मत्स्य पालनक प्रक्रिया व्यावहारिक रूप सं बुझयबाक लेल पोखरि पर लए जा कए माछ पालन, पोखरिक प्रबंधन आ मत्स्य पालन व्यवसाय सं संबंधित विभिन्न गतिविधिक प्रायोगिक प्रदर्शन कराओल गेल, जाहि सं ओ प्राप्त ज्ञान कें भविष्य मे अपन स्तर पर लागू कए सकथि। प्रशिक्षणक दौरान मत्स्य पालन विभाग, मधुबनीक अधिकारी राकेश कुमार सिंह आ जिला डेयरी अधिकारी सुरेंद्र कुमार द्वारा प्रतिभागी सभ कें मत्स्य पालन आ पशुपालन सं संबंधित सरकारी योजना, उपलब्ध सहायता आ लाभक बारे मे जानकारी देल गेल। अधिकारी सभ ग्रामीण कें नियमानुसार पात्रताक आधार पर सरकारी योजनाक लाभ उठाकऽ अपन व्यवसाय कें आगू बढ़ेबा आ आत्मनिर्भर बनेबाक लेल प्रेरित केलनि। संगहि भविष्य मे आवश्यक विभागीय मार्गदर्शन आ सहयोग देबाक आश्वासन सेहो देलनि।
समापन समारोह मे उप कमांडेंट अमरनाथ गुप्ता उपस्थित छलाह। ओ प्रशिक्षणार्थी सभ कें संबोधित करैत कहलनि जे 48म वाहिनी द्वारा नागरिक कल्याण कार्यक्रमक माध्यम सं सीमावर्ती ग्रामीण कें समय-समय पर कौशल विकास आ स्वरोजगार आधारित प्रशिक्षण देल जा रहल अछि, जाहि सं ओ अपन उपलब्ध संसाधनक नीक उपयोग कए आयक नव साधन विकसित कए सकथि। ओ सभ प्रशिक्षणार्थी सं प्रशिक्षणक दौरान प्राप्त ज्ञान कें व्यावहारिक रूप सं अपनाबय आ मत्स्य पालन कें स्वरोजगारक रूप मे आगू बढ़ेबाक आह्वान केलनि।
एहि अवसर पर 48म वाहिनीक कमांडेंट राजेंद्र कुमारक दिशा-निर्देशन आ मार्गदर्शन मे आयोजित एहि प्रशिक्षण कार्यक्रमक समापन अवसर पर हुनकर संदेश उप कमांडेंट अमरनाथ गुप्ता द्वारा प्रशिक्षणार्थी सभ धरि पहुंचाओल गेल। कमांडेंट अपन संदेश मे सभ प्रशिक्षणार्थी कें सफलतापूर्वक प्रशिक्षण पूरा करबाक लेल बधाई आ शुभकामना देलनि। ओ कहलनि जे एहि तरहक प्रशिक्षण ग्रामीण सभ कें कौशल, स्वरोजगार आ आत्मनिर्भरता सं जोड़य मे महत्वपूर्ण भूमिका निभबैत अछि। ओ प्रशिक्षणार्थी सभ सं प्राप्त ज्ञानक उपयोग अपन क्षेत्र मे करैत आय बढ़ेबा आ आर्थिक रूप सं सशक्त बनेबाक दिशा मे आगू बढ़बाक आह्वान केलनि। सात दिवसीय प्रशिक्षण सफलतापूर्वक पूरा कएनिहार सभ 16 प्रतिभागी कें समापन समारोहक दौरान प्रमाण-पत्र वितरित कएल गेल। प्रमाण-पत्र प्राप्त कए प्रतिभागी सभ मे उत्साह आ प्रसन्नताक वातावरण रहल। प्रतिभागी सभ प्रशिक्षणक दौरान भेटल जानकारी कें उपयोगी बतबैत एकरा भविष्य मे स्वरोजगार आ आयक साधनक रूप मे अपनाबयक इच्छा व्यक्त केलनि। कार्यक्रमक दौरान रमा फाउंडेशन, मत्स्य पालन विभाग आ डेयरी विभागक अधिकारी सभ तथा 48म वाहिनीक अधिकारी आ कार्मिक सभक सहयोग लेल आभार व्यक्त कएल गेल। समापन समारोह राष्ट्रगानक संग गरिमापूर्ण ढंग सं संपन्न भेल।