अधिकारी स्वयं सोलर लगाबथि, तखने आम लोक कें प्रेरणा भेटत : डीएम
सोलर अपनाउ, सब्सिडी पाउ : पीएम सूर्य घर योजनाक लेल डीएमक निर्देश
जन-जन धरि पहुंचत पीएम सूर्य घर योजना, जागरूकता शिविरक होयत आयोजन
मधुबनी। पीएम सूर्य घर योजनाक प्रभावी क्रियान्वयन आ बेसी सं बेसी लोक कें एहि योजनाक लाभ पहुंचाबयक उद्देश्य सं जिलाधिकारी आनंद शर्माक अध्यक्षता मे समाहरणालय सभागार मे सभ जिला स्तरीय पदाधिकारीक संग समीक्षा बैसार आयोजित कएल गेल। समीक्षक क्रम मे जिलाधिकारी पदाधिकारी सभ कें पीएम सूर्य घर योजनाक प्रति स्वयं आगू बढ़ि पहल करबाक निर्देश देलनि।
ओ कहलनि जे सभ जिला स्तरीय पदाधिकारी अपन-अपन घरक छत पर योजनाक अंतर्गत सोलर पैनल लगाबथि आ अपन विभागक पदाधिकारी आ कर्मी सभ कें सेहो एहि लेल प्रेरित करथि। ओ कहलनि जे सौर ऊर्जाक उपयोग कें बढ़ावा देबाक लेल सरकारी पदाधिकारी आ कर्मी सभक सहभागिता महत्वपूर्ण अछि। जखन सरकारी कार्यालय सं जुड़ल पदाधिकारी आ कर्मी स्वयं एहि योजना सं जुड़ताह, तखन आम लोक मे सेहो एहि प्रति विश्वास आ जागरूकता बढ़त।
बैसार मे उपस्थित पदाधिकारी सभ कें निर्देश देल गेल जे अपन-अपन विभागक दिस सं पीएम सूर्य घर योजनाक संबंध मे आम लोक कें जागरूक करबाक लेल शिविर आयोजित करथि। एहि शिविरक माध्यम सं लोक कें सोलर पैनल लगयला सं होयवला लाभ आ योजनाक विभिन्न प्रावधानक जानकारी देल जाएत।
एहि क्रम मे ओ कहलनि जे जागरूकता शिविर मे आवश्यकतानुसार विद्युत विभागक अधिकारी आ कर्मी आम लोक कें योजनाक अंतर्गत भेटयवला सब्सिडी, सोलर पैनल आ अन्य आवश्यक विकल्पक चयन, आवेदनक प्रक्रिया आ योजना सं संबंधित अन्य महत्वपूर्ण जानकारी सं अवगत कराओताह।
मौका पर ओ कहलनि जे पीएम सूर्य घर योजना लोक कें स्वच्छ आ हरित ऊर्जाक उपयोग लेल प्रोत्साहित करबाक संगहि विद्युत खर्च मे कमी अनबाक लेल सेहो सहायक होयत। सभ विभागक सक्रिय सहभागिता आ व्यापक जन-जागरूकताक माध्यम सं जिला मे योजनाक लाभ बेसी सं बेसी लोक धरि पहुंचयबाक प्रयास कएल जाएत।
एहि अवसर पर सिविल सर्जन, मधुबनी, जिला उत्पाद पदाधिकारी, जिला शिक्षा पदाधिकारी, जिलाक सभ विद्युत कार्यपालक अभियंता सहित विभिन्न विभागक जिला स्तरीय पदाधिकारी उपस्थित छलाह।