Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

मुरादपुर मे तीन दिवसीय श्रीकृष्ण जन्माष्टमी महोत्सवक तैयारी तेज

Avatar
By Samadiya Mithila
August 25, 2026 1 Min Read
0

नोहट्टा, सहरसा। प्रखंड अंतर्गत मुरादपुर पंचायत मे श्रीकृष्ण जन्माष्टमी महोत्सव कें लए तैयारी तेज कए देल गेल अछि। श्रीकृष्ण पूजा समितिक बैसार आयोजित कए पूर्वक भांति एहि बरख सेहो भव्य कार्यक्रम आयोजित करबाक निर्णय लेल गेल। बैसारक अध्यक्षता समितिक अध्यक्ष कन्हैया ठाकुर केलनि। आयोजन कें सफल बनेबाक लेल सदस्य सभ कें अलग-अलग जिम्मेवारी सेहो सौंपल गेलनि।

समितिक सचिव सहजानंद भारद्वाज कहलनि जे जन्माष्टमी महोत्सवक तैयारी तेजी सं चलि रहल अछि। भगवान श्रीकृष्ण सहित विभिन्न देवी-देवताक प्रतिमाक निर्माण कार्य जारी अछि। ओतहि समितिक कोषाध्यक्ष पिंकू ठाकुर कहलनि जे महोत्सव मे पैघ संख्या मे श्रद्धालुक पहुंचबाक संभावना कें देखैत भव्य पंडाल आ आकर्षक रोशनीक नीक व्यवस्था कएल जाएत।

समितिक संस्थापक सदस्य सत्य प्रकाश झा कहलनि जे रक्षाबंधनक दिन 28 अगस्त सं 3 सितंबर धरि ग्रामीण कलाकार सभ द्वारा नारदी भजनक प्रस्तुति कएल जाएत। तकर बाद जन्माष्टमी महोत्सवक अंतर्गत 3 सितंबर कें श्रीकृष्ण नाट्य कला मंच, मुरादपुर द्वारा भव्य जागरण आ झांकी, 4 सितंबर कें आर्केस्ट्रा तथा 5 सितंबर कें गजल आ गीत-संगीतक आयोजन होयत। कार्यक्रम मे सारेगामापा आ सुर संग्राम सं जुड़ल नामचीन कलाकार सभक प्रस्तुति आकर्षणक केंद्र रहत।

महोत्सव कें शांतिपूर्ण आ व्यवस्थित ढंग सं संपन्न करबाक लेल सेहो विशेष चर्चा कएल गेल। बैसार मे मुखिया राहुल झा, सरपंच पप्पू पासवान, पैक्स अध्यक्ष सुशील झा, समिति प्रतिनिधि त्रिलोक नाथ पासवान सहित संत ठाकुर, जितेंद्र ठाकुर, सुनील ठाकुर, पंकज ठाकुर, राजीव ठाकुर नुनु, मन्नू ठाकुर, अजय ठाकुर, दिनेश झा कमांडर, संतोष ठाकुर, प्रदीप कुमार ठाकुर गुड्डु, अमीय ठाकुर मुरारी सहित समितिक कतेको सदस्य आ गांवक प्रबुद्धजन उपस्थित छलाह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

जन्माष्टमी जागरणजन्माष्टमी झांकीनोहट्टा समाचारमुरादपुर जन्माष्टमी महोत्सवमुरादपुर समाचारश्रीकृष्ण जन्माष्टमी 2026श्रीकृष्ण पूजा समितिसहरसा जन्माष्टमीसहरसा धार्मिक कार्यक्रम
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

विद्यार्थी सहयोग पोर्टल सं आब छात्र सभक समस्याक होयत त्वरित समाधान

Next

अधिकारी स्वयं सोलर लगाबथि, तखने आम लोक कें प्रेरणा भेटत : डीएम

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • समस्तीपुर मे डबल मर्डर : चक्कू घोपि कए पति-पत्नीक हत्या
  • यूथक आवाज अनदेखा नहि करूं, तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कें लिखलनि पत्र
  • विद्यार्थीक समस्याक 30 दिन मे होयत समाधान, हर मास लागत ‘विद्यार्थी सहयोग शिविर’: सम्राट चौधरी
  • दरभंगा मे उच्च शिक्षा आ विधि शिक्षाक होयत कायाकल्प :  डॉ. गोपाल जी ठाकुर

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • समस्तीपुर मे डबल मर्डर : चक्कू घोपि कए पति-पत्नीक हत्या
  • यूथक आवाज अनदेखा नहि करूं, तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कें लिखलनि पत्र
  • विद्यार्थीक समस्याक 30 दिन मे होयत समाधान, हर मास लागत ‘विद्यार्थी सहयोग शिविर’: सम्राट चौधरी
  • दरभंगा मे उच्च शिक्षा आ विधि शिक्षाक होयत कायाकल्प :  डॉ. गोपाल जी ठाकुर

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech