विद्यार्थी सहयोग पोर्टल सं आब छात्र सभक समस्याक होयत त्वरित समाधान
जननायक कर्पूरी ठाकुर छात्रावास मे पहिल शिविर आयोजित, डीएम केलनि शुभारंभ, 30 दिन मे समस्याक समाधानक प्रावधान
सहरसा। विद्यार्थी सभक शैक्षणिक आ छात्रावास सं संबंधित समस्याक त्वरित, पारदर्शी आ प्रभावी समाधानक उद्देश्य सं मंगलदिन जननायक कर्पूरी ठाकुर छात्रावास मे विद्यार्थी सहयोग पोर्टलक पहिल शिविर आयोजित कएल गेल। शिविरक औपचारिक शुभारंभ जिलाधिकारी दीपेश कुमार केलनि। एहि दौरान पैघ संख्या मे छात्र उत्साहपूर्वक भाग लेलनि आ अपन समस्या, शिकायत आ सुझाव प्रशासनक समक्ष रखलनि।
एहि अवसर पर जिलाधिकारी कहलनि जे विद्यार्थी सभक कल्याण जिला प्रशासनक प्राथमिकता अछि। विद्यार्थी सहयोग पोर्टल छात्र सभक समस्याक त्वरित आ पारदर्शी समाधानक दिशा मे एकटा महत्वपूर्ण पहल अछि। एहि पोर्टलक माध्यम सं छात्र सभ अपन समस्या व्यवस्थित ढंग सं दर्ज कए सकैत छथि आ संबंधित विभाग द्वारा ओकर समाधानक प्रक्रिया सेहो सहज आ प्रभावी ढंग सं आगू बढ़ाओल जाएत।
जिलाधिकारी कहलनि जे पोर्टलक माध्यम सं प्राप्त शिकायतक निगरानी सेहो कएल जाएत, जाहि सं विद्यार्थी सभकें अपन समस्या केर समाधान लेल अनावश्यक रूप सं कार्यालयक चक्कर नहि लगाबय पड़य। पोर्टल पर दर्ज परिवादक 30 दिनक भीतर समयबद्ध समाधान सुनिश्चित करबाक प्रावधान कएल गेल अछि। समाधान भेलाक बाद आवेदक कें ओकर सूचना सेहो देल जाएत।
प्रशासनक दिस सं छात्र सभक सुविधा लेल प्रत्येक मासक पहिल मंगलदिन विद्यार्थी सहयोग शिविर आयोजित करबाक निर्णय लेल गेल अछि। एहि शिविर मे छात्र सभ अपन शैक्षणिक, छात्रावास, आधारभूत सुविधा अथवा अन्य समस्या सीधे पदाधिकारीक समक्ष राखि सकताह।
एकर अतिरिक्त विद्यार्थी 24 घंटा ऑनलाइन पोर्टल पर अपन शिकायत अथवा सुझाव दर्ज कए सकैत छथि। त्वरित सहायता आ मार्गदर्शन लेल टोल-फ्री हेल्पलाइन नंबर 1100 सेहो जारी कएल गेल अछि।
प्रशासनक अनुसार, विद्यार्थी सहयोग पोर्टल मात्र शिकायतक निवारणक माध्यम नहि, बल्कि छात्रहित मे प्रशासनिक व्यवस्था कें बेसी उत्तरदायी, पारदर्शी आ संवेदनशील बनेबाक प्रयास अछि। विद्यार्थी सभक समस्याक समाधान आ नीक शिक्षाक दिशा मे मजबूत कदमक मूल मंत्रक संग जिला प्रशासन विद्यार्थी सभक सर्वांगीण विकास लेल लगातार प्रयासरत अछि।