Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

समस्तीपुर मे डबल मर्डर : चक्कू घोपि कए पति-पत्नीक हत्या

Avatar
By Samadiya Mithila
August 25, 2026 2 Min Read
0

 

  • शरीर आ गर्दनि पर भेटल धारदार हथियारक निशान

फोटो : एसपीजे

समस्तीपुर, समदिया

समस्तीपुर मे सोमदिन देर राति घर मे सुतल पति-पत्नीक हत्या कए देल गेल। दुनू पर चाकू सं प्रहार कयल गेल अछि। मंगलदिन भोरे बहुत देर धरि दुनू घर सं बाहर नहि निकललाह। तकर बाद लगपासक लोक झोपड़ी मे हुलकी दए कए देखलक तं दुनूक शव जमीन पर पड़ल छल। घटना सामने अबितहि पूरा इलाका मे सनसनी पसरि गेल। मृतकक पहिचान भरपुरा निवासी बंगाली दास (75) आ हुनकर पत्नी धानो देवी (70) केर रूप मे भेल अछि। दुनू सड़कक कात मे झोपड़ी बना कए एकाकी रहैत छलाह। हुनकर परिवारक अधिकांश सदस्य परदेश मे रहैत छथि। स्थानीय लोकक अनुसार पति-पत्नी बहुत दिन सं एहि झोपड़ी मे रहि कए कोनो तरहें अपन जीवन-यापन करैत छलाह। घटना विभूतिपुर थाना क्षेत्रक अछि।

सूचना भेटितहि पुलिसक दल घटनास्थल पर पहुंचल। मामिलाक गंभीरता कें देखैत जांच लेल डीएसपी संजय सिन्हा सेहो घटनास्थल पर पहुंचलाह। पुलिसक अनुसार दुनूक हत्या तेज धारदार हथियार सं प्रहार कए कयल गेल अछि। शरीरक कतेको भाग पर चोट आ घावक निशान भेटल अछि। गर्दनि पर सेहो धारदार हथियार सं प्रहार कयल गेल होयबाक बात सोझां आयल अछि।

ककरो सं कोनो दुश्मनी नहि छल

मृतकक पड़ोसी राम सिंगर दास कहलनि जे ओ भोरे करीब 7 बजे काज पर निकलि गेल छलाह। एहि बीच हुनका फोन आयल तं ओ वापस घर पर एलाह। हुनकर अनुसार बंगाली दास आ धानो देवी एहि ठाम रहैत छलाह। दुनूक लग दूटा पशु सेहो छल। भोरे दूध लेबाक लेल आबयवला लोक आवाज दए कए वापस चलि गेल। बाद मे लगपासक लोक कें बताओल गेल जे झोपड़ीक भीतर सं कोनो आवाज नहि आबि रहल अछि। तकर बाद पड़ोसी सभ भीतर हुलकी दए कए देखलनि तं दुनूक शव जमीन पर पड़ल छल। बाहर सं फाटक लगाओल छल। राम सिंगर दासक कहब अछि जे पति-पत्नीक ककरो सं कोनो दुश्मनी नहि छल, मुदा दुनूक हत्या कए देल गेल अछि। विभूतिपुरक माकपाक विधायक अजय कुमार सेहो घटनास्थल पर पहुंचि स्थानीय लोक सं घटनाक जानकारी लेलनि। ओ कहलनि जे वृद्ध दंपतीक निर्मम ढंग सं हत्या कयल गेल अछि। दुनू एकाकी झोपड़ी मे रहैत छलाह।

विधायक प्रशासन सं मामिलाक गंभीरतापूर्वक जांच करबाक आ दोषी सभक विरुद्ध कड़ा कारबाइ करबाक मांग केलनि। ओ घटनास्थल पर उपस्थित पुलिस अधीक्षक सं निष्पक्ष जांच करैत हत्याकांड मे संलिप्त आरोपित सभ कें शीघ्र गिरफ्तार करबाक आग्रह केलनि।

डीएसपी कहलनि, शीघ्र होयत गिरफ्तारी

डीएसपी संजय सिन्हा कहलनि जे दुनूक हत्या तेज धारदार हथियार सं प्रहार कए कयल गेल अछि। दुनू एकेटा घर मे रहैत छलाह। पुलिस घटनाक सभ पक्षक जांच-पड़ताल कए रहल अछि। हत्याकांड मे संलिप्त बदमाश सभ कें शीघ्र गिरफ्तार कए लेल जायत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#samadiyaMithilamurdersamastipur
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

यूथक आवाज अनदेखा नहि करूं, तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कें लिखलनि पत्र

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • समस्तीपुर मे डबल मर्डर : चक्कू घोपि कए पति-पत्नीक हत्या
  • यूथक आवाज अनदेखा नहि करूं, तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कें लिखलनि पत्र
  • विद्यार्थीक समस्याक 30 दिन मे होयत समाधान, हर मास लागत ‘विद्यार्थी सहयोग शिविर’: सम्राट चौधरी
  • दरभंगा मे उच्च शिक्षा आ विधि शिक्षाक होयत कायाकल्प :  डॉ. गोपाल जी ठाकुर

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 26-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • समस्तीपुर मे डबल मर्डर : चक्कू घोपि कए पति-पत्नीक हत्या
  • यूथक आवाज अनदेखा नहि करूं, तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कें लिखलनि पत्र
  • विद्यार्थीक समस्याक 30 दिन मे होयत समाधान, हर मास लागत ‘विद्यार्थी सहयोग शिविर’: सम्राट चौधरी
  • दरभंगा मे उच्च शिक्षा आ विधि शिक्षाक होयत कायाकल्प :  डॉ. गोपाल जी ठाकुर

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech