पीएम श्री जवाहर नवोदय विद्यालय पचाढ़ीक व्यवस्थापर डीएम देलनि निर्देश
स्टेडियम, सड़क, बिजली, पेयजल आ प्रकाश-व्यवस्था मे सुधारक प्रस्ताव
दरभंगा, समदिया
समाहरणालय स्थित बाबा साहेब डॉ. भीमराव आंबेडकर सभागार मे जिलाधिकारी कौशल कुमारक अध्यक्षता मे पीएम श्री जवाहर नवोदय विद्यालय, पचाढ़ी की विद्यालय प्रबंधन समिति आ विद्यालय साक्षात्कार समिति की बैसार भेल। बैसार मे विद्यालयक शैक्षणिक व्यवस्था आ आधारभूत सुविधा सं जुड़ल विभिन्न मुद्दापर विस्तार सं चर्चा कएल गेल। बैठकक शुरुआत विद्यालयक प्रभारी प्राचार्य डॉ. चंद्र सेनक स्वागत भाषण सं भेल। ओ विद्यालयक वर्तमान स्थिति आ उपलब्धिक जानकारी दैत स्टेडियम, खेल मैदान आ मुख्य सड़क सं विद्यालयक मुख्य द्वार धरि पहुंचयवला सड़कक चौड़ीकरणक प्रस्ताव रखलनि। विद्यालय मे शिक्षकसभक स्थायी नियुक्ति, विद्युत आपूर्ति कें दरभंगाक शहरी फीडर सं जोड़ब, नल-जल योजना सं विद्यालय कें जोड़ब, सोलर लाइट आ हाईमास्ट लाइट लगाबय सहित विभिन्न सुविधापर चर्चा भेल। जिलाधिकारी भवन निर्माण विभागक कार्यपालक अभियंता कें संबंधित कार्यक प्राक्कलन तैयार कए प्रस्तुत करबाक निर्देश देलनि। विद्यार्थी सभ कें नीक स्वास्थ्य सुविधा उपलब्ध कराबय लेल प्रतिदिन एक घंटाक लेल एमबीबीएस डॉक्टरक प्रतिनियुक्तिक संबंध मे सिविल सर्जन कें पत्र पठेबाक स्वीकृति सेहो डीएम देलनि। डीएम विद्यालय मे अनुशासन कायम रखबाक पर विशेष जोर देलनि। ओ विद्यार्थीक नियमित काउंसलिंग कराबयक निर्देश दैत कहलनि जे अनुशासनहीनताक स्थिति मे विद्यालयक नियमानुसार आवश्यक कारबाइ कएल जाय। बैसार मे जिला परिषद अध्यक्ष सह विद्यालय सलाहकार समिति सदस्य रेणु देवी, सहायक समाहर्ता कल्पना रावत, जिला शिक्षा पदाधिकारी विद्यानंद ठाकुर, भवन निर्माणक कार्यपालक अभियंता रविंद्र कुमार रवि, पीएम श्री केंद्रीय विद्यालयक प्राचार्य ऋषि रमण, अभिभावक प्रतिनिधि गणेश साहु आ मंजू कुमारी, वरिष्ठ शिक्षक डॉ. हेमनाथ झा सहित अन्य सदस्य उपस्थित छलाह। अंत मे वरिष्ठ शिक्षक डॉ. हेमनाथ झा धन्यवाद ज्ञापन केलनि।