झारखंड विधानसभाक गेट लग पहुंचल आंदोलनकारी छात्र, बैरिकेडिंग तोड़लक, पुलिस कएलक लाठीचार्ज
- पुलिस केलक टीयर गैस आ वाटर कैननक प्रयोग
-
राहुल गांधी कहलनि, छात्र पर बल प्रयोग गलत
रांची, समदिया
झारखंडक रांची मे जेपीएससी-जेएसएससी परीक्षा मे धांधलीक विरोध मे प्रदर्शन कए रहल हजारो छात्र बैरिकेडिंग तोड़ि विधानसभा गेटक लग धरि पहुंचि गेलाह। छात्र सभ सरकारक विरुद्ध नारा लगबैत रहलाह। एहि क्रम मे कतेको बेर पुलिस आ छात्रक बीच झड़पक स्थिति उत्पन्न भेल। पुलिस कें दू-तीन बेर लाठीचार्ज करय पड़ल। एहि क्रम मे किछु छात्रक माथ मे चोट लागल। प्रदर्शनकारी छात्र सभ सेहो पुलिस पर पानिक बोतल आ चप्पल फेकलनि। लोकसभा मे नेता प्रतिपक्ष आ कांग्रेस सांसद राहुल गांधी सोशल मीडिया एक्स पर एकटा पोस्ट मे कहलनि जे झारखंड मे विरोध कए रहल छात्रक विरुद्ध बल प्रयोग गलत अछि। छात्र सभ कें शांतिपूर्ण विरोध करबाक अधिकार अछि आ संवादक माध्यमे सं समाधान निकलि सकैत अछि। झारखंड सरकार कें एहि छात्रसभक बात सुनबाक चाही आ हुनकर समस्याक तत्काल समाधान करबाक चाही।
एहि सं पहिने आंदोलनकारी छात्र सभ भोर 10 बजे पुरान विधानसभा भवनक लग एकत्रित भेलाह। तकर बाद ओ सभ विधानसभा घेराव लेल निकललाह। पुलिसक दिस सं विधानसभा परिसरक लग कंटीला तारक बैरिकेडिंग कएल गेल छल। पुलिस जखन वाटर कैननक प्रयोग शुरू केलक, तखन छात्र सभ बैरिकेडिंग पर चढ़ि कए नाचैत देखल गेलाह। किछु छात्र सभ राष्ट्रगान सेहो गौलनि। एकर बाद पुलिस टीयर गैसक गोला छोड़लक। विधानसभा परिसरक आसपास 6 लेयरक सुरक्षा व्यवस्था कएल गेल अछि। सीसीटीवी कैमरा सं लगातार निगरानी कएल जा रहल अछि।
जेपीएससीक पूर्व अध्यक्ष एल ख्यांगते गिरफ्तार
एहि बीच सीआइडी जेपीएससीक पूर्व अध्यक्ष एल ख्यांगते कें गिरफ्तार कए लेने अछि। 21 जुलाई कें जेपीएससी कार्यालय मे छापेमारीक बाद ओ अपन पद सं इस्तीफा दए देने छलाह। ओकर बाद सं सीआइडी हुनका सं लगातार पूछताछ कए रहल छल। झारखंड पीएससी-एसएसीक परीक्षा रद्द करबाक मांग कें लए कए छात्र सभ पछिला 17 दिन सं आंदोलन कए रहल छथि। देवेंद्रनाथ महतो समेत छह छात्र भूख हड़ताल पर छथि। ई सभ एंबुलेंसक माध्यमे विधानसभा घेरावक कार्यक्रम मे शामिल होबय पहुंचलाह।
राहुल गांधी कहलनि, आंदोलनकारी छात्र पर बल प्रयोग गलत
कांग्रेस सांसद राहुल गांधी सोशल मीडिया एक्स पर अपन पोस्ट मे कहलनि जे झारखंड मे विरोध कए रहल छात्रक विरुद्ध बल प्रयोग करब गलत अछि। हुनकर अनुसार, छात्र सभ कें शांतिपूर्ण ढंग सं विरोध करबाक अधिकार अछि आ संवादक माध्य मे समस्याक समाधान कएल जा सकैत अछि। झारखंड सरकार कें छात्रसभक बात सुनि हुनकर समस्याक शीघ्र समाधान करबाक चाही।
स्वास्थ्य मंत्री कहलनि, सरकार संवेदनशील, 95 प्रतिशत मांग मानल गेल
झारखंडक स्वास्थ्य मंत्री इरफान अंसारी कहलनि जे छात्र सभ शांतिपूर्ण ढंग सं विरोध कए रहल छलाह आ सरकार सेहो संवेदनशील अछि। हुनकर कहब अछि जे छात्र सभ बैरिकेड तोड़ि देने छलाह, मुदा सरकार कोनो कठोर डेग नहि उठौलक। ओ कहलनि जे ओ सभ युवा छलाह, तें हुनका पर मात्र वाटर कैननक प्रयोग कएल गेल। मंत्री आरोप लगौलनि जे BJP सं जुड़ल किछु असामाजिक तत्व छात्रसभक शांतिपूर्ण विरोध मे बाधा उत्पन्न करबाक प्रयास केलक, मुदा पुलिस समय रहैत स्थिति कें नियंत्रण मे कए लेलक। हुनकर अनुसार, पुलिसकर्मी सभ कें पीटल गेल आ हुनका पर लाठी चलाओल गेल, तैयो पुलिस संयम बना रखने छल, कारण युवाक भविष्य दांव पर छल।
स्वास्थ्य मंत्री कहलनि जे सरकार छात्र सभक मांग कें लए कए गंभीर अछि आ ओकरा पूरा करबाक लेल प्रतिबद्ध अछि। हुनकर दाबी अछि जे छात्रसभक 95 प्रतिशत मांग पहिनहि मानल जा चुकल अछि।
मंत्रीक अनुसार, आब छात्र सभक मुख्य मांग सीजीएल परीक्षाक सीबीआइ जांच करेनाइ अछि। ओ कहलनि जे ई युवा छथि आ संभव अछि जे हुनका सभ कें पूरा जानकारी नहि हो। हुनकर कहब अछि जे सीजीएल परीक्षाक परिणाम सुप्रीम कोर्टक निर्देशानुसार जारी कएल गेल अछि आ सरकार सुप्रीम कोर्ट सं ऊपर नहि अछि।