जिला प्रशासन आ मिथिला चित्रकला संस्थाक संयुक्त प्रयास सं तैयार भेल ई पोर्टल
–
- 15 अगस्त 2026 कें कएल जायत लोकार्पण
फोटो :
मधुबनी, समदिया
मिथिलाक समृद्ध कला आ सांस्कृतिक विरासत कें देश-दुनियांक बाजार सं जोड़बाक दिशा मे जिला प्रशासन आ मिथिला चित्रकला संस्थान एकटा पैघ पहल केलक अछि। स्वतंत्रता दिवसक अवसर पर 15 अगस्त 2026 कें मधुबनी आर्ट्स ई-कॉमर्स पोर्टलक शुभारंभ कएल जाएत। एहि डिजिटल मंचक माध्यम सं मिथिलाक प्रसिद्ध मधुबनी चित्रकलाक संग अन्य कलाकृति कें सेहो ऑनलाइन बाजार उपलब्ध कराओल जाएत। एकरा संग स्थानीय कलाकार सीधा व्यापक ग्राहक वर्ग सं जुड़ि सकताह।
तीन श्रेणी मे होयत कलाकृतिक पहिचान
पोर्टल पर बिक्री लेल उपलब्ध कलाकृति कें गुणवत्ताक आधार पर मिथिला हेरिटेज, मिथिला सिग्नेचर आ मिथिला क्लासिक – ई तीन श्रेणी मे वर्गीकृत कएल जाएत। एहि लेल मूल्यांकन समिति बारकोड आधारित ऑनलाइन मूल्यांकन प्रणालीक उपयोग करत। एहि व्यवस्था सं कलाकृतिक मूल्यांकन मे पारदर्शिता आ मानकीकरण सुनिश्चित होयत। प्रत्येक कलाकृतिक प्रमाणीकरण मिथिला चित्रकला संस्थान द्वारा कएल जाएत। ग्राहक कें कलाकृतिक प्रमाणिकता आ गुणवत्ताक भरोसा देबाक लेल गारंटी अथवा ऑथेंटिकेशन सर्टिफिकेट सेहो उपलब्ध कराओल जाएत।
कलाकार कें एकहि मंच पर भेटत सभ सुविधा
मधुबनी आर्ट्स पोर्टल पर कलाकारक लेल फेसलेस आर्टवर्क सबमिशन, डिजिटल आर्टिस्ट प्रोफाइल, लाइव डेमो आ एसएमएस/ई-मेल अपडेट सन सुविधा रहत। एकर अतिरिक्त कलाकृतिक फ्रेमिंग, पैकेजिंग आ डिलीवरीक सुविधा कें सेहो एकीकृत कएल जाएत। कलाकारक सुविधा कें ध्यान मे राखि एकर मोबाइल एप्लीकेशन सेहो विकसित कएल जा रहल अछि। पोर्टल कें मैथिली, अंग्रेजी आ हिंदी सहित बहुभाषीय बनाओल जा रहल अछि।
तकनीकी स्तर पर आर्टिफिशियल इंटेलिजेंस, जेनरेटिव एआइ/चैट जीपीटी आ ब्लॉकचेन सन आधुनिक तकनीकक उपयोगक परिकल्पना कएल गेल अछि। आंकड़ाक सुरक्षा आ विश्वसनीयता लेल पोर्टल कें स्टेट डेटा सेंटर पर होस्ट कएल जाएत।
एसबीआइ पेमेंट गेटवे सं भुगतान, डाक विभाग करत डिलीवरी
ऑनलाइन ग्राहक कें सुरक्षित आ सहज बनेबाक लेल पोर्टल पर एसबीआइ पेमेंट गेटवे एकीकृत कएल गेल अछि। ओतहि कलाकृतिक सुरक्षित आ व्यवस्थित डिलीवरी लेल डाक विभागक संग एमओयू कएल गेल अछि। पोर्टलक तकनीकी विकास आ क्रियान्वयन मे नेशनल इन्फॉर्मेटिक्स सेंटर केर तकनीकी सहयोग भेटि रहल अछि।
पहिने संस्थानक छात्र, तकर बाद देश भरिक कलाकार जुड़ताह
पोर्टलक पहिल चरण मे मिथिला चित्रकला संस्थानक वर्तमान आ पूर्व छात्रक कलाकृति कें प्राथमिकता देल जाएत। तकर बाद राज्य आ राष्ट्रीय स्तर पर पुरस्कार प्राप्त कलाकारक संग अन्य योग्य कलाकार कें सेहो एहि मंच सं जोड़ल जाएत। जिला प्रशासनक ई पहल मात्र मधुबनी पेंटिंगक ऑनलाइन बिक्री धरि सीमित नहि अछि। एकर उद्देश्य मिथिलाक कला आ कलाकार कें डिजिटल अर्थव्यवस्था सं जोड़ि राष्ट्रीय आ अंतरराष्ट्रीय बाजार धरि सीधा पहुंच उपलब्ध करेनाइ अछि। एहि पहल सं कलाकार कें पहचानक संग नीक बाजार आ आर्थिक अवसर भेटबाक आशा अछि।