Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

मधुबनी मे ट्रेड यूनियनक जेल भरो अभियान मे सैकड़ो लोक देलनि गिरफ्तारी

Avatar
By Samadiya Mithila
August 10, 2026 2 Min Read
0

 

  • मनोज यादव कहलनि जे मोदी सरकारक आर्थिक नीति सं देश तबाहीक कगार पर

  • किसानक ऋण माफ करबाक मांग

  • बीवीजी रामजी संशोधन विधेयक कें तत्काल वापस लेबाक मांग

  • बीज विधेयक वापस लेबाक आ किसानक ऋण माफ करबाक मांग

 

मधुबनी, समदिया

भारतक कम्युनिस्ट पार्टी (मार्क्सवादी)क राष्ट्रव्यापी आह्वान पर ट्रेड यूनियन द्वारा जोरदार प्रतिरोध मार्च आ जेल भरो अभियान चलाओल गेल। टाउन क्लब मैदान सं निकलल जुलूस शहरक थाना चौक होइत जिला समाहरणालय पहुंचल। एहि दौरान यातायात व्यवस्था अस्त-व्यस्त रहल। कार्यकर्ता सभ अपन मांगक समर्थन मे जोरदार नारेबाजी करैत रहलाह। बाद मे जुलूस सभा मे परिणत भए गेल।

सभा समाप्त भेलाक बाद जनसंगठनक हजारो कार्यकर्ता आ नेता सभ नगर थाना मे गिरफ्तारी देलनि। नगर थाना निरीक्षक द्वारा प्रदर्शनकारी सभ कें गिरफ्तार कएल गेल। सभाक अध्यक्षता रामजी यादव कयलनि। सभाक संबोधन करैत बिहार राज्य किसान सभाक राज्य संयुक्त सचिव मनोज कुमार याद केंद्र आ राज्य सरकार पर जमि कए हमला कयलनि। ओ कहलनि जे मोदी सरकारक गलत आर्थिक नीतिक कारण देश तबाहीक कगार पर पहुंचि गेल अछि। ओ चारू श्रम संहिता कानून वापस लेबाक, मनरेगा योजना लागू करबाक आ बीवीजी रामजी संशोधन विधेयक कें तत्काल वापस लेबाक मांग पर जोर देलनि। यादव बिजली विधेयक वापस लेबाक, स्मार्ट मीटर लगेनाइ रोकबाक, सभ स्कीम वर्कर कें 26 हजार रुपैया भुगतान करबाक, बीज विधेयक वापस लेबाक आ किसानक ऋण माफ करबाक मांग सेहो रखलनि। एहि संग ओ बिहार सरकारक कार्यशैली पर सवाल उठबैत रिक्त पद सभ पर बहाली करबाक मांग कयलनि। सभाक संबोधन करैत मधुबनी किसान सभाक सचिव सत्यनारायण यादव कहलनि जे मधुबनी मे अपराधीक मनोबल बढ़ि गेल अछि। ओ कहलनि जे रहिका खरौआक किसान नेता भागवत यादवक अपराधी द्वारा बेरहमी सं हत्या कए देल गेल, मुदा प्रशासन अपराधी कें बचाबयक काज कए रहल अछि। दोसर दिस मधुबनीक लोहा पंचायत मे किसान सभ शाखा नहर चालू करबाक लेल आंदोलन करैत छथि तं बेनीपट्टीक अंचल अधिकारीक द्वारा अड़ेर थाना मे 151/26क अंतर्गत झूठा मुकदमा दर्ज कराओल जा रहल अछि। ओ जिला प्रशासन सं मुकदमा वापस लेबाक मांग कयलनि। खेतीहर मजदूर यूनियन, मधुबनीक अध्यक्ष रामनारायण यादव मधुबनी जिला कें सुखाड़ क्षेत्र घोषित करबाक, खेतीहर मजदूर सभ कें रोजगार उपलब्ध कराबय आ ठेका प्रथा बंद करबाक मांग कयलनि। एहि अवसर पर डीवाईएफआई नेता रामनरेश यादव, बिहार राज्य किसान सभाक जिला उपाध्यक्ष दिलीप झा, बाबूलाल महतो, कामगार यूनियनक सचिव उमेश राय, राजेश कुमार मिश्र, शशिभूषण प्रसाद, बिंदु यादव, सोनधारी यादव, विजय नाथ मिश्र, राणा प्रताप सिंह, अशोक यादव, उमेश घोष, रामकृष्ण यादव, विद्यानंद शास्त्री, ललित कुशवाहा, हरिहर झा, अरुण यादव, प्रभात कुमार, कैलाश पासवान, रेखा देवी, सुमित्रा देवी सहित अन्य नेता सभ गिरफ्तारी देलनि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

Hundreds of people were arrestedHundreds of people were arrested in Madhubani during the trade union's Jail Bharo campaignin Madhubani during the trade union'sJail Bharo campaign
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

जिला प्रशासन आ मिथिला चित्रकला संस्थाक संयुक्त प्रयास सं तैयार भेल ई पोर्टल

Next

जिला मे 2.42 लाख पेंशनधारी मे 2.10 लाखक जीवन प्रमाणीकरण पूरा

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech