Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

जिला मे 2.42 लाख पेंशनधारी मे 2.10 लाखक जीवन प्रमाणीकरण पूरा

Avatar
By Samadiya Mithila
August 10, 2026 2 Min Read
0

 

राज्यक 1.01 करोड़ सं बेसी पेंशनधारीक खाता मे अंतरित भेल 1100 रुपैयाक पेंशन राशि

  • जुलाइक पेंशन राशि डीबीटी सं खाता मे पठाओल गेल

  • मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कयलनि हस्तांतरण

सहरसा, समदिया

 

मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी  वीडियो कॉन्फ्रेंसिंगक माध्यम सं राज्यभरिक 1,01,32,888 पेंशनधारी कें सामाजिक सुरक्षा पेंशन योजनाक अंतर्गत जुलाई 2026क 1100 रुपैयाक पेंशन राशि सीधे हुनकर बैंक खाता मे डीबीटीक माध्यम सं हस्तांतरित कयलनि। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री वृद्धजन, विधवा महिला आ दिव्यांगजनक कल्याणक प्रति सरकारक प्रतिबद्धता दोहरबैत कहलनि जे पेंशनधारी सभ कें प्रत्येक मासक 10 तारीख कें पिछला मासक पेंशन राशि डीबीटीक माध्यम सं हुनकर खाता मे उपलब्ध कराओल जाएत। जिला स्तर पर आयोजित कार्यक्रम मे जिलाधिकारी दीपेश कुमार, जिला कार्यक्रम पदाधिकारी (आईसीडीएस), सहायक निदेशक सामाजिक सुरक्षा कोषांग, वरीय समाहर्ता-सह-जिला जनसंपर्क पदाधिकारी सहित 100 सं बेसी पेंशनधारी ऑनलाइन माध्यम सं जुड़ल छलाह। कार्यक्रमक दौरान जिलाक पेंशनधारी सभ कें जुलाई मासक पेंशन राशि हस्तांतरणक जानकारी देल गेल। जिलाधिकारी दीपेश कुमार कहलनि जे बिहार सरकार द्वारा सामाजिक सुरक्षा पेंशनक सभ छह योजना मे ओहि लाभार्थी सभ कें जुलाई 2026क पेंशन राशि डीबीटीक माध्यम सं भुगतान कएल गेल अछि, जिनकर जीवन प्रमाणीकरण 31 जुलाई 2026 धरि पूरा भए गेल छल। ओ कहलनि जे जिला मे इंदिरा गांधी राष्ट्रीय वृद्धावस्था पेंशन योजनाक 54,624, मुख्यमंत्री वृद्धजन पेंशन योजनाक 1,14,694, इंदिरा गांधी राष्ट्रीय विधवा पेंशन योजनाक 9,425, लक्ष्मीबाई सामाजिक सुरक्षा पेंशन योजनाक 14,190, इंदिरा गांधी राष्ट्रीय निःशक्तता पेंशन योजनाक 1,394 आ बिहार निःशक्तता पेंशन योजनाक 14,807 लाभार्थीक खाता मे जुलाई 2026क पेंशन राशि अंतरित कएल गेल अछि।

 

जिलाधिकारी बतौलनि जे जिला मे कुल 2,42,944 पेंशनधारी छथि। एहि मे 10 अगस्त 2026 धरि 2,10,388 पेंशनधारीक जीवन प्रमाणीकरण पूरा भए चुकल अछि, जखन कि 32,531 पेंशनधारीक जीवन प्रमाणीकरण एखनहुं लंबित अछि। ओ सभ लंबित पेंशनधारी सं अपील कयलनि जे ओ यथाशीघ्र अपन जीवन प्रमाणीकरण करा लिअथि, जाहि सं भविष्य मे पेंशन राशि प्राप्त करबा मे कोनो प्रकारक बाधा नहि होय। जिलाधिकारी कहलनि जे सामाजिक सुरक्षा पेंशन सरकारक महत्वपूर्ण कल्याणकारी योजना अछि, जकर उद्देश्य वृद्धजन, विधवा महिला आ दिव्यांगजन कें आर्थिक सहायता संग सम्मान आ सामाजिक सुरक्षा प्रदान करब अछि। ओ जिलाक सभ पेंशनधारी कें पेंशन राशि प्राप्त भेलाक लेल शुभकामना देलनि।

=======================================================

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

2.10 lakh have completed life verificationOut of 2.42 lakh pensioners in the district
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

मधुबनी मे ट्रेड यूनियनक जेल भरो अभियान मे सैकड़ो लोक देलनि गिरफ्तारी

Next

मुजफ्फरपुर-भागलपुर मे शिवभक्त सभ पर हेलिकॉप्टर सं कएल गेल फूलक बरखा

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech