Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

मुजफ्फरपुर-भागलपुर मे शिवभक्त सभ पर हेलिकॉप्टर सं कएल गेल फूलक बरखा

Avatar
By Samadiya Mithila
August 10, 2026 2 Min Read
0

 

  • बेगूसराय मे 2 किलोमीटर नमहर लाइल लागल

 

पटना, समदिया

साओनक दोसर सोमवारी पर सोमदिन बिहारक शिवालय सभ मे शिवभक्त सभक भारी भीड़ि उमड़ि पड़ल। हर-हर महादेव आ बोल बमक जयघोष सं मंदिर आ कांवरिया पथ गुंजायमान रहल। मुजफ्फरपुरक बाबा गरीबनाथ मंदिर मे स्थानीय श्रद्धालु आ कांवरिया सभ मिला कए करीब 2 लाख श्रद्धालुक पहुंचबाक अनुमान अछि। मंदिरक ऊपर हेलिकॉप्टर सं पुष्पवर्षा कए कांवरिया सभक स्वागत कएल गेल।

भागलपुरक अजगैबीनाथ मंदिर, उत्तरवाहिनी गंगा आ कांवरिया पथ पर सेहो हेलिकॉप्टर सं फूलक बरखा कएल गेल। पुष्पवर्षा शुरू होइतहि हर-हर महादेव आ बोल बमक जयघोष सं पूरा मेला क्षेत्र भक्तिमय भए गेल। सुल्तानगंज सं गंगाजल भरि कांवरिया सभ 105 किलोमीटर लंबा यात्रा करैत देवघर दिस विदा भेलाह। बेगूसरायक हरिगिरीधाम गढ़पुरा मे भोरहि सं श्रद्धालु सभक नमहर लाइन लागल रहल, जे करीब 2 किलोमीटर धरि पहुंचि गेल। लखीसरायक अशोक धाम, दरभंगाक बाबा कुशेश्वरनाथ, सोनपुरक बाबा हरिहरनाथ आ राजगीरक बाबा सिद्धनाथ मंदिर मे सेहो श्रद्धालु सभक भारी भीड़ि रहल। कुशेश्वरनाथ मंदिर मे राति करीब 12 बजे सं जलाभिषेक लेल लाइन लागय लागल छल, जे भोर धरि करीब 3 किलोमीटर नमहर भए गेल।

राजगीरक वैभारगिरि पर्वत पर स्थित बाबा सिद्धनाथ मंदिर मे श्रद्धालु 536 सीढ़ी चढ़ि महादेवक दर्शन करैत रहलाह। एहि दौरान एकटा छोट बालक सेहो सीढ़ी चढ़ैत देखल गेल।

सुल्तानगंज सं करीब 5 घंटा मे एक लाख कांवरिया गंगाजल भरि देवघर लेल विदा भेलाह। वाराणसीक दीपक कनौजिया अपन दिव्यांग मित्र प्रमोद पांडे कें कान्ह पर बैसाकए विगत आठ वर्ष सं देवघर लए जा रहल छथि। प्रमोद चलए मे असमर्थ छथि, मुदा दीपक हुनकर जलाभिषेकक अभिलाषा पूरा करैत आबि रहल छथि।

मुजफ्फरपुर मे कांवरिया सभक विश्राम लेल शिविर, स्वास्थ्य केंद्र, एंबुलेंस, चिकित्सा दल आ यात्री शेडक व्यवस्था कएल गेल अछि। बाबा गरीबनाथ मंदिर मे एक हजार सं बेसी स्वयंसेवक भीड़ प्रबंधन मे लागल छथि। पुलिस प्रशासन द्वारा कांवरिया पथ, मंदिर आ संवेदनशील स्थल सभ पर अतिरिक्त बल तैनात कए सादे वस्त्र मे सेहो निगरानी कएल जा रहल अछि। ज्योतिषाचार्य राकेश झा कहलनि जे साओन मास, सोमवारी आ प्रदोष व्रतक एक संग पड़नाइ शुभ संयोग अछि। एहि अवसर पर शिव-पार्वतीक पूजा, रुद्राभिषेक आ जलाभिषेकक विशेष महत्व अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#BiharNews#MaithiliNews#Mithila#PatnaNews#बिहारराजनीतिमधुबनी समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

जिला मे 2.42 लाख पेंशनधारी मे 2.10 लाखक जीवन प्रमाणीकरण पूरा

Next

बेनीपट्‌टी मे पकड़ल गेल खूनियां स्कॉर्पियो, महिला सभ पीचि कए भागल छल

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech