Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहारमिथिला

बेनीपट्‌टी मे पकड़ल गेल खूनियां स्कॉर्पियो, महिला सभ पीचि कए भागल छल

Avatar
By Samadiya Mithila
August 10, 2026 2 Min Read
0

बेनीपट्‌टी सं विद्याधर झाक रिपोर्ट

मो. अंजार कें हिरासत मे लए पुलिस कए रहल अछि पूछताछ

 

बेनीपट्टी, समदिया

स्थानीय थाना क्षेत्रक जगदंबा पेट्रोल पंपक समीप रवि दिन भोर मे सड़क सं दूर कात मे बैसल महिला सभ कें कुचलि फरार भेल कारी रंगक स्कॉर्पियो कें पुलिस मात्र 16 घंटा मे हरलाखी थाना क्षेत्रक उमगांव लखमा पोखरक समीप सं बरामद कए लेलक अछि। एहि मामिला मे एक व्यक्ति कें सेहो हिरासत मे लेल गेल अछि। ई कारबाइ बेनीपट्टी आ हरलाखी थाना पुलिसक संयुक्त प्रयास सं कएल गेल। हिरासत मे लेल गेल व्यक्तिक पहचान उमगांव निवासी मो. अंजारक रूप मे भेल अछि। बताबी जे रवि दिन भोर करीब साढ़े पांच सं छह बजेक बीच नवटोली वार्ड संख्या-14 निवासी राजू महतोक पत्नी किरण देवी (42), पच्चू साहक पत्नी रीता देवी (55) आ स्व. अरुण झाक पत्नी फूल दाई देवी (72) भोरक सैर कए कए आराम करबाक लेल सड़क सं दूर कात मे बैसल छलीह। ओतहि अरेर दिस सं आबि रहल बीआर 07 बीपी 2510 नंबरक कारी रंगक तेज रफ्तार स्कॉर्पियो गलत दिस मे जा कए तीनू महिला कें कुचलि देलक। दुर्घटना मे तीनू महिला सभक घटनास्थल परे दर्दनाक मृत्यु भए गेल। घटना कें अंजाम देलाक बाद चालक गाड़ी कें बहुत तेज रफ्तार मे लए कए ओतय सं फरार भए गेल। संगहि सैर करय गेल सीता देवी आ दुर्गा देवी प्रत्यक्ष रूप सं घटना कें देखलनि। पुलिस किरण देवी आ रीता देवीक शव कें पोस्टमार्टम लेल पठौने छल। ओतहि फूल दाई देवीक परिजन पोस्टमार्टम कराबय सं मना कए देलनि। पोस्टमार्टमक बाद तीनू शवक परिजन सभ द्वारा क्रमशः आखरी संस्कार कएल गेल। घटनाक बाद एसएचओ इंस्पेक्टर अनूप कुमारक नेतृत्व मे बेनीपट्टी थाना पुलिस गाड़ी आ चालकक खोज मे जुटि गेल। जगदंबा पेट्रोल पंप सं उमगांव मार्ग मे लागल करीब सभ सीसीटीवी कैमरा कें खंगालल गेल। बहुत प्रयासक बाद पुलिसक समक्ष ई बात सामने आयल जे उक्त गाड़ी हरलाखी थाना क्षेत्रक उमगांवक अछि। स्थानीय थाना पुलिसक सहयोग सं उमगांवक लखमा पोखरक समीप सं स्कॉर्पियो कें बरामद कए लेल गेल। गाड़ी अब्दुल मन्नानक पत्नी बुशरा हामिदक नाम पर अछि। पुलिस हिरासत मे लेल गेल मन्नानक पिता मो. अंजार सं पूछताछ कए रहल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#BenipattiNews#MadhubaniNews#MaithiliNews#सड़कदुर्घटना#स्कॉर्पियोदुर्घटना#हरलाखी
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

मुजफ्फरपुर-भागलपुर मे शिवभक्त सभ पर हेलिकॉप्टर सं कएल गेल फूलक बरखा

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • 17 जिलाक लेल मौसिम अलर्ट जारी, बरखा आ वज्रपातक आशंका
  • पप्पू यादव बाढ़ि कें लए केंद्र सरकार पर साधलनि निशाना, कहलनि-चुनाव मे देखाइत अछि हेलीकॉप्टर, संकट मे नेता गायब
  • बाढ़िक स्थायी समाधानक लेल प्रयास जारी, शिवराजक नेतृत्व मे टीम करत क्षतिक आकलन : सम्राट चौधरी
  • प्रखंड पंचायत राज पदाधिकारी देलनि ज्ञापन, कारी पट्टी लगा कए जतौलनि विरोध
  • यूसीसी पर बिहार एनडीए मे घमासान, जदयू विधायक बजलाह – बिहार मे लागू नहि होयत

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • 17 जिलाक लेल मौसिम अलर्ट जारी, बरखा आ वज्रपातक आशंका
  • पप्पू यादव बाढ़ि कें लए केंद्र सरकार पर साधलनि निशाना, कहलनि-चुनाव मे देखाइत अछि हेलीकॉप्टर, संकट मे नेता गायब
  • बाढ़िक स्थायी समाधानक लेल प्रयास जारी, शिवराजक नेतृत्व मे टीम करत क्षतिक आकलन : सम्राट चौधरी
  • प्रखंड पंचायत राज पदाधिकारी देलनि ज्ञापन, कारी पट्टी लगा कए जतौलनि विरोध
  • यूसीसी पर बिहार एनडीए मे घमासान, जदयू विधायक बजलाह – बिहार मे लागू नहि होयत

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech