पटना मे विभिन्न मांग कें लए प्रदर्शन, डाकबंगला पर पुलिस सं झड़प
वाटर कैनन चलाओल गेल, कतेको हिरासत मे
पटना। राजधानी पटना मे सोमदिन विभिन्न मांग कें लए अलग-अलग संगठन आ छात्र सभक प्रदर्शनक कारण कतेको इलाका मे खूब हंगामा भेल। गांधी मैदान सं निकलल प्रदर्शनकारी सभ जेपी गोलंबर होइत डाकबंगला चौराहा धरि मार्च कएलनि। डाकबंगला चौराहा पर पुलिस प्रदर्शनकारी सभ कें रोकबाक प्रयास कएलक, जाहि कें बाद स्थिति तनावपूर्ण भए गेल। पुलिस प्रदर्शनकारी सभ कें नियंत्रित करबाक लेल वाटर कैननक इस्तेमाल कएलक। एकर बाद पुलिस बल प्रयोग सेहो कएलक आ कतेको महिला आ पुरुष प्रदर्शनकारी कें हिरासत मे लेल गेल।
वामपंथी संगठन सभक दिस सं मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमारक इस्तीफा सहित विभिन्न मांग कें लए गांधी मैदान सं प्रदर्शन शुरू कएल गेल। प्रदर्शनकारी सभ गांधी मैदान सं जेपी गोलंबर होइत डाकबंगला चौराहा दिस बढ़लाह। जेपी गोलंबर लग पुलिस हुनका सभ के रोकबाक प्रयास कएलक, मुदा प्रदर्शनकारी आगू बढ़ैत रहलाह। एकर बाद डाकबंगला चौराहा पर भारी संख्या मे पुलिस बल तैनात कएल गेल।
एहि दौरान मेडिकल आ नर्सिंग छात्र सभ सेहो अपन विभिन्न मांग के लए गांधी मैदान सं मुख्यमंत्री आवास दिस मार्च निकाललनि। पूर्णिया सांसद पप्पू यादव सेहो छात्र सभक समर्थन मे प्रदर्शन मे शामिल भेलाह। ओ गांधी मैदानक गेट नंबर-10 सं छात्र सभक संग पैदल मार्च कएलनि।
प्रदर्शनकारी छात्र सभ डाकबंगला चौराहा दिस बढ़लाह, जतय पहिनहि सं भारी संख्या मे पुलिस बल मौजूद छल।
प्रदर्शनक दौरान डाकबंगला चौराहा पर पुलिस आ प्रदर्शनकारी सभक बीच तनाव बढ़ि गेल। स्थिति नियंत्रित करबाक लेल पुलिस पहिने वाटर कैननक इस्तेमाल कएलक। पानिक बौछारक बीच किछु प्रदर्शनकारी नाचैत सेहो नजरि अएलाह। हालांकि, एकर बाद पुलिस बल प्रयोग कएलक आ प्रदर्शनकारी सभ के घटनास्थल सं हटेबाक कारबाइ शुरू कएलक।
पुलिसक कारबाइक दौरान कतेको महिला आ पुरुष प्रदर्शनकारी के हिरासत मे लेल गेल। प्रदर्शनक कारण गांधी मैदान, जेपी गोलंबर आ डाकबंगला चौराहाक आसपास यातायात व्यवस्था प्रभावित भेल आ बहुत देर धरि अफरा-तफरीक माहौल बनल रहल।