नेपाल मे बरखा बिहार मे तबाही, सैकड़ो गाम जलमग्न
वीटीआरक जंगल मे कतेको ठाम 15 फीट धरि पानि
नेपालक देवघाट गेज स्टेशन सं रिकॉर्ड 6.52 लाख क्यूसेक सं बेसी पानि छोड़ल गेल
मुख्यमंत्री केलनि बाढ़िक एरियल सर्वे
बगहा-वाल्मीकिनगर हाइवे बंद
दरभंगा, मुजफ्फरपुर आ खगड़िया मे सेहो बाढ़िक कहरि
पटना। नेपालक तराइ क्षेत्र मे मूसलाधार बरखाक बाद उत्तर बिहार मे बाढ़िक स्थिति गंभीर भ’ गेल अछि। नेपालक देवघाट गेज स्टेशन सं रिकॉर्ड 6.52 लाख क्यूसेक सं बेसी पानि छोड़ल गेल अछि। एहि सं पहिने 27 अगस्त 1999 केँ 5.26 लाख क्यूसेक पानि छोड़ल गेल छल।
नेपाल सं पानि छोड़ल जाएबाक बाद वाल्मीकिनगर बराज सं रवि राति 9 बजे गंडक नदी मे 5.15 लाख क्यूसेक पानि छोड़ल गेल। ई एहि वर्ष एखन धरि सबसं पैघ डिस्चार्ज अछि।
मुख्यमंत्री मोतिहारी मे बाढ़िक एरियल सर्वे केलनि। ओ डुमरिया घाट, संग्रामपुर आ अरेराज सहित बाढ़ि प्रभावित क्षेत्रक हेलिकॉप्टर सं निरीक्षण केलनि।
मौसम विभाग प्रदेशक 12 जिलामे बरखाक येलो अलर्ट जारी कएने अछि। एहि जिलामे 30 किलोमीटर प्रति घंटाक रफ्तार सं हवा चलबाक संभावना अछि। बाकी जिलामे मौसम सामान्य रहबाक अनुमान अछि।
23 पंचायतक 82 हजार आबादी बाढ़ि सं प्रभावित
आपदा प्रबंधन विभागक अनुसार, पश्चिम चंपारण आ सुपौल जिलाक 11 प्रखंडक 23 ग्राम पंचायतक करीब 82 हजार आबादी सीधा बाढ़ि सं प्रभावित भेल अछि। पश्चिम चंपारणक 10 प्रखंडक दर्जनो गाम मे बाढ़िक पानि घुसि गेल अछि।
बगहा-वाल्मीकिनगर हाइवे पर 5 सं 6 फीट पानि बहि रहल अछि। एहि सं आवागमन पूरा तरहे ठप भए गेल अछि। वाल्मीकिनगर मे एकटा किशोरक डूबि कए मृत्यु भए गेल।
ओतहि, मुजफ्फरपुरक कटरा मे बागमती नदीक पानि बकुची पुल पर चढ़ि गेल अछि। एहि सं 16 पंचायतक करीब 2 लाख आबादीक प्रखंड मुख्यालय सं संपर्क कटि गेल अछि। कटौझा मे बागमती नदी खतराक निशान सं 0.90 मीटर ऊपर बहि रहल अछि।
मधुबनीक जयनगर मे कमला नदीक जलस्तर 68.10 मीटर पहुंचि गेल अछि। खगड़ियाक चौथम प्रखंड मे कोसीक पानि करीब 3 फीट तक बढ़ि गेल अछि।
गंगा नदीक जलस्तर एक बेर फेर बढ़ए लागल अछि। बेगूसराय मे बीतल 24 घंटा मे जलस्तर 2 सेंटीमीटर बढ़ल अछि, जे आरो बढ़ि सकैत अछि।
नेपालक तराइ क्षेत्र मे लगातार भए रहल बरखाक चलते गंडक आ कोसी नदी उफान पर अछि। एहि सं 17 जिलाक करीब 6 गाम टापू बनि गेल अछि, जखन कि करीब 500 घर डूबल अछि।
नेपाल आ बगहा मे लगातार तीन दिन तक भेल भारी बरखाक बाद गंडक आ पहाड़ी नदी सभ उफान पर अछि। एकर असर वाल्मीकि टाइगर रिजर्व (वीटीआर) क जंगल पर सेहो पड़ल अछि।
गंडक नदी मे सोम भोर 5 लाख 40 हजार क्यूसेक पानि छोड़ल गेल, जे जंगल क्षेत्र मे पहुंचि रहल अछि। बल्जोर, भपसा, झीकैरी आ मनोर सहित कतेको पहाड़ी नदीक पानि सेहो तेजी सं जंगल मे पसरि रहल अछि।
जंगलक कतेको हिस्सा मे करीब 15 फीट तक पानि भरि गेल अछि।
दरभंगा मे कोसी-कमला बलानक जलस्तर बढ़ल, गामक सड़क पर पानि
दरभंगाक कुशेश्वरस्थान पूर्वी प्रखंड सं गुजरए बला कोसी आ कमला बलान नदीक जलस्तर लगातार बढ़ि रहल अछि। एहि सं इलाका मे बाढ़िक खतरा बढ़ि गेल अछि।
कमला तटबंधक पूब मे बसल इटहर, उसरी, उजुआ सिमरटोका आ तिलकेश्वर पंचायतक लोक सभ संभावित बाढ़ि केँ लए भयभीत छथि। हालांकि, एखन धरि कोनो गामक घर मे बाढ़िक पानि नहि घुसल अछि आ ने कोनो परिवार विस्थापित भेल अछि।
इटहर पंचायतक इटहर, इटहर पोखर, चौकिया आ लक्ष्मीनिया; उजुआ सिमरटोका पंचायतक झाझा, कोदरा, कुंजभवन, सिमरटैका, गैईजोरी आ बुढ़िया सुकराती; ओतहि उसरी पंचायतक हरिनाही, सगरदीना, कौनिया आ अरराही गामक सड़क पर पानि फैलि गेल अछि।
एहि सं गाम सभक सड़क संपर्क प्रभावित भेल अछि आ करीब 20 हजार लोकक आवाजाही पर असर पड़ल अछि। आवागमन जारी रखबाक लेल ग्रामीण सभ केँ नावक सहारा लेबए पड़ि रहल अछि।
समस्तीपुर मे देखल गेल जल बवंडर
समस्तीपुरक मोहिउद्दीननगर प्रखंड मे प्रकृतिक एकटा अनोखा नजारा देखए लेल भेटल। एतय जल बवंडर (वाटरस्पाउट्स) केर एकटा वीडियो सामने आएल अछि।
पटना मौसम विभाग 26 सितंबरक एहि वीडियो केँ अपना सोशल मीडिया हैंडल पर साझा कएने अछि।
मुजफ्फरपुरक 100 सं बेसी घर मे घुसल बाढ़िक पानि
मुजफ्फरपुरक साहेबगंज प्रखंड क्षेत्रक बंगरा पंचायतक वार्ड-4 आ 6 मे रविदिन बाढ़िक पानि तेजी सं फैलि गेल। भोर सं जलस्तर बढ़बाक कारण दुनू वार्डक 100 सं बेसी घर मे पानि घुसि गेल। पानि बढ़बाक कारण ग्रामीण सभ मे दहशतक माहौल अछि।
गंडक नदीक जलस्तर बढ़बाक कारण साहेबगंज प्रखंडक निचला इलाका मे पहिने सेहो बाढ़िक पानि फैलि चुकल अछि। बंगरा निजामत पंचायतक वार्ड-4 आ 6 केँ सेहो प्रभावित इलाका मे बताओल गेल अछि।
ग्रामीण सभ प्रशासन सं तत्काल राहत सामग्री, नाव आ सुरक्षित स्थान पर रहबाक व्यवस्था करबाक मांग कएने छथि।
खगड़िया मे फूलटोरा गामक घर सभ मे घुसल पानि
खगड़िया जिलाक अलौली प्रखंडक फूलटोरा गाम मे बाढ़िक पानि तेजी सं बढ़ि रहल अछि। वार्ड-4 के कतेको घर मे पानि घुसि गेल अछि, जाहि सं ग्रामीण सभ केँ परेशानी भ’ रहल अछि।
ओतहि, चौथम प्रखंड मे सेहो कोसी नदीक जलस्तर बढ़ए लागल अछि। ग्रामीण सभक कहब अछि जे पछिला किछु समय मे करीब 3 फीट तक पानि बढ़ि चुकल अछि आ लगातार धीरे-धीरे जलस्तर मे वृद्धि भ’ रहल अछि। एहि सं निचला इलाका मे रहए बला लोक सभक चिंता बढ़ि गेल अछि।
बगहा-वाल्मीकिनगर हाइवे पर 6 फीट धरि पानि
आपदा प्रबंधन विभागक अनुसार, पश्चिम चंपारण आ सुपौल जिलाक 11 प्रखंडक 23 ग्राम पंचायतक करीब 82,000 आबादी सीधा बाढ़ि सं प्रभावित भेल अछि। पश्चिम चंपारणक 10 प्रखंडक दर्जनों गाम मे बाढ़िक पानि घुसि गेल अछि। बगहा-वाल्मीकिनगर हाइवे पर 5 सं 6 फीट पानि बहि रहल अछि। एहि सं आवागमन पूरा तरहे ठप भ’ गेल अछि।