पूर्णिया, समदिया
बिहार मे मौसिमक मिजाज अनचोके बदललाक बाद कतेको जिला मे अन्हर-पानि सं जनजीवन प्रभावित भेल अछि। पूर्णिया जिलाक बायसी प्रखंड क्षेत्रक गंगार पंचायत अंतर्गत मालोपाड़ा तेलंगा आ शेरण पोखरि गाम मे बृहस्पतिक तेज अन्हर सं अफरातफरी मचि गेल। दिन करीब 3 बजे आयल तेज अन्हर मे 50 सं बेसी घरक टिनक छप्पर उड़ि गेल, जखन कि एक दर्जन सं बेसी कच्चा मकान क्षतिग्रस्त भए गेल।
तेज अन्हरक दौरान किछु लोक कें हल्का चोट सेहो लागल। गाम मे एकटा विशाल गाछ सेहो तेज हवाक झोंका सहि नहि सकल आ धराशायी भए गेल। अनचोके आयल अन्हर सं किछु समय धरि गाम मे अफरातफरीक स्थिति बनल रहल। सभ सं बेसी क्षति वार्ड 1, 2 आ 3 केर मालोपाड़ा तेलंगा आ शेरण पोखरि क्षेत्र मे भेल अछि।
घटनाक जानकारी भेटलाक बाद स्थानीय मुखिया गुलाम गौस प्रभावित क्षेत्रक निरीक्षण केलनि। ओतहि अंचल अधिकारी गणेश पासवान कहलनि जे राजस्व कर्मचारी कें घटनास्थल पर जा कए निरीक्षण करबाक आ क्षतिक आकलन करबाक निर्देश देल गेल अछि। एसडीएम अभिषेक रंजन सेहो क्षतिग्रस्त मकानक चिह्नित कए सूची तैयार करबाक निर्देश देलनि अछि, जाहि सं प्रभावित परिवारक क्षतिक जानकारी जुटाओल जा सकय।
मौसम विभागक सहायक वैज्ञानिक राकेश कुमारक अनुसार बीहाड़िक समय हवाक गति करीब 30 किलोमीटर प्रति घंटा रहल। तेज हवाक कारण कतिपय स्थान पर घरक छप्पर उड़ि गेल आ अन्य क्षति सेहो भेल।
भारी बरखा सं जनजीवन बेहाल
पूर्णिया शहर मे बुधदिन सांझ सं शुरू भेल बरखा बृहस्पतिक सांझ धरि रुकि-रुकि कए होइत रहल। शुक्रक भोर मे सेहो ई जारी रहल। लगातार बरखा होयबाक कारण शहरक गली-मोहल्ला मे ठाम-ठाम जलजमावक स्थिति उत्पन्न भए गेल अछि। जलजमावक कारण आम लोक कें आवागमन मे भारी कठिनाइक सामना करय पड़ि रहल अछि। कतेको मोहल्लाक सड़क पर पानि जमा भेला सं पैदल चलबो कठिन भए गेल अछि।
जलजमावक सभ सं बेसी असरि स्कूली बच्चा आ हुनकर अभिभावक पर पड़ि रहल अछि। बच्चा कें विद्यालय पठेबाक आ छुट्टीक बाद घर अनबाक समय अभिभावक कें जलजमाव भेल रास्ता सं गुजरय पड़ैत अछि। एहि कारण विद्यालय जाए-आबय बला बच्चा आ हुनकर परिवारक लोक विशेष रूप सं परेशान छथि।