Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

सहरसा नगर निगम मे योजना पर उठल सवाल, गड़बड़ीक जांच लेल पहुंचल चारि सदस्यीय टीम

Avatar
By Samadiya Mithila
August 21, 2026 2 Min Read
0

 

  • तीन सं चारि करोड़ टाकाक काज मे गड़बड़ीक आरोप

 

सहरसा नगर निगम मे सरकारी राशि दुरुपयोग, वित्तीय अनियमितता आ निविदाक शर्तक उल्लंघनक आरोपक जांच लेल नगर विकास एवं आवास विभागक चारि सदस्यीय उच्चस्तरीय टीम शुक्रदिन सहरसा पहुंचल। टीम नगर आयुक्तक कार्यालय मे संबंधित योजना आ निविदा सं जुड़ल संचिकाक गहन जांच शुरू कय देने अछि। आरोपक अनुसार, सहरसा नगर निगम मे नियमक उल्लंघन करैत योजना सभ कें 15 लाख टाका सं कम लागत मे खंड-खंड मे विभाजित कयल गेल, जाहि सं सरकारी धनक दुरुपयोग भेल। जांच टीमक पहुंचते नगर निगम परिसर आ अधिकारी-कर्मचारीक बीच हड़कंप मचि गेल। टीम तत्काल सभ आवश्यक दस्तावेजक पड़ताल शुरू कयलक, जाहि सं निगमक काजकाज मे पारदर्शिता सुनिश्चित कयल जा सकय। नगर आयुक्तक कार्यालयक बाद टीम हवाई अड्डाक लग स्थित पार्क आ अन्य स्थल सेहो निरीक्षण कयलक। ई कारबाइ बिहार सरकारक पूर्व मंत्री डॉ. आलोक रंजन द्वारा नगर विकास एवं आवास विभाग कें देल गेल विस्तृत परिवाद पत्रक आधार पर कयल गेल अछि। ओ अपन शिकायत मे निगमक विरुद्ध कतेको गंभीर आरोप लगौने छलाह। एकर अतिरिक्त शहरक विभिन्न चौक-चौराहा पर अवैध रूप सं टोल आ पार्किंग वसूली करेनाय तथा निविदाक शर्तक खुल्लमखुल्ला उल्लंघन करबाक आरोप सेहो अछि। जांच टीम विशेष रूप सं वर्ष 2026-27 लेल विभिन्न सैरातक बंदोबस्ती सं संबंधित संचिकाक पड़ताल कए रहल अछि। एहि मे पटेल मैदान स्थित निर्माणाधीन पार्क, वार्ड संख्या-13 स्थित आई.डी. सिंह चौकक लग जीर्णोद्धार कार्य तथा शाहपुर गाम स्थित पार्क निर्माण आ पोखर जीर्णोद्धार योजना शामिल अछि। एकर संगहि वर्तमान नगर आयुक्त प्रभात कुमार झाक प्रभार ग्रहण करबाक तिथि सं आब धरि जारी सभ कार्यादेश सं संबंधित योजनाक सूची आ मूल संचिकाक सेहो गहन जांच कयल जा रहल अछि। विभाग द्वारा गठित एहि चारि सदस्यीय जांच दल मे संयुक्त सचिव संजय कुमार (अध्यक्ष), अवर सचिव परमानंद पांडेय (सदस्य), अधीक्षण अभियंता हरेंद्र उपाध्याय (सदस्य) आ सहायक अभियंता अखिलेश कुमार (सदस्य) शामिल छथि। जांच दल सभ अभिलेख आ जमीनी वास्तविकताक जांच कए 15 दिनक भीतर स्पष्ट मंतव्यक संग अपन विस्तृत जांच प्रतिवेदन विभाग कें सौंपत। प्रतिवेदनक आधार पर दोषी पाओल जायवला कर्मचारी आ संवेदक पर कड़ा विभागीय आ कानूनी कारबाइक संभावना जताओल जा रहल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNewssaharsa
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

राहुल गांधी देलनि धरना तं पैलेट गन मामिला मे पुलिस केलक एफआइआर

Next

लोक अदालत कें लए कए व्यवहार न्यायालय बेनीपट्टी सभ थानाध्यक्षक बैसार

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech