Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

देश-दुनिया

राहुल गांधी देलनि धरना तं पैलेट गन मामिला मे पुलिस केलक एफआइआर

Avatar
By Samadiya Mithila
August 21, 2026 2 Min Read
0

 

 

  • नेता प्रतिपक्ष कहलनि, सत्यक भेल जीत

 

नई दिल्ली, एजेंसी

लोकसभा मे नेता प्रतिपक्ष राहुल गांधीक जिदक बाद आखिर दिल्ली पुलिस पैलेट गन मामिला मे पीड़ित साहिल लोचबक शिकायत पर एफआइआर दर्ज कए लेलक अछि। दिल्ली पुलिसक सूत्र एहि बातक जानकारी देलनि। वरिष्ठ पुलिस अधिकारीक अनुसार 20 जुलाई कें जंतर-मंतर पर भेल विरोध प्रदर्शनक दौरान कथित रूप सं पैलेट गनक प्रयोगक मामिला मे एफआइआर दर्ज कएल गेल अछि। एहि मामिला मे केओ नामजद नहि अछि, अर्थात अज्ञात लोकक विरुद्ध एफआइआर दर्ज भेल अछि। एफआइआर दर्ज भेलाक बाद राहुल गांधी एकरा सत्यक जीत बतौलनि। ओ कहलनि जे न्याय दिस ई पहिल डेग अछि।

एहि सं पहिने राहुल गांधी साहिल लोचब, हुनकर परिवारक सदस्य आ वकील सभक संग संसद मार्ग थाना पहुंचल छलाह। ओ मामिला मे प्राथमिकी दर्ज करबाक संग पुलिस सं जांच अधिकारीक फोन नंबर उपलब्ध करबाक मांग कएलनि। हुनकर कहब छल जे 19 वर्षीय छात्र साहिल लोचब पर पैलेट गनक प्रयोगक मामिला मे जखन धरि प्राथमिकी दर्ज नहि होयत, तखन धरि ओ ओतय सं नहि हटताह। राहुल गांधीक आरोप अछि जे 20 जुलाई कें कनॉट प्लेस मे प्रदर्शन करैत छात्र सभ पर पैलेट गन चलाओल गेल। हुनकर लग एहि घटनाक ठोस प्रमाण अछि आ दोषी सभक विरुद्ध कारबाइ लेल प्राथमिकी दर्ज होयब जरूरी अछि।

राहुलक संग कांग्रेसक वरिष्ठ नेता सभ सेहो

राहुल गांधी शुक्रदिन संसद मार्ग थाना मे बहिन प्रियंका गांधी सहित कांग्रेसक कतेको वरिष्ठ नेता संग धरना पर बैसलाह। डीसीपी कार्यालयक बाहर देल गेल धरना मे कांग्रेस महासचिव प्रियंका गांधी, जयराम रमेश, मुकुल वासनिक, कुमारी सैलजा, वरिष्ठ नेता सलमान खुर्शीद सहित कतेको नेता शामिल भेलाह। धरना शुरू भेलाक बाद संसद मार्ग थाना बाहर कांग्रेस कार्यकर्ता सभक भीड़ जुटि गेल। कार्यकर्ता सभ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ गृह मंत्री अमित शाहक विरुद्ध नारा लगौलनि।

राहुल गांधी की आरोप लगौलनि?

राहुल गांधी एक्स पर पोस्ट कए कहलनि जे ओ साहिल लोचबक संग पुलिसक कथित बर्बरताक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज करयबाक लेल संसद मार्गक डीसीपी कार्यालय पहुंचल छथि। ओ आरोप लगौलनि जे 20 जुलाई कें जंतर-मंतर पर शांतिपूर्ण प्रदर्शन करैत साहिल पर पुलिस पैलेट गनक इस्तेमाल कएलक, जाहि सं ओ गंभीर रूप सं घायल भए गेलाह आ हुनकर एकटा आंखिक रोशनी पर संकट अछि। राहुल गांधीक अनुसार शांतिपूर्ण प्रदर्शनकारीक विरुद्ध एहन कारबाइ गंभीर अपराध अछि। हुनकर कहब अछि जे साहिल न्याय लेल प्राथमिकी दर्ज कराबय चाहैत छथि, मुदा हुनका एहन करय नहि देल जा रहल छल।

(पेज 11 सेहो देखी)

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

rahul gandhi
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

एहि पार मिथिला, ओहि पार मिथिलाक संबंध आर होयत प्रगाढ़, नेपाल मे भारतीय बेटी कें नागरिकता भेटब भेल आसान

Next

सहरसा नगर निगम मे योजना पर उठल सवाल, गड़बड़ीक जांच लेल पहुंचल चारि सदस्यीय टीम

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech