सुपौल मे भजन-कीर्तनक बीच घुसल बेकाबू कार, पांच गोटेक मृत्यु, एक गंभीर
सुपौल, समदिया पिपरा थाना क्षेत्रक कटैया गोठ चौक पर मंगलक राति झूलन पर्वक अवसर पर बजरंगबली मंदिरक लग भजन-कीर्तन करैत श्रद्धालु सभक बीच एक अनियंत्रित कार घुसि गेल। एहि दुर्घटना मे पांच गोटेंक मृत्यु भए गेल, जखनकि एक व्यक्ति गंभीर रूप सं घायल छथि। घटना बाद…
सुपौल पहुंचलाह सीएम सम्राट, केलनि पूर्व मुख्यमंत्री डॉ. जगन्नाथ मिश्रक प्रतिमाक अनावरण
मुख्यमंत्री निर्माणाधीन कोसी-मेची अंतरराज्यीय लिंक परियोजनाक केलनि निरीक्षण फोटो : सीएम सुपौल, समदिया मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी बुधदिन सुपौल जिलाक बलुआ बाजार पहुंचलाह। पूर्व मुख्यमंत्री डॉ. जगन्नाथ मिश्रक पुण्यतिथिक अवसर पर ओतय हुनकर…