श्री उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव 19 सं 21 नवंबर धरि, पहिल बेर फूड कार्टक व्यवस्था
सहरसा, समदिया जिलाधिकारी दीपेश कुमारक अध्यक्षता मे शनिदिन जिला मे प्रस्तावित विभिन्न महोत्सवक तैयारी कें लए कए समीक्षा बैसार आयोजित कएल गेल। बैसार मे विशेष रूप सं श्री उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव, महिषी-2026क आयोजन पर विस्तार सं विचार-विमर्श कएल गेल।…
पाटलिपुत्र सं पूर्णिया धरि 17 अगस्त सं चलत नाइट स्पेशल ट्रेन, सहरसा मे 30 मिनट ठहराव; कोसी-सीमांचल कें राहति
पटना। बिहारक कोसी आ सीमांचल क्षेत्र मे कनेक्टिविटी बढ़ेबाक लेल पैघ कदम उठाओल गेल अछि। रेलवे पाटलिपुत्र जंक्शन सं सहरसा होइत पूर्णिया कोर्ट धरि नव रात्रिकालीन स्पेशल ट्रेन चलाबयक अधिसूचना जारी कएलक अछि। ई ट्रेन 17 अगस्त सं 16 सितंबर धरि सप्ताह मे 5…
सहरसा मे पूजाक प्रसाद खेला सं 100 सं बेसी लोक बीमार, गाम पहुंचल स्वास्थ्य विभागक टीम
सहरसा। प्रखंड क्षेत्रक सरडीहा पंचायतक सरडीहा गाम स्थित मध्य टोल मे सत्यनारायण भगवानक पूजाक प्रसाद ग्रहण कएलाक बाद 100 सं बेसी लोक बीमार पड़ि गेलाह। एक संग पैघ संख्या मे लोकक स्वास्थ्य बिगड़ला सं गाम मे अफरातफरीक स्थिति उत्पन्न भए गेल। महिला, पुरुष…