सहरसा, समदिया
जिलाधिकारी दीपेश कुमारक अध्यक्षता मे शनिदिन जिला मे प्रस्तावित विभिन्न महोत्सवक तैयारी कें लए कए समीक्षा बैसार आयोजित कएल गेल। बैसार मे विशेष रूप सं श्री उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव, महिषी-2026क आयोजन पर विस्तार सं विचार-विमर्श कएल गेल। सर्वसम्मति सं महोत्सवक आयोजन 19, 20 आ 21 नवंबर कें करबाक निर्णय लेल गेल। जिलाधिकारी सह न्यास समितिक अध्यक्ष दीपेश कुमार विभिन्न समितिक काजक समीक्षा करैत महोत्सव कें बेसी व्यापक आ जनभागीदारी बला बनेबाक निर्देश देलनि। ओ ग्रामीण क्षेत्रक बुद्धिजीवी सभ कें सेहो महोत्सव सं जोड़बाक, पुस्तक मेला आयोजित करबाक तथा स्मारिका कें गुणवत्तापूर्ण आ मौलिक बनेबाक लेल आवश्यक निर्देश देलनि। बैसार मे सेमिनार आ वाद-विवाद समितिक संयोजकक रूप मे नगर आयुक्त प्रभात कुमार झा कें जिम्मेदारी देबाक प्रस्ताव पर सेहो चर्चा भेल। जिलाधिकारी कहलनि जे महोत्सवक तैयारी समयबद्ध रूप सं पूरा कएल जाय, जाहि सं आयोजन कें नीक स्वरूप देल जा सकय। महोत्सवक तिथि निर्धारण पर सेहो बैसार मे विस्तार सं चर्चा भेल। बाढ़ि सहित अन्य संभावित परिस्थिति कें ध्यान मे रखैत छठि पूजाक बाद महोत्सव करबाक निर्णय लेल गेल। तकर बाद सर्वसम्मति सं 19 सं 21 नवंबर धरि तीन दिवसीय महोत्सव आयोजित करबाक घोषणा कएल गेल। एहि बेर श्री उग्रतारा सांस्कृतिक महोत्सव मे पहिल बेर विशेष फूड कार्टक व्यवस्था कएल जा रहल अछि। एहि फूड कार्ट मे मिथिलाक पारंपरिक भोजन आ व्यंजनक संग अन्य प्रसिद्ध व्यंजन आ खाद्य पदार्थ सेहो उपलब्ध रहत। एहि सं महोत्सव मे आबयवाला लोक कें स्थानीय खान-पानक संग विभिन्न प्रकारक व्यंजनक स्वाद लेबाक अवसर भेटत। बैसार मे डीडीसी गौरव कुमार, एडीएम निशांत कुमार, डीईओ, सदर एसडीओ श्रीयांश तिवारी, डीटीओ सुजीत बरनवाल, नगर आयुक्त प्रभात कुमार झा, कला एवं संस्कृति पदाधिकारी स्नेहा झा, सचिव केशव चौधरी, प्रो. अक्षय कुमार चौधरी, अमित आनंद सहित अन्य अधिकारी आ सदस्य उपस्थित छलाह।