कटिहार आ नरपतगंजक नहरि सबहक पुनर्जीवन लेल सम्राट सरकार खर्च करत 66 करोड़
- सम्राट कैबिनेटक बैसार मे कतेको एजेंडा कें देल गेल मंजूरी
-
बक्सर सं भागलपुर धरि बनत 6-लेन एक्सप्रेस-वे
फोटो : सम्राट
पटना, समदिया
मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक अध्यक्षता मे बुधदिन सांझ भेल बिहार मंत्रिमंडलक बैसार मे 13टा प्रस्ताव पर स्वीकृति देल गेल। एहि मे बक्सर सं भागलपुर धरि 6-लेन ग्रीनफील्ड एक्सप्रेसवे बनेबाक निर्णय प्रमुख अछि। 336 किलोमीटर लंबा ई एक्सप्रेसवे भोजपुर, अरवल, जहानाबाद, गयाजी, नवादा, नालंदा, शेखपुरा, लखीसराय, जमुई, मुंगेर आ बांका जिला सं होइत गुजरत। एकरा नव भूमि पर ग्रीनफील्ड पद्धति सं निर्मित कएल जाएत।
मंत्रिमंडल एक्सप्रेसवे कें पीपीपी मॉडल पर बिहार राज्य सड़क विकास निगमक माध्यम सं विकसित करबाक सैद्धांतिक स्वीकृति देने अछि। विस्तृत परियोजना रिपोर्ट तैयार करबाक लेल परामर्शी आ परियोजनाक क्रियान्वयन लेल ट्रांजेक्शन एडवाइजरक सेवा लेबाक अनुमति सेहो देल गेल।
एक्सप्रेसवे लग विकसित होयत आर्थिक गलियारा
बक्सर-भागलपुर एक्सप्रेसवेक लगपासक पैघ भूखंड कें आर्थिक गतिविधिक लेल विकसित करबाक प्रस्ताव कें सेहो स्वीकृति देल गेल अछि। एहि सं निवेश आ व्यावसायिक गतिविधि बढ़बाक अपेक्षा अछि। परियोजना पूरा भेला पर बक्सर सं भागलपुरक बीच आवागमन तेज आ सुगम होयत तथा दक्षिण आ पूर्वी बिहारक बीच यात्रा करयबला लोकक समय बचत होयत।
निजी नलकूप लेल 305 करोड़
मुख्यमंत्री निजी नलकूप योजनाक अंतर्गत वित्तीय वर्ष 2026-27 मे 11 हजार निजी नलकूप लेल 305.60 करोड़ रुपैयाक स्वीकृति देल गेल। सरकारक अनुसार, एहि सं खेत धरि जलक पहुंच सुनिश्चित करबा मे सहायता भेटत आ किसान कें सिंचाईक लेल सुविधा होयत। लखीसराय जिलाक कजरा सोलर पावर परियोजनाक लेल अधिग्रहित जमीनक लीज दस्तावेज पर निबंधन शुल्क नहि लगत। एहि जमीन पर स्टांप शुल्क आ रजिस्ट्री फीस मे सेहो छूट देबाक निर्णय भेल अछि। परियोजना सं स्थानीय लोक कें रोजगार भेटबाक संग उद्योग सभक बिजलीक आवश्यकता पूरा करबा मे सेहो सहायता भेटत।
सकरी आ रैयाम मे चीनी मिल लेल बनत सहकारी समिति
मधुबनी जिलाक सकरी आ दरभंगा जिलाक रैयाम मे बंद चीनी मिलक जमीन पर नव सहकारी चीनी मिल खोलबाक लेल प्राथमिक चीनी मिल सहकारी समितिक गठन कें स्वीकृति देल गेल अछि।
नहर पुनर्स्थापन लेल करोड़ोंक स्वीकृति
कटिहार सिंचाई प्रमंडलक अंतर्गत नहरक पुनर्स्थापन लेल 35.82 करोड़ रुपैया स्वीकृत भेल अछि। एहि सं कटिहार वितरणी, फूलपुर, हसनगंज, बैजनाथपुर आ सेमापुर उप-वितरणी सहित संबंधित नहर प्रणाली कें फेर चालू कएल जाएत। नरपतगंज सिंचाई प्रमंडलक जानकीनगर शाखा नहर आ संबंधित नहरक पुनर्स्थापन लेल 30.35 करोड़ रुपैयाक स्वीकृति देल गेल।
वित्तीय वर्ष 2026-27 मे 48,200 मीट्रिक टन भंडारण क्षमता विकसित करबाक लेल 200, 500 आ 1000 मीट्रिक टन क्षमताक गोदाम बनेबाक योजना स्वीकृत भेल। 52 चयनित समिति कें 50 प्रतिशत अनुदान आ 50 प्रतिशत चक्रीय पूंजीक रूप मे कुल 34.95 करोड़ रुपैया देल जाएत।
बाक्स
मुजफ्फरपुर-सितामढ़ी-सोनबरसा सड़क बनत फोरलेन
पटना : केंद्रीय मंत्रिमंडलक बुध कें 3,590.73 करोड़क लागति सं एनएच-22क 82.578 किलोमीटर लंबा मुजफ्फरपुर-सितामढ़ी-सोनबरसा खंड कें फोरलेन मे विकसित करबाक स्वीकृति देलक अछि। हाइब्रिड एन्युइटी मॉडलपर बनयबला ई मार्ग भारत-नेपाल सीमापर स्थित सोनबरसा कें मुजफ्फरपुर सन प्रमुख आर्थिक केंद्र सं जोड़त। भिट्ठामोड़ लैंड पोर्टक माध्यम सं सीमा-पार आवागमन आ माल ढुलाई कें गति भेटत। संगहि, सीतामढ़ीक जानकी पुनौरा धाम आ बौद्ध सर्किट धरि पहुंच सेहो सुगम होयत। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी एहि स्वीकृतिक लेल प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक प्रति आभार व्यक्त करैत कहलनि जे 3,590.73 करोड़क लागति सं 82.578 किलोमीटर लंबा एहि मार्गक फोरलेन उन्नयन उत्तर बिहारक विकास कें नव गति देत।