‘जा धरि छात्र सभक संग न्याय नहि होयत, ता धरि लड़ैत रहब’
- सम्राट सरकारक विरुद्ध तेजस्वीक हल्ला बोल
पटना, समदिया
बिहार मे नीट पेपर लीक मामिला, एके-47 सं फायरिंग, लंबित परीक्षा-बहाली आ कानून-व्यवस्था सहित कतेको मुद्दा कें लए कए तेजस्वी यादवक नेतृत्व मे राष्ट्रीय जनता दलक लोकभवन मार्चक दौरान भारी हंगामा भेल। तेजस्वी यादव सम्राट सरकारक विरुद्ध जोरदार हमला कएलनि। जेपी गोलंबर सं शुरू भेल पार्टीक लोकभवन मार्चक दौरान प्रदर्शनकारी नेता आ कार्यकर्ता कें इनकम टैक्स गोलंबर लग रोकि देल गेल। एहि दौरान पुलिस वाटर कैननक प्रयोग कएलक आ आरजेडीक राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष तेजस्वी यादव कें हिरासत मे लए लेल गेल।

वाटर कैननक प्रयोग पर भड़कलाह तेजस्वी
तेजस्वी यादवक नेतृत्व मे पैघ संख्या मे कार्यकर्ता हाथ मे तिरंगा लेने पैदल लोकभवन दिस बढ़ि रहल छलाह। एहि बीच प्रदर्शनकारी कें तितर-बितर करबाक लेल पुलिस वाटर कैननक प्रयोग कएलक। एहि पर तेजस्वी यादव सम्राट सरकार पर हमला करैत कहलनि जे ई सभ मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक आदेश पर भेल अछि। प्रदर्शनक बीच पुलिस तेजस्वी यादव कें हिरासत मे लए कए गाड़ी मे बैसा देलक। एहि दौरान कार्यकर्ता सभ जमि कए हंगामा करैत रहलाह। प्रदर्शन मे तेजस्वी यादवक पैघ बहिन आ लोकसभा सांसद मीसा भारती सेहो उपस्थित छलीह। किछु कालक बाद हुनका छोड़ि देल गेल।
हम लड़ैत रहब : तेजस्वी

हिरासत मे लेल गेल तेजस्वी यादव कहलनि जे हुनका सभक मार्च राजभवन धरि होयबाक छल, मुदा इनकम टैक्स गोलंबर लग रोकि देल गेल। ओ कहलनि जे एहि सरकारक विरुद्ध हम सभ लड़ैत रहब। हम सभ जेल सं डरैबला नहि छी। छात्र सभक हक आ अधिकार लेल, बेरोजगारी दूर करबाक लेल, पेपर लीक रोकबाक लेल, पारदर्शी परीक्षा, नीक शिक्षा, नीक स्वास्थ्य आ बिहार कें आगू बढ़ेबाक लेल हम सभ सदिखन आवाज उठबैत रहब आ संघर्ष करैत रहब।
मीसा भारतीक सरकार पर हमला
आरजेडी सांसद मीसा भारती कहलनि जे छात्र सभक संग भेल अन्याय कें 20-25 दिन बीति गेल अछि मुदा सरकार एखनहुं निद्रा सं नहि जागल अछि। हुनकर अनुसार, सर्वोच्च न्यायालय मे बिहार सरकार स्वीकार केने अछि जे एके-47 केर उपयोग भेल छल। ओ सवाल उठौलनि जे एके-47 लए कए प्रदर्शन मे जाएबाक अनुमति के देने छल?
एके-47क उपयोगक अनुमति के देने छल : मनोज झा
आरजेडी सांसद मनोज कुमार झा कहलनि जे छात्र आ युवा पूरा देश मे, विशेष रूप सं बिहार मे, आक्रोशित छथि। हुनकर कहब छल जे बिहार मे परीक्षा पेपर लीक मानू एकटा परंपरा बनि गेल अछि आ बेरोजगारीक मारि युवा सहन नहि कए पाबि रहल छथि। एहि समस्याक समाधान लेल ई मार्च कएल गेल अछि। ओ कहलनि जे एके-47क उपयोग करबाक अनुमति के देने छल, ई सवाल एखनहुं बनल अछि।